अपनेक स्वागत अछि।

Friday, July 02, 2010

टाटा केमिकल्स कें सस्ता वाटर प्यूरीफायर

टाटा समूह साफ पेयजल सुलभ करएबाक लेल बहुत सस्ता वाटर प्यूरीफायर अनलक अछि। समूह के कंपनी टाटा केमिकल्स टाटा स्वच्छ स्मार्ट मैजिक नामक एहि वाटर प्यूरीफायर के कीमत मात्र 499 रुपय्या छैक। एतबे नहि,कंपनी 749 रुपय्या कीमत बला स्वच्छ स्मार्ट सेहो बजार में उतारने अछि। पछिला बरख कंपनी महाराष्ट्र में 999 रुपय्या में सस्ता वाटर प्यूरीफायर अनने छल। टाटा केमिकल्स के एमडी आर मुकुंदन के कहब छन्हि जे एहि उत्पाद के बाजार में आनए सं घरेलू स्तर पर बड़ पैमाना पर लोक सभ के स्वच्छ पेयजल उपलब्धता भ जएतैक। एकरा भंडारण के लेल इस्तेमाल होमए बला कोनहु बर्तन में फिट कएल जा सकैत छैक।