अपनेक स्वागत अछि।

Monday, July 19, 2010

एनडीटीवी इमेजिन पर रक्त संबंध

आई सं एनडीटीवी इमेजिन पर रक्त संबंध नामक धारावाहिक शुरू भ रहल अछि। ई धारावाहिक पाँच बहिन के कथा छैक । सभहक विवाह भ चुकल छैक मुदा तइयो सभ गोटे अपन-अपन परिस्थितिक दायरा में रहितो जीवन आओर नीक करबाक लेल हरसंभव कोशिश करैत छैक। धारावाहिक के पहिल एपिसोड में पिता अपन सभ बेटी के परिचत दैत छथि। अवसर छैक सभ सं छोटकी बेटी-संध्या के विवाहक। संध्या नेत्रहीन छैक मुदा तकदीर साथ दैत छैक आ ओकर विवाह भ रहल छैक ग्वालियर के युवराज जागीरदार सं। की ई सभ सहज छैक आ कि एकर पाछू कोनो चक्रचालि काज क रहल छैक? जनबाक लेल सोम सं शुक्र तक राति दस बजे देखल करू-रक्त संबंध।