अपनेक स्वागत अछि।

Monday, July 12, 2010

मेरा नाम करेगी रौशन

ज़ीटीवी पर आई सं मेरा नाम करेगी रौशन नामक धारावाहिक शुरु भ रहल अछि। धारावाहिक में मुख्य रोल रीत(साना शेख द्वारा अभिनीत) के छैक जे रामक समान,अपन पिताक देहान्तक बादो अपन पिताक प्रतिष्ठा बनओने रहैत छैक। ई धारावाहिक अयोध्याक निकट सम्मानपुर नामक छोट-छिन शहरक छैक । रीत एहि ठाम अपन जमींदार पिता वीर प्रताप सिंह के संग रहैत अछि। गाम में वीर प्रताप सिंहक छवि ओहने छन्हि जेहन अपन समय में राजा दशरथ के छलन्हि- पिता तुल्य। मुदा हुनकर दुनू बेटा कुंवर कुलदीप आ राजवीर बुझू जेना रावण निकलि गेल। बेटा सभहक कारगुजारी सं दुखी वीर प्रताप जी के देहान्तक पछाति पता चलैत अछि जे ओ अपन अंतिम संस्कारक अधिकार बेटा सं छीनिकए रीत सं करएबाक इच्छा व्यक्त कएने रहथि। रीत एहि इच्छाक सम्मान करए चाहैत छैक-ई जनितो जे एकर प्रतिक्रिया केहन हेतैक। दुनू भाए संग बहिन के वाक्युद्ध शुरु भ जाइत छैक मुदा भाउज सभ पर जीत अंततः रीत के होइत छैक। मुदा असली खेल ओकर बाद शुरू होइत छैक। तीनू जनानी दुनू पुरूष सं संघर्ष करैत छथि आ लंका के जरा कए राख क दैत छथि। धारावाहिक इएह संदेश दैत अछि जे आखिरकार असत्य पर सत्यक विजय होइते छैक।
धारावाहिक केर प्रसारण राति साढे 10 बजे सं हएत।