मध्यप्रदेश मे,सुदूर अंचल में रहनिहार ग्रामीण आ खासकए जनजातीय लोक सभ आब अपन बात आसानी सं रेडियो के माध्यम सं कहि सकेताह। ओ रेडियो सं प्रसारण लेल कार्यक्रमो स्वयं बनाओताह आ प्रसारणो हुनके बोली मे कएल जाएत। 5 अप्रील कए,मध्यप्रदेशक आदिम जाति कल्याण विभाग के उपक्रम वन्या के प्रबंध संचालक श्रीराम तिवारी का भोपाल मे होटल अशोका लेक व्यू में वन्या आ यूएनएफपीए द्वारा आयोजित सामुदायिक रेडियो केंद्र के प्रोग्राम निर्माता, कलाकार आ आलेख लेखक के प्रशिक्षण कार्यक्रम के उद्घाटन समारोह में कहलनि कि देश में पहिल बेर कम्युनिटी रेडियो के भागीदारी सुनिश्चित कएल जा रहल अछि। प्रशिक्षण कार्यक्रम मे, मातृ मृत्यु दर मे कमी आनबाक लेल,संस्थागत प्रसव कें बढ़ावा देबा लेल आ परिवार नियोजन आदि गंभीर विषय पर चर्चा भेल। यूएनएफपीए के स्टेट प्रोग्राम आफिसर तेजराम जाट प्रशिक्षण कार्यक्रम देया कहलनि कि एहन कम्युनिटी रेडियो प्रोग्राम बनाएल जएबाक चाही जाहि सं ग्रामीण महिलालोकनि मे स्वास्थ्य के प्रति जागरूकता बढ़ए आ ओ सभ सरकारी योजनाओं कें लाभ उठा सकथि।
Thursday, May 06, 2010
टीवी चैनल के सर्च इंजन-"ह्वाट्स ऑन इंडिया" लांच
देश के पहिल टीवी गाईड चैनल लांच भ गेल अछि। एकर सुविधा ई छैक जे आब अपन मनपसंद के कार्यक्रम देखए लेल ने तं समय कें ध्यान राखब जरूरी रहि जाएत आ ने बेर-बेर रिमोट सं चैनल बदलबाक आवश्यकता। आब अहां कें अपन पसंदीदा कार्यक्रम कें जानकारी पहिनहि भेट जाएत । एतबे नहि,ई-मेल आ मोबाइल पर एकर मैसेज सं अलर्ट सेहो कएल जाएत। ई संभव भेल अछि व्हाट्स ऑन इंडिया चैनल के शुरुआत सं जे टेलीविजन पर कार्यक्रमक जानकारी लेबए लेल प्रारम्भ कएल गेल छैक। व्हाट्स ऑन इंडिया के चैनल हेड शालिनी बहल 5 अप्रील कए भोपाल मे कहलनि जे एहि टीवी गाइड चैनल सं देशभरिक दर्शक कें टेलीविजन देखबाक नव अनुभव भेटतनि। एखन, चैनल अधिकांश डिजिटल प्लेटफार्म पर अंग्रेजी में ईपीजी (इलेक्ट्रानिक प्रोग्रामिंग गाइड) स्क्रॉल के माध्यम सं होइत छल मुदा आब ई सुविधा एयरटेल डीटीएच के संग एकर ईपीजी पर हिंदी में सेहो उपलब्ध हएत। ई चैनल तेजी सं लोकप्रिय भ रहल अछि। एहि मे रिमाइंड मी विकल्प के तहत दू तरहक रिमाइंडर सेट कएल जा सकैत अछि। टीवी के दर्शक कें शो के प्रसारण सं 15 मिनट पूर्व मोन पड़एबाक सुविधा छैक। एक आन विकल्प ई छैक जे एहि तरहक सूचना दो दिन पूर्व एसएमएस अथवा ईमेल सं लिअ। रिपीट टेलीकास्ट के वास्ते एहि सुविधा कें अपडेट सेहो कएल जा सकैत छैक अथवा ओकरा हटाओल जा सकैत छैक । रिमांइडर सेवा वेबसाइट, फेसबुक आ मोबाइल -सभ पर उपलब्ध अछि । एकदम अपडेटेड टीवी शेड्यूल वेबसाइट पर सेहो देख सकब।Wednesday, May 05, 2010
महिला ट्वेंटी-ट्वेंटी क्रिकेट विश्वकप शुरू। कार्यक्रम नोट करू
महिला ट्वेंटी-ट्वेंटी विश्वकप आइ सं वेस्टइंडीज मे शुरू भ रहल अछि। टूर्नामेंट 16 मई तक चलत। एहि मे आठ टीम हिस्सा ल रहल अछि। ग्रुप-ए मे इंग्लैंड,आस्ट्रेलिया,वेस्टइंडीज आ दक्षिणअफ्रीका अछि। ग्रुप-बी मे न्यूजीलैंड,पाकिस्तान,श्रीलंका आ भारत अछि। पछिला बेर ई कप इंग्लैंड जीतल छल आ न्यूजीलैंड उप-विजेता छल।5 मईः वेस्टइंडीज-द.अफ्रीकाक-शाम 7.30 बजे
5मईः इंग्लैंड-आस्ट्रेलिया-रात्रि 11.30 बजे
6मईः श्रीलंका-पाकिस्तान-शाम 7.30 बजे
6 मईः न्यूजीलैंड-भारत-रात्रि 11.30 बजे
7 मईः आस्ट्रेलिया-द.अफ्रीका-शाम 7.30 बजे
7 मईः इंग्लैंड-वेस्टइंडीज-रात्रि 11.30 बजे
8मईः भारत-पाकिस्तान-शाम 7.30 बजे
8 मईः न्यूजीलैंड-श्रीलंका-रात्रि 11.30 बजे
9 मईः इंग्लैंड-द.अफ्रीका-शाम 7.30 बजे
9 मईः आस्ट्रेलिया-वेस्टइंडीज-रात्रि 11.30 बजे
10 मईः न्यूजीलैंड-पाकिस्तान-शाम 7.30 बजे
10 मईः भारत-श्रीलंका-रात्रि 11.30 बजे
13 मई-सेमीफाइनल-रात्रि 1.30 बजे
14 मई-सेमीफाइनल-रात्रि 1.30 बजे
16 मई-फाईनल-रात्रि 1.30 बजे
Tuesday, May 04, 2010
"कहू त"(13) के परिणाम
"कहू त" श्रृंखला केर तेरहम प्रश्न छल:
" जनक केर पुष्पवाटिका मधुबनी जिलाक कोन गाम में मानल जाइत छैक ?"
विकल्प छलः
1. फुलहर
2. बहेड़ा
3. दड़िमा
4. बेलाराही
प्राप्त उत्तर मे सं पचास प्रतिशत फुलहर के पक्ष मे छल आ पचास प्रतिशत बेलाराही के पक्ष मे। सही उत्तर अछि-फुलहर।
" जनक केर पुष्पवाटिका मधुबनी जिलाक कोन गाम में मानल जाइत छैक ?"
विकल्प छलः
1. फुलहर
2. बहेड़ा
3. दड़िमा
4. बेलाराही
प्राप्त उत्तर मे सं पचास प्रतिशत फुलहर के पक्ष मे छल आ पचास प्रतिशत बेलाराही के पक्ष मे। सही उत्तर अछि-फुलहर।
कालिदास रंगालय मे "विद्यापति"

काल्हि पटना कें कालिदास रंगालय मे, संगीत नाटक अकादमी, नई दिल्ली द्वारा प्रायोजित भरत-भारती नृत्य नाट्य संस्था द्वारा अरूण सिन्हा के स्मृति मे नृत्य नाटिका विद्यापति के मंचन कएल गेल। दू दिनक एहि इस नृत्य नाटिका के माध्यम सं, महाकवि विद्यापति कें बहुआयामी व्यक्तित्व के देखाओल जा रहल छैक। स्व.अरूण सिन्हा लिखित एहि नाटिका के निर्देशन गौतम घोष कएने छथि। संगीत निर्देशन छन्हि मनोरंजन ओझा कें। विद्यापति कें भूमिका मे छथि नीलेश्र्वर मिश्र । हिंदुस्तान के रिपोर्ट देखूः
Monday, May 03, 2010
ज्योतिषी कें चुनौतीः23 मे सं एकहुटा शर्त पूरा करू,लाखों रूपैया के इनाम जीतू
तर्कशील सोसायटी कें पंजाब जोन के जत्थेबंदक मुखी जरनैल क्रांति काल्हि मोहाली मे कहलनि कि ज्योतिष आ वास्तुशास्त्र पर पाबंदी लगा देबाक चाही। ओ आरोप लगओलन्हि कि केंद्र सरकार एहि दुनू चीज पर रोक नहि लगाबए चाहैत अछि। उल्लेखनीय अछि जे पछिले हफ़्ता,मुंबई हाईकोर्ट में ज्योतिषी आ वास्तु शास्त्र पर रोक लगएबाक मांग संबंधी एक जनहित याचिका कें कोर्ट ठुकरा देने अछि। क्रांति के तर्क छन्हि जे एहि केस में वैज्ञानिक आधार पर केंद्र सरकार कें अपन राय हाईकोर्ट के देबाक चाहै छल। परन्तु, केंद्रीय डिप्टी ड्रग कंट्रोलर डा. आरएम कृष्णा कहि देलनि जे ज्योतिषशास्त्र आ संबंधित विज्ञान चारि हजार वर्ष पुरान अछि,तें एहि पर रोक नहि लगाओल जा सकैछ। क्रांति कें कहब छन्हि जे जं ज्योतिष आ वास्तुशास्त्र विज्ञान अछि तं तर्कशीललोकनिक चैलेंज कें स्वीकार करबाक चाही। ओ कहलनि जे विज्ञान कें जनता के उपस्थिति में प्रयोग कए सिद्ध कएल जा सकैत अछि, परन्तु पंजाब में तर्कशील सोसायटी के पास आइ धरि कोनो ज्योतिषी अपन विज्ञान कें प्रयोग द्वारा सिद्ध नहि क सकल अछि। स्वयं कें ज्योतिषी कहनिहारलोकनि आम जनता के कचहरी में आबि कए तर्कशील सोसायटी के 23 शर्त मे सं कोनो एकहुटा पूरा क कए अथवा कोनो चमत्कार देखा कए लाखों रुपया ईनाम जीत सकैत अछि।
साथ निभाना साथिया
स्टार प्लस पर आई सं साथ निभाना साथिया धारावाहिक शुरु भ रहल अछि। सासु-पुतहु के संबंध पर आधारित एहि धारावाहिक मे,सरल स्वभाव केर गोपी के माध्यम सं कथा आगू बढैत छैक। गोपी के पालन-पोषण मातृक मे होइत छैक। मामा तं ठीक मुदा मामी कें दुर्व्यवहारक कारणें गोपी कें माए के प्रेम नहि भेट पबैत छैक। गोपी अशिक्षित रहि जाइत छैक। आब ओकर जीवन मे एकहिटा स्वप्न छैक जे ओकर पति आ सासु स्नेही होए।दोसर दिस छैक कोकिलाबेन जे पुतहु पर शासन करबाक स्वप्न देखैत अछि। ओकर बेटा अहम अपन माए कें पूर्ण नियंत्रण में अछि। अहम के मातहत एक कर्मचारी छैक-जिगर । बड्ड नीक आ सहज। जिगर ने तं अहम सन महत्वाकांक्षी अछि आ ने अहंकारी। ओकर माए छैक-हेतल। कोकिलाबेन आ हेतल दुनू के सासु छथि-बा। बाकी सभ गोटे तं बा कें सम्मान करैत छैक मुदा कोकिलाबेन ओकर अनदेखी कए अपन मनमानी करैत रहैत छैक।
धारावाहिक के प्रारम्भ होइत छैक कोकिलाबेन कें पुत्रवधू तलाश सं। ओकरा चाही एहन साधारण बहु जे हुनकर शासन मे रहि सकए। ई तलाश गोपी पर आबि कए समाप्त होइत छैक।
ओम्हर,गोपी के बहिन राशि जोड़-तोड़ कए जिगर सं बियाह क लैत अछि। राशि के एकहि टा उद्देश्य छैक-अपन सरल स्वभाव सासु हेतल आ पति पर शासन करब। सासुर में अएलाक उपरांत गोपी आ राशि के समय केना बीतैत छैक आ गोपी कें, सासु मे अपन माए भेट पबैत छैक कि नहि,इएह अछि एहि सीरियल के लब्बोलुआब।
धारावाहिक केर प्रसारण सोम सं शुक्र धरि सांझ सात बजे सं हएत।
कायस्थ अदालत में विकास पर जोर
काल्हि पटना कें भारतीय नृत्यकला मंदिर में कायस्थ अदालत केर आयोजन भेल। एहि अवसर पर कायस्थ चित्रगुप्त सेना के वक्तालोकनि युवा सभहक आर्थिक विकास कें विकल्प पर चर्चा कएलनि। अध्यक्ष अखिलेश कुमार श्रीवास्तव कहलनि जे कायस्थ समाज कें बच्चा सभ कें रोजगारपरक शिक्षा देमए पड़तैक आ जं ई नहि भेल तं कायस्थलोकनि कें, गामक बाद आब शहरो छोड़िकए जाए पड़तनि। कार्यक्रम मे एहि बात पर सहमति बनल जे एकजुट रहिए कए परिवारक आर्थिक विकासक संगहि सामाजिक, शैक्षणिक आ समाज मे पसरल कुरीति सभ कें दूर कएल जा सकैत अछि। पूर्व विकास आयुक्त शंकर शरण कें कहब रहनि कि कायस्थ के जाति सं नहि बल्कि गुण सं चीन्हल जाइत छैक। इस अवसर पर झारखंड के पूर्व आरक्षी महानिरीक्षक टीपी सिन्हा कें प्रशासन, अरुण सिन्हा कें व्यवसाय, पत्रकारिता क्षेत्र में ब्रजनंदन, माधव सिन्हा कें समाज सेवा, लेखन क्षेत्र में सुधा कर्ण, कविता के लेल चक्रधर प्रसाद आर कृष्ण मोहन, साहित्य के क्षेत्र मे विपिन बिहारी नंदन, चिकित्सा के क्षेत्र में हड्डी रोग विशेषज्ञ केएल लाल, इतिहास के क्षेत्र मे उल्लेखनीय कार्य लेल प्रो. युवा देव प्रसाद आदि कें सम्मानित कएल गेल। मंच संचालन सेना के महासचिव आशुतोष नारायण सिन्हा,अतिथि सभहक स्वागत हरिहर सिन्हा आ धन्यवाद ज्ञापन रविनंदन सहाय निपू कएलनि।
नव पेंशन योजना लागू भेल
भारत सरकार के नव पेंशन योजना आम जनता लेल खुजि गेल अछि। पेंशन फंड नियामक व विकास प्राधिकरण एकर कार्यान्वयन लेल डाक विभाग कें अधिकृत कएने अछि। बिहार के विभिन्न जिला मे स्थापित 31 मुख्य डाकघर में ई सुविधा सुविधा 30 अप्रैल सं आरंभ भ गेल। एहि पेंशन योजना मे, आवेदक कें एक स्थाई रिटायरमेंट अकाउंट नंबर देल जएतैक जाहि सं पेंशन खाता कें जानकारी भेटतैक। एहि लेल 18 सं 55 साल धरिक लोक सभ डाकघर मे परिचय, पता आ उम्र संबंधी कागजात के साथ आवेदन क सकैत छथि । एकटा फोटो सेहो लागत । पेंशन स्कीम के तहत आवेदक इक्विटी, कारपोरेट बांड आ सरकारी प्रतिभूति में सं ककरहु चयन क सकताह।
Sunday, May 02, 2010
ईएसआई आ ग्रैच्युटी के दायरा बढ़ल
सरकार उद्योग में कार्यरत कर्मचारी सभ कें स्वास्थ्य सुविधा देबा लेल कर्मचारी राज्य बीमा निगम (ईएसआई) कें दायरा बढ़ा देने अछि। आब 15 हजार रुपय्या मासिक तक वेतन पओनिहार कर्मचारी ईएसआई के लाभ ल सकताह। ई सुविधा काल्हि एक मई सं लागू भ गेल अछि। पहिने ई सुविधा छह हजार रुपया तक मासिक वेतन पओनिहार धरि सीमित रहए। ओकर बाद,किछु बरख पूर्व, एकर सीमा बढ़ाकए दस हजार रुपया कएल गेल छल। एकटा आओर खुशखबरी ई अछि जे आब निजी क्षेत्र में नौकरी करनिहारलोकनि अपन नियोक्ता सं ग्रेच्युटी पएबाक हकदार सेहो भ गेल छथि। केंद्र सरकार देश के करीब 20 लाख निजी छोट-पैघ स्तर के शिक्षक कें एहि अधिनियम के दायरा में आनिकए सभ निजी कर्मी सभहक लेल ग्रेच्युटी सुविधा अनिवार्य क देने अछि जे एखनि धरि एहि सं वंचित छलाह।
मई,2010 कें पाबनि-तिहार
1 मई: संकष्टी श्रीगणेश चतुर्थी व्रत
6 मई: कालाष्टमी व्रत, शीतलाष्टमी
9 मई: पुरुषोत्तमी कमला एकादशी व्रत
11 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु)
12 मई: मासिक शिवरात्रि व्रत
13 मई: श्राद्ध केर अमावस्या
14 मई: स्नान-दान केर अमावस्या, मलमास समाप्त
15 मई: वृष-संक्रान्ति केर पुण्यकाल प्रात: 10.11 बजे तक,गोदावरी-स्नान, नवीन चन्द्र-दर्शन
16 मई: अक्षय तृतीया
17 मई: वरदविनायक चतुर्थी व्रत, बगलामुखी जयंती
19 मई: चंदनषष्ठी
20 मई: गंगा सप्तमी-गंगा जयंती, मध्याह्न मे गंगा-पूजा
21 मई: श्रीदुर्गाष्टमी व्रत, श्रीअन्नपूर्णाष्टमी व्रत, बगलामुखी महाविद्या जयंती,
22 मई: मैथिली दिवस, सीतानवमी व्रत, जानकी जयंती महोत्सव,
24 मई: विजया एकादशी व्रत, मोहिनी एकादशी व्रत, रुक्मिणी द्वादशी,
25 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु),
26 मई: नृसिंह चतुर्दशी व्रत, नृसिंहावतार जयंती, छिन्नमस्ता महाविद्या जयंती,
27 मई: स्नान-दान-व्रत के वैशाखी पूर्णिमा, बुद्ध पूर्णिमा, गन्धेश्वरी पूजा (बंगाल), वैशाख स्नान-नियम पूर्ण
31 मई: संकष्टी श्रीगणेश चतुर्थी व्रत
एहि मासक राशिवार शुभ-अशुभ तिथि
मेष राशि
शुभ तिथि :- 2,4,5,7,9,10,11,23,25,29,30
अशुभ तिथि :- 6,13,15,16,18,19,20
वृषभ
शुभ तिथि :- 1,5,11,17,18,21,23,26,28,29
अशुभ तिथि :-3,12,22,24,27,30,31
मिथुन
शुभ तिथि:-1,6,11,16,19,25,27,31
अशुभ तिथि:-8,10,18,22,26,30
कर्क राशि
शुभ तिथि:- 13,21,22,25,26,29,31
अशुभ तिथि:- 6,8,10,11,14,17,18,19
सिंह राशि
शुभ तिथि:-4,5,7,9,26,27,29,30
अशुभ तिथि:-3,8,12,13,16,18,21,22
कन्या
शुभ तिथि:6,17,22,24,25,26,27
अशुभ तिथि:3,6,7,8,10,13,14,20,21
तुला
शुभ तिथि:-1,10,14,15,16,19,30
अशुभ तिथि:9,16,18,20,26,29
वृश्चिक
शुभ तिथि:-10,18,19,20,25,26,27
अशुभ तिथि:-2,3,4,11,12,16,30,31
धनु
शुभ तिथि:6,13,17,19,20,23,25,30,31
अशुभ तिथि:3,8,11,16,26,28
मकर
शुभ तिथि:-6,9,15,20,22,24,29
अशुभ तिथि:- 3,8,13,16,18,23
कुम्भ
शुभ तिथि:-1,2,5,14,15,16,27,30
अशुभ तिथि:- 6,7,8,18,21,22,23
मीन
शुभ तिथि:2,8,18,24,27,28
अशुभ तिथि:-3,7,19,21,26,31
6 मई: कालाष्टमी व्रत, शीतलाष्टमी
9 मई: पुरुषोत्तमी कमला एकादशी व्रत
11 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु)
12 मई: मासिक शिवरात्रि व्रत
13 मई: श्राद्ध केर अमावस्या
14 मई: स्नान-दान केर अमावस्या, मलमास समाप्त
15 मई: वृष-संक्रान्ति केर पुण्यकाल प्रात: 10.11 बजे तक,गोदावरी-स्नान, नवीन चन्द्र-दर्शन
16 मई: अक्षय तृतीया
17 मई: वरदविनायक चतुर्थी व्रत, बगलामुखी जयंती
19 मई: चंदनषष्ठी
20 मई: गंगा सप्तमी-गंगा जयंती, मध्याह्न मे गंगा-पूजा
21 मई: श्रीदुर्गाष्टमी व्रत, श्रीअन्नपूर्णाष्टमी व्रत, बगलामुखी महाविद्या जयंती,
22 मई: मैथिली दिवस, सीतानवमी व्रत, जानकी जयंती महोत्सव,
24 मई: विजया एकादशी व्रत, मोहिनी एकादशी व्रत, रुक्मिणी द्वादशी,
25 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु),
26 मई: नृसिंह चतुर्दशी व्रत, नृसिंहावतार जयंती, छिन्नमस्ता महाविद्या जयंती,
27 मई: स्नान-दान-व्रत के वैशाखी पूर्णिमा, बुद्ध पूर्णिमा, गन्धेश्वरी पूजा (बंगाल), वैशाख स्नान-नियम पूर्ण
31 मई: संकष्टी श्रीगणेश चतुर्थी व्रत
एहि मासक राशिवार शुभ-अशुभ तिथि
मेष राशि
शुभ तिथि :- 2,4,5,7,9,10,11,23,25,29,30
अशुभ तिथि :- 6,13,15,16,18,19,20
वृषभ
शुभ तिथि :- 1,5,11,17,18,21,23,26,28,29
अशुभ तिथि :-3,12,22,24,27,30,31
मिथुन
शुभ तिथि:-1,6,11,16,19,25,27,31
अशुभ तिथि:-8,10,18,22,26,30
कर्क राशि
शुभ तिथि:- 13,21,22,25,26,29,31
अशुभ तिथि:- 6,8,10,11,14,17,18,19
सिंह राशि
शुभ तिथि:-4,5,7,9,26,27,29,30
अशुभ तिथि:-3,8,12,13,16,18,21,22
कन्या
शुभ तिथि:6,17,22,24,25,26,27
अशुभ तिथि:3,6,7,8,10,13,14,20,21
तुला
शुभ तिथि:-1,10,14,15,16,19,30
अशुभ तिथि:9,16,18,20,26,29
वृश्चिक
शुभ तिथि:-10,18,19,20,25,26,27
अशुभ तिथि:-2,3,4,11,12,16,30,31
धनु
शुभ तिथि:6,13,17,19,20,23,25,30,31
अशुभ तिथि:3,8,11,16,26,28
मकर
शुभ तिथि:-6,9,15,20,22,24,29
अशुभ तिथि:- 3,8,13,16,18,23
कुम्भ
शुभ तिथि:-1,2,5,14,15,16,27,30
अशुभ तिथि:- 6,7,8,18,21,22,23
मीन
शुभ तिथि:2,8,18,24,27,28
अशुभ तिथि:-3,7,19,21,26,31
Saturday, May 01, 2010
स्टार प्लस पर ज़रा नच के दिखा शुरू
स्टार प्लस पर आइ सं ज़रा नच के दिखा शुरू भ रहल अछि। एहि मे मसक्कली गर्ल्स आ मस्त कलंदर ब्वॉयज के जोश आ जुनून के मुकाबला देख सकब। कार्यक्रम मे,तीन राउंड राखल गेल छैक। आइ पहिल एपिसोड मे,खल्लास राउंड मे अभिषेक अवस्थी आ संजीदा के जुगलबंदी देखब। एहि राउँड मे एक दोसर के पछाड़ब उद्देश्य रहतैक। विवेल डिओ राउँड मे, दुनू ग्रुप के संयुक्त प्रस्तुति रहतैक। एहि राउंड मे आई आमिर आ रश्मि देसाई के परफार्मेंस हएत। तेसर राउँड अर्थात् ग्रुप एक्ट मे,लड़का आ लड़की के ग्रुप अपन ग्रुप के जितएबाक लेल परफॉर्म करत। पहिल राउंड मे सभसं चौंकबए वला परफार्मेंस ऊ हएत जखन अभिषेक अवस्थी के मोकाबला राखी सावंत सं हएत। कार्यक्रमक प्रसारण प्रत्येक शनि आ रवि कए राति नौ बजे सं हएत।
Subscribe to:
Posts (Atom)




