अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, December 22, 2009

मैथिली-भोजपुरी अकादमी सचिव आब मानद प्रोफेसर


(फोटो साभारःमिथिलांगनःwww.mithilangan.org)(चित्र में श्रीवास्तव जी बामां सं तेसर छथि-एकमात्र आगू तकनिहार)
दिल्ली के मैथिली-भोजपुरी अकादमी आ हिंदी अकादमी सचिव डॉ. रवीन्द्रनाथ श्रीवास्तव ऊर्फ परिचय दास स्वामी विवेकानंद सुभारती विश्वविद्यालय,मेरठ के हिंदी आ भारतीय संस्कृति विभागक मानद प्रोफेसर बनाओल गेल छथि। डॉ. श्रीवास्तव प्रतिभासंपन्न छथि। भोजपुरी आ हिंदी में कविता केर दस गोट पोथी प्रकाशित छनि। कविता चतुर्थी,धूसर कविता,आकांक्षा से अधिक सत्वर आदि हुनक चर्चित पोथी छनि। लोक परंपरा पर सेहो हुनक पोथी दू खंड में प्रकाशित छनि। थारू जनजाति केर संस्कृति पर हुनक कार्य उल्लेखनीय मानल गेल छैक। डॉ. श्रीवास्तव गोरखपुर विश्वविद्यालय सं पीएचडी कएने छथि। लोकगायन,अभिनय आ चित्रकला में सेहो हुनकरर रूचि छनि। मैथिलीभाषी नहिं रहितो ओ मैथिली-भोजपुरी अकादमी के स्वीकार्य संचालक छथि जे हुनक सौम्य व्यक्तित्व दिसि संकैत करैछ। मैथिललोकनि के हुनका सं बड्ड आस छनि।