अपनेक स्वागत अछि।

Monday, September 13, 2010

पीड़ित सास आ पति कें फोरम

एकता कपूर के सीरियल सं निकलिकए सास,पुतहु आर साजिश आब घर-घर के कहानी बनल जा रहल अछि।

सास-ससुर सताएल छथि, पति परेशान छैक आर कानून सभटा पुतहुए के पक्ष में। इएह कारण छैक जे पारिवारिक विवाद के केस निपटएबाक लेल लोकसभ आब एनजीओ के सहारा ल रहल छथि। एहि क्रम मे,काल्हि सांझ चंडीगढ़ मे लेजर वैली के ग्राउंड मे मदर इनलॉ प्रोटेक्शन फोरम के दरबार में चंडीगढ़े टा के नहि अपितु आसपास के राज्य सभ सं सेहो पीड़ित पति आर सास-ससुर अपन समस्या ल कए पहुंचलाह।

फोरम के लीगल एडवाइजर अरुण गुप्ता के कहब छन्हि जे ‘कानून में सिर्फ पत्नी पक्ष कें गंभीरता सं लेल जाइत छैक। पति-पत्नी के बीच मामूली विवाद कें दहेज कें केस बनाकए पति आ ओकर परिवार वला सभ कें दोषी मानल जाइत छैक। हालांकि एखन धरि दहेज विवाद मे सजा 2 फीसदी मात्र मामिला मे भेटल छैक। 98 फीसदी केस फर्जी साबित भ जाइत छैक। जाहि तेजी सं एहि तरहक मामिला बढ़ि रहल छैक, ओहि सं त युवा वर्ग कें विवाह पर सं भरोसे उठल जा रहल छैक।

मोहाली सं एक पीड़ित पति के बहिनोय फरियाद ल कए आएल छलाह। हुनकर सारक विवाह अमरीका मे भेल छलन्हि। ओहि ठाम विवाद भेलापर कनिया दहेज उत्पीड़न के केस क देलकन्हि। मोहाली में पति के परिवार वला सभ के सेहो झूठ केस मे फंसाओल गेल।


फोरम की अध्यक्ष मनजीत पुरी के कहब छन्हि जे ओना तं पीड़ित परिवार के कानूनी सलाह के जरिए सही रास्ता देखएबाक प्रयास कएल जाइत छैक मुदा आब एहि सभ तरहक केस संबंधी कानून में संशोधन की जरूरत महसूस कएल जा रहल छैक। कानून की किताब मे सभटा अधिकार जनानिए सभहक पक्ष मे छैक, पुरुष के पक्ष में किछु नहि। तें,फोरम फर्जी दहेज केस सं पीड़ित लोकनिक लेल हेल्पलाइन शुरु कएलक अछि।

गुप्ता के कहब छन्हि जे अपन देश में एनिमल वेलफेयर के लेल तं मंत्रालय छैक, परञ्च पुरुष सभहक कल्याण कें लेल किछु नहि। वुमन एम्पावरमेंट के नाम पर पति आर परिजन कें फंसाएल जा रहल छैक(मनोज अपरेजा,दैनिक भास्कर, चंडीगढ़,13.9.2010)।

Saturday, August 21, 2010

पृथक मिथिला राज्यक मांग ल कए प्रदर्शन

अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के तत्वावधान में पृथक मिथिला राज्यक मांग ल कए मिथिलावासीलोकनि काल्हि जंतर-मंतर पर प्रदर्शन कएलनि। अध्यक्षत छलाह डा. वैधनाथ चौधरी। प्रदर्शन में सांसद कीर्ति झा आजाद, माहेश्वर हजारी, महाबल मिश्रा व विधायक अनिल कुमार झा शामिल भेलाह। बाद में ई लोकनि गिरफ्तारी सेहो देलनि। एहि दौरान प्रदर्शनकारी ..भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही के नारा लगबैत रहलाह। सांसद कीर्ति झा आजाद कहलनि जे मिथिलांचल के समस्याक हल अलग राज्य बनलहि सं संभव। हुनकर कहब रहनि जे क्षेत्र कें पृथक राज्यक दर्जा भेटलाक बादे आर्थिक, सामाजिक, राजनीतिक, भाषाई आर औद्योगिक आजादी सहित बाढ़ आ सुखाड़ सं मुक्ति भेट सकतैक। सांसद माहेश्वर हाजरी कें कहब छलन्हि जे बिना मिथिला राज्य के, मिथिलांचल वासी सभहक विकास संभव नहिं हएत। महाबल मिश्रा घोषणा कएलनि कि पृथक मिथिला राज्यक लेल ओ कोनहु तरहक कुर्बानी देमए लेल तैयार छथि। विधायक अनिल कुमार झा सेहो संबोधित कएलनि। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के अध्यक्ष वैधनाथ चौधरी कें कहब रहनि कि आगामी अक्टूबर-नवंबर महीना मे बिहार मे विधानसभा चुनाव होमय जा रहल छैक। ओ मिथिलावासी लोकनिक भावना कें कद्र करैत राजनीतिक पार्टी सभ सं अपील कएलनि कि ओ सभ अपन घोषणा-पत्र में पृथक मिथिला राज्यक मांग कें जरूर स्थान दथि। एहि मौका पर सुधिकांत झा, दिनेश मिश्र, अवधेश चौधरी आ तपेश्वर लाल कर्ण सेहो मौजूद छलाह।

भास्कर के रांची संस्करण काल्हि सं

दैनिक भास्कर समूह रविवार 22अगस्त सं अपन 12म राज्य में प्रवेश क रहल अछि। ई संस्करण छैक झारखंड कें। भास्कर कें 49म संस्करण रांची सं रवि सं प्रकाशित होमय जा रहल अछि। झारखंड में कुल तीन संस्करण निकत जाहि मे रांची के बाद जमशेदपुर आर धनबाद शामिल हएत। दैनिक भास्कर घोषणा कएलक अछि जे बिहार सं सेहो दैनिक भास्कर के प्रकाशन शुरू कएल जाएत। ज्ञातव्य जे दैनिक भास्कर भारत कें सभ सं पैघ समाचार पत्र समूह छैक । ई समूह हिन्दीए टा नहि, गुजराती आर अंग्रेजी भाषा मे सेहो अखबार निकालैत अछि। झारखंड आ बिहार सं प्रकाशित भेलाक संगहि,भास्कर देश कें 50 प्रतिशत जनता तक पहुंचए वला अखबार भ जाएत।

Thursday, August 12, 2010

आब कागज पर गोदना चित्रकारी

मानव शरीर पर कएल जाए वला पारंपरिक गोदना कला कें आब आप पेन्टिंग के रूप में सेहो संकलित कएल जा सकत। कागज पर बनाओल गेल ई आकर्षक रंगीन प्रदर्शनी लखनऊ में कैसरबाग स्थित सनतकदा कें वीथिका में दलित फाउण्डेशन के सहयोग सं आयोजित कएल गेल छैक जे 24 अगस्त धरि चलत। महज पचास रुपय्या में उपलब्ध एहि प्रिंट सभ मे गाछ-वृक्ष, सूरज आ माछक चित्र बनाओल गेल छैक। संस्था के उद्देश्य दलित लोकनिक कला आर कलाकार कें संरक्षण प्रदान करब छैक। 1973-78 के दौरान जर्मन मानव शास्त्री एरिका मोजर मधुबनी स्थित गाँव जितवारपुर गेल छलाह। ओतए ओ दलित समाज में प्रचलित हस्तकला सभ पर एक गोट सिनेमा बनओने छलाह। ओ दुसाध जातिक जनानी सभ कें, आमदनी बढ़एबाक लेल गोदना कला कें कागज पर उतारबाक सलाह देने छलाह। दुसाध जातिक संबंध चौकीदारी के पेशा सं रहल छैक। मानल जाइत छैक जे ओ सभ महाभारत के चरित्र दुशासन के वंशज छथि। ज्ञातव्य जे सबसं पहिने चन्नो देवी गोदना आकृति कें कागज पर बनएबाक प्रारंभ कएने छलीह। हुनके नाम पर एकरा गोदना पेन्टिंग कहल जाए लगलैक। एहि पेंटिंग मे ग्रामीण जीवन आर अनुष्ठान सं जुड़ल गतिविधि, हिन्दू-देवी देवता आर हिन्दू लोकनिक पौराणिक नायक सभहक चित्र बनाओल जाइत छैक(हिंदुस्तान,लखनऊ,12.8.2010 मे प्रकाशित रिपोर्ट पर आधारित)।

Friday, August 06, 2010

मैथिली अकादमी के पुनर्गठन

बिहार सरकार मैथिली अकादमी के पुनर्गठन क देलक। कमला कांत झा अकादमी के अध्यक्ष बनाओल गेल छथि । मैथिली अकादमी के कार्यसमिति आ सामान्य परिषद के सेहो पुनर्गठन कएल गेल छैक। आरएन कालेज मधुबनी के मैथिली विभाग के डा. विभूति आनंद, एएन कालेज पटना हिन्दी विभाग के रीडर डा.कलानाथ मिश्र आर पटना विवि मैथिली विभाग के अध्यक्ष डा. विरेन्द्र नारायण झा कें सामान्य परिषद केंसदस्य बनाओल गेल छन्हि। एमएलएसएम कालेज दरभंगा के मैथिली के अवकाश प्राप्त विभागाध्यक्ष डा. उमाकांत झा आर तिलका मांझी विवि भागलपुर में रसायन विभाग के ज्योतिन्द्र चौधरी कें कार्य समिति के सदस्य मनोनीत कएल गेल छन्हि। ज्ञातव्य जे कार्यसमिति में 8 पदेन आर 15 मनोनीत सदस्य होइत छथि। सामान्य परिषद में 28 मनोनीत (कार्य समिति के 15 मनोनीत सहित) आर 21 पदेन सदस्य के पद छैक।

Saturday, July 31, 2010

राजनीति गरमायले नीक होइत छै

मानसूनक वर्षासँ गरमी मे थोड़े कमी तँ आयल अछि, मुदा बिहारक राजनीति अचानक किए गरमा गेलए, ई अन्वेषणक विषय थिक। मुदा करिया कक्काक कहब छनि जे ई नइं तँ खोजक विषय थिक आ ने कोनो अजगुत राजनीतिक घटना। कारण राजनीति गरमे नीक होइत छैक, ठंढा गेला पर ई बासि भात छी जकरा कुकुरो सुंघि कऽ छोड़ि दैत अछि। तँ, राजनीतिक मतलबे छै गरम-गरम। वातावरणकेँ जे गरमा नइं दिअय ओ राजनीति भइये नइं सकैत अछि। राजनीतिज्ञक प्रथम कर्तव्य होइत छनि जे ओ लोकनि एकरा गरम राखथु आ एहि लेल एक -दोसराक पुतला जरा कऽ राजनीतिक आगि धधक बैत रहथु आ कुरता पयजामा फाड़ि कऽ एहिमे हवा सेहो दैत रहथु, जाहिसँ राजनीति सदिखन गरमायल रहय। ओकर बाद हाथमे झंडा-बैनरक स्थान पर हथौड़ा लऽ एहि ताकमे घुमथु जे जखने चोट मारबाक उपयुक्त समय आबि जाय, चोट मारि दी। नइं बेसी, थोड़बो तऽ लगवे करतैक आ से लागि जेतैक तँ बुझू जे दू-चारि टा एमएलेक संख्या बढ़बे करत। छै कि नइं। आब तों सभ पूछबह जे अइ सँ जनताके की भेटितै? कहीं वहै नइं थुरा जाय। प्रश्न मे दम्म तऽ छह, किन्तु कोनो तुक नइं छह। एहि द्वारे जे जनतो कम नइं हौ। जेमहर देखी खीर तेमहर बैसी फीर। दोसर, जनतोकेँ रेडियो मिर्ची जकाँ सभ किछु ‘हॉटे’ नीक लगैत छैक, नेताक तँ कोनो बाते नइं। तकरे नतीजा छैक जे जनता भारतीय रेल सदृश कतहु आ कखनहुँ भिड़ जाइए, सड़क पर एक-दोसरकेँ ठोकि दइए। पाटीर्क सभामे तऽ देखिते छहक जे नेता-कार्यकर्ता कोना मारापिप्तीक अभ्यास करैत अछि आ जकर फाइनल होयत छै विधान सभा आ विधान परिषद में जा कऽ। एखन जे राजनीति गरमायल अछि से अही लऽ कऽ ने जे बिहार सरकार अरबो-खरबो रुपैयाक हिसाब पचेने अछि आ तकर जाँच हाईकोर्टक आदेश पर सीबीआई करतैक। हाकिम सभ विकास करबामे लागल रहैक। हिसाब कोना दइतय। बस्स। सत्ता पक्ष जे गरमायल होअय वा ठंढायल होअय, मुदा विपक्ष ततेक ने गरमा गेल अछि जे लगैए आब मुख्यमंत्रीक कुरसी पर बैसिये कऽ देहक गरमी उतारत। खाली सीबीआई अपन काज चुनाव सँ पहिने कऽ दै। सत्ता पक्ष ऊपर सँ जे ठंढायल लगैत होअय, लेकिन अन्दर सँ धधकि रहल अछि आ लगैत अछि विपक्षीक मनसुबाकेँ जरा कऽ भस्म कऽ दिअय। जे हौ, बिहारक राजनीति एखन गरमायले रहतह , जकरा झरी कि झीसी झमान नइं कऽ सकैत अछि..(वीरेन्द्र नारायण झा,हिंदुस्तान,पटना,31.7.2010)

Friday, July 30, 2010

परिछन

दिल्ली के मैथिली-भोजपुरी अकादमी स्थापनाक बादहि सं पत्रिकाक प्रकाशन लेल प्रयासरत छल। एही बरख मार्च मे,अकादमी अपन पत्रिकाक प्रवेशांक केर विमोचन मुख्यमंत्री शीला दीक्षित सं करओने छल मुदा पत्रिका किछु तकनीकी कारणें सार्वजनिक रूप सं उपलब्ध नहि भ सकल छल। एहि माह ई पत्रिका सार्वजनिक कएल गेल अछि। अनुमान छलैक जे पत्रिका मैथिली आ भोजपुरी मे अलग-अलग छपत। परञ्च,पत्रिका मे दुनू भाषा केर सामग्री संयुक्त रूप सं राखल गेल अछि। पत्रिकाक नाम छैक-परिछन। मैथिली आ भोजपुरी दुनू संस्कृति मे बहुप्रयुक्त शब्द। 104 पृष्ठक एहि पत्रिका मे 96 पृष्ठ मे मैथिली सामग्री अछि आ शेष मे भोजपुरी। पत्रिका के मूल्य पचास टका राखल गेल अछि। 175 टका द कए वार्षिक सदस्यता सेहो लेल जा सकैत अछि। इच्छुक लोकनि सचिव,मैथिली-भोजपुरी अकादमी,समुदाय भवन,पदम नगर,किशनगंज,दिल्ली-110007 पर सम्पर्क क सकैत छथि। बहरहाल,एक नज़रि प्रवेशांकक सामग्री परः
1. निबंधः ई आरोप कि आधुनिकत कविता दुर्बोध होइत अछि-रैंडल जैरेल
2. कविताः
क.पूसक ठिठुरैत भोर-रमानन्द रेणु
ख.दुर्लभ प्राणी भेल जाइए मनुख,छाउर की खोरनाठ,आगि बांटक गप करी,लड़ए पड़ै छै,छुच्छे देख रहल छी-महाकान्त रेणु
3. समकालीन रचनाकारक रचनात्मक दायित्व विषयक विमर्शः
क. संघर्ष जतबे तीक्ष्ण प्रतिभा ओतबे तीक्ष्ण-शेफालिका वर्मा
ख. चुनौतीक स्वीकरण-विद्यानाथ झा विदित
ग. रचनाकारक दायित्वबोध रचनाक प्रेरक व संवाहक-नीता झा
घ. मैथिली के चाही बेस्ट सेलर पोथी-प्रदीप विहारी
4. खिस्सा-पिहानीः
क. हलधर-कामना झा
ख. नांगट जमाय-कामिनी कामायनी
ग. वध-अशोक चौधरी
घ. प्रेम-अशोक कुमार पोद्दार
ड.-होलिका दहन-अंजू ठाकुर
च.-वज्रादपि कठोराणि मृदूनि कुसुमादपि
छ. संस्कार-इंदिरा झा
5. रिपोर्ताजः की अछि मिथिला,के छथि मैथिल-मानवर्द्धन कंठ
6. ललित निबंधः ढेंग-गुलेल
7. संस्कृतिः
क.लोक जीवन में जनचरित्री संस्कृति-चन्द्रेश
ख.भाओ-भगैत-गहबर गीतक प्रासंगिकता
8. कलाः
क.मिथिला चित्रकला आ संस्कृति-अरूण कुमार कर्ण
ख. मिथिला लोक चित्रकला-संस्थागत विकासक रूपरेखा-सुरेश चन्द्र मिश्र
9.सिनेमाःमैथिली सिनेमाःसंकट आ संभावना-कुमार राधारमण
10. शब्द-सम्पदाःमैथिली शब्द-संपदाक संक्रमण-काल-पंकज पराशर
11. समीक्षाः मायानंद मिश्रक इतिहास-बोध-गजेन्द्र ठाकुर

Monday, July 26, 2010

पैंतीस सीट पर कायस्थ उम्मीदवार

"आगामी विधानसभा चुनाव में पैंतीस सीट पर कायस्थ प्रत्याशी मैदान में उतारल जएताह। पटना कें पांचो सीट पर कायस्थ समाजक दावेदारी छैक। एहि बेरक चुनाव में कायस्थ परिवार कोनहु पार्टी के गुलाम बनि कए नहि रहत। कायस्थ समाज एहि बेर ओही पार्टी के साथ देत जे कायस्थ उम्मीदवार उतारत।" ई कहब छन्हि कायस्थ चित्रगुप्त सेना के अध्यक्ष पांडेय अखिलेश कुमार श्रीवास्तव के। काल्हि पटना में कंकड़बाग कम्युनिटी हॉल में ‘अभिनंदन समारोह और बेरोजगार एवं रोजगार के अवसर’ विषय पर कायस्थ चित्रगुप्त सेना द्वारा आयोजित सेमिनार में ओ कहलनि कि पैंतीस में सं जाहि सीट पर कोनो पार्टी के उम्मीदवार कायस्थ नहि रहत,ओतए सेना अप्पन उम्मीदवार उतारत ताकि कायस्थ समाज राजनीतिक दल कें अपन ताकत बता सकए। समारोह के उद्घाटन करैत पूर्व राज्यपाल डीएन सहाय कहलनि जे सरकारी क्षेत्र में नौकरी के कमी भ रहल छैक,तें कायस्थ युवकलोकनि कें प्राइवेट सेक्टर में सेहो जेबाक चाही। विधायक अरुण कुमार सिन्हा कहलनि कि विश्वभर में कायस्थे एहन जाति अछि जे सौ फीसदी साक्षर अछि। कायस्थ समाज के पास देश आर विदेश तक के नेतृत्व करबाक क्षमता छैक। ओम्हर,झारखंडो में,अखिल भारतीय कायस्थ महासभा के रांची जिला के बैठक काल्हि भेल। वर्ष 2009-10 का लेखा-जोखा व वर्ष 2010-11 का बजट पेश किया गया। इसे सर्वसम्मति से पारित कर दिया गया। एहि में सरकार सं सभ वर्गक लेल आर्थिक आधार आरक्षण देबाक मांग कएल गेल।

Friday, July 23, 2010

भोलाबाबा कैमरा के निगरानी मे

बाबाधाम के गर्भगृह में तीन सीसी कैमरे लगाओल जाएत। उपायुक्त प्रशांत कुमार मेला क्षेत्र के मुआयना के दौरान सभटा अतिक्रमित दोकान कें हटएबाक आदेश देने छथि। ओ शिवगंगा के चारू कात गंदगी हटाएबाक लेल आ छाया शेड निर्माण कार्य जल्दी पूरा करएबाक संगहि टाटा धर्मशाला के जीर्ण-शीर्ण रूम सभहक मरम्मती कें सेहो निर्देश देलनि।

Monday, July 19, 2010

एनडीटीवी इमेजिन पर रक्त संबंध

आई सं एनडीटीवी इमेजिन पर रक्त संबंध नामक धारावाहिक शुरू भ रहल अछि। ई धारावाहिक पाँच बहिन के कथा छैक । सभहक विवाह भ चुकल छैक मुदा तइयो सभ गोटे अपन-अपन परिस्थितिक दायरा में रहितो जीवन आओर नीक करबाक लेल हरसंभव कोशिश करैत छैक। धारावाहिक के पहिल एपिसोड में पिता अपन सभ बेटी के परिचत दैत छथि। अवसर छैक सभ सं छोटकी बेटी-संध्या के विवाहक। संध्या नेत्रहीन छैक मुदा तकदीर साथ दैत छैक आ ओकर विवाह भ रहल छैक ग्वालियर के युवराज जागीरदार सं। की ई सभ सहज छैक आ कि एकर पाछू कोनो चक्रचालि काज क रहल छैक? जनबाक लेल सोम सं शुक्र तक राति दस बजे देखल करू-रक्त संबंध।

Monday, July 12, 2010

मेरा नाम करेगी रौशन

ज़ीटीवी पर आई सं मेरा नाम करेगी रौशन नामक धारावाहिक शुरु भ रहल अछि। धारावाहिक में मुख्य रोल रीत(साना शेख द्वारा अभिनीत) के छैक जे रामक समान,अपन पिताक देहान्तक बादो अपन पिताक प्रतिष्ठा बनओने रहैत छैक। ई धारावाहिक अयोध्याक निकट सम्मानपुर नामक छोट-छिन शहरक छैक । रीत एहि ठाम अपन जमींदार पिता वीर प्रताप सिंह के संग रहैत अछि। गाम में वीर प्रताप सिंहक छवि ओहने छन्हि जेहन अपन समय में राजा दशरथ के छलन्हि- पिता तुल्य। मुदा हुनकर दुनू बेटा कुंवर कुलदीप आ राजवीर बुझू जेना रावण निकलि गेल। बेटा सभहक कारगुजारी सं दुखी वीर प्रताप जी के देहान्तक पछाति पता चलैत अछि जे ओ अपन अंतिम संस्कारक अधिकार बेटा सं छीनिकए रीत सं करएबाक इच्छा व्यक्त कएने रहथि। रीत एहि इच्छाक सम्मान करए चाहैत छैक-ई जनितो जे एकर प्रतिक्रिया केहन हेतैक। दुनू भाए संग बहिन के वाक्युद्ध शुरु भ जाइत छैक मुदा भाउज सभ पर जीत अंततः रीत के होइत छैक। मुदा असली खेल ओकर बाद शुरू होइत छैक। तीनू जनानी दुनू पुरूष सं संघर्ष करैत छथि आ लंका के जरा कए राख क दैत छथि। धारावाहिक इएह संदेश दैत अछि जे आखिरकार असत्य पर सत्यक विजय होइते छैक।
धारावाहिक केर प्रसारण राति साढे 10 बजे सं हएत।

Friday, July 02, 2010

बीएसएनएल सं देशभरि में रोमिंग-फ्री बात

सीडीएमए हैंडसेट इस्तेमाल करनिहारक लेल बीएसएनएल आईयूआईएम कार्ड लांच कएलक अछि। एकर इस्तेमाल जीएसएम सिम कार्ड जकां कएल जा सकत । मोबाइल में कार्ड डाललाक बाद एहि सं देशभरि में (दिल्ली आर मुंबई छोड़ि कए) कत्तहु रोमिंग फ्री बात कएल जा सकैछ ।
काल्हि एहि सिलिसिला मे बीएसएनएल सीडीएमए के प्रीपेड सेवा आरयूआईएम (रिमूवेबल यूजर्स आईडेंटिटी माडयूल) कार्ड चालू कएलक। एकर फोन नंबर दस अंकक छैक जकर शुरुआत ९६८२० आ ९६८२५ सं हएत। लाइफटाइम वैधता वला कार्डक मूल्य ३९ रुपये अछि आ एहि में उपभोक्ता कें दस रुपय्या के टॉक टाइम भेटतैक। कार्डधारक एकर इस्तेमाल बीएसएनएल के वायरलैस ब्राडबैंड ईवीडीओ कार्ड में सेहो क सकैत छथि। जेना उपभोक्ता बीएसएनएल के मोबाइल रिचार्ज करबैत छथि तहिना आरयूआईएम कार्ड के सेहो रिचार्ज करा सकताह। कार्ड के लांचिंग के बाद आब संचार निगम अपन डब्लूएलएल हैंडसेट बंद क देत। काल्हिए सं कार्ड एक्टीवेशन सेहो शुरू भ गेल।

टाटा केमिकल्स कें सस्ता वाटर प्यूरीफायर

टाटा समूह साफ पेयजल सुलभ करएबाक लेल बहुत सस्ता वाटर प्यूरीफायर अनलक अछि। समूह के कंपनी टाटा केमिकल्स टाटा स्वच्छ स्मार्ट मैजिक नामक एहि वाटर प्यूरीफायर के कीमत मात्र 499 रुपय्या छैक। एतबे नहि,कंपनी 749 रुपय्या कीमत बला स्वच्छ स्मार्ट सेहो बजार में उतारने अछि। पछिला बरख कंपनी महाराष्ट्र में 999 रुपय्या में सस्ता वाटर प्यूरीफायर अनने छल। टाटा केमिकल्स के एमडी आर मुकुंदन के कहब छन्हि जे एहि उत्पाद के बाजार में आनए सं घरेलू स्तर पर बड़ पैमाना पर लोक सभ के स्वच्छ पेयजल उपलब्धता भ जएतैक। एकरा भंडारण के लेल इस्तेमाल होमए बला कोनहु बर्तन में फिट कएल जा सकैत छैक।

Thursday, July 01, 2010

श्रीकृष्ण विज्ञान केंद्रक शुल्क बढल

श्रीकृष्ण विज्ञान केंद्र मे प्रवेश शुल्क में संशोघन करबाक निर्णय कएल गेल अछि। आब ई दर 10 रुपय्या प्रति व्यक्ति हएत। छात्र समूहक प्रवेश शुल्क प्रति छात्र 5 रुपय्या हएत। शीघ्र आरंभ होमय जा रहल थ्री-डी चलचित्र के लेल शुल्क 10 रुपय्या आर छात्र सभहक लेल 5 रुपय्या रहत। तारामंडल केर प्रवेश टिकट पूर्वक भांति 2 रुपय्या प्रति व्यक्ति रहत। नव दर 1 जुलाई सं लागू हएत।