अपनेक स्वागत अछि।

Friday, July 02, 2010

बीएसएनएल सं देशभरि में रोमिंग-फ्री बात

सीडीएमए हैंडसेट इस्तेमाल करनिहारक लेल बीएसएनएल आईयूआईएम कार्ड लांच कएलक अछि। एकर इस्तेमाल जीएसएम सिम कार्ड जकां कएल जा सकत । मोबाइल में कार्ड डाललाक बाद एहि सं देशभरि में (दिल्ली आर मुंबई छोड़ि कए) कत्तहु रोमिंग फ्री बात कएल जा सकैछ ।
काल्हि एहि सिलिसिला मे बीएसएनएल सीडीएमए के प्रीपेड सेवा आरयूआईएम (रिमूवेबल यूजर्स आईडेंटिटी माडयूल) कार्ड चालू कएलक। एकर फोन नंबर दस अंकक छैक जकर शुरुआत ९६८२० आ ९६८२५ सं हएत। लाइफटाइम वैधता वला कार्डक मूल्य ३९ रुपये अछि आ एहि में उपभोक्ता कें दस रुपय्या के टॉक टाइम भेटतैक। कार्डधारक एकर इस्तेमाल बीएसएनएल के वायरलैस ब्राडबैंड ईवीडीओ कार्ड में सेहो क सकैत छथि। जेना उपभोक्ता बीएसएनएल के मोबाइल रिचार्ज करबैत छथि तहिना आरयूआईएम कार्ड के सेहो रिचार्ज करा सकताह। कार्ड के लांचिंग के बाद आब संचार निगम अपन डब्लूएलएल हैंडसेट बंद क देत। काल्हिए सं कार्ड एक्टीवेशन सेहो शुरू भ गेल।