अपनेक स्वागत अछि।

Monday, July 26, 2010

पैंतीस सीट पर कायस्थ उम्मीदवार

"आगामी विधानसभा चुनाव में पैंतीस सीट पर कायस्थ प्रत्याशी मैदान में उतारल जएताह। पटना कें पांचो सीट पर कायस्थ समाजक दावेदारी छैक। एहि बेरक चुनाव में कायस्थ परिवार कोनहु पार्टी के गुलाम बनि कए नहि रहत। कायस्थ समाज एहि बेर ओही पार्टी के साथ देत जे कायस्थ उम्मीदवार उतारत।" ई कहब छन्हि कायस्थ चित्रगुप्त सेना के अध्यक्ष पांडेय अखिलेश कुमार श्रीवास्तव के। काल्हि पटना में कंकड़बाग कम्युनिटी हॉल में ‘अभिनंदन समारोह और बेरोजगार एवं रोजगार के अवसर’ विषय पर कायस्थ चित्रगुप्त सेना द्वारा आयोजित सेमिनार में ओ कहलनि कि पैंतीस में सं जाहि सीट पर कोनो पार्टी के उम्मीदवार कायस्थ नहि रहत,ओतए सेना अप्पन उम्मीदवार उतारत ताकि कायस्थ समाज राजनीतिक दल कें अपन ताकत बता सकए। समारोह के उद्घाटन करैत पूर्व राज्यपाल डीएन सहाय कहलनि जे सरकारी क्षेत्र में नौकरी के कमी भ रहल छैक,तें कायस्थ युवकलोकनि कें प्राइवेट सेक्टर में सेहो जेबाक चाही। विधायक अरुण कुमार सिन्हा कहलनि कि विश्वभर में कायस्थे एहन जाति अछि जे सौ फीसदी साक्षर अछि। कायस्थ समाज के पास देश आर विदेश तक के नेतृत्व करबाक क्षमता छैक। ओम्हर,झारखंडो में,अखिल भारतीय कायस्थ महासभा के रांची जिला के बैठक काल्हि भेल। वर्ष 2009-10 का लेखा-जोखा व वर्ष 2010-11 का बजट पेश किया गया। इसे सर्वसम्मति से पारित कर दिया गया। एहि में सरकार सं सभ वर्गक लेल आर्थिक आधार आरक्षण देबाक मांग कएल गेल।