अपनेक स्वागत अछि।

Friday, November 20, 2009

बिहार में हिंदी लेल आंदोलन

जहि बिहार में अंग्रेजी आई सबसं पैघ समस्या छैक,ओहि ठाम पता चलल अछि जे आस्ते-आस्ते बड्ड काज अंग्रेजी में होमय लागल छैक। एतेक जे आंदोलन केर नौबति आबि रहल छैक। दैनिक जागरण में 16 नवम्बर केर पटना संस्करण में प्रकाशित खबरक मोताबिक,लोजपा के पटना महानगर इकाई हिन्दी के सम्मानक लेल आंदोलन करत। पटना महानगर लोजपा अध्यक्ष कमाल परवेज के शिकायत छन्हि जे तमाम निजी कंपनी सभ में राष्ट्रभाषा हिन्दी के प्रयोग नहिं भ रहल छैक। ई राष्ट्रभाषेटा के नहि, सम्पूर्ण राष्ट्रक अपमान थिक। लोजपा एकरा बर्दाश्त नहिं करत। तमाम कंपनी सभहक कार्यालय में जाकए पार्टी कार्यकर्तालोकनि शांतिपूर्वक समझएबाक प्रयास करए जेताह। बात बनि गेल त ठीक आ नहिं त लोजपा उग्र आंदोलन करत। शुरुआत 16 नवम्बर सं हएत। ओहि दिन लोजपा पटना महानगर के कार्यकर्तालोकनि तमाम आफिस में जाकए एहि बातक जांच करए जेता जे ओहिठाम हिन्दी के इस्तेमाल भ रहल छैक वा नहिं? जहिठाम हिन्दी केर सम्मान नहिं हएत,ओहि कार्यालय में पार्टी कार्यकर्ता 25 नवम्बर कए गांधी मैदान स्थित गांधी मूर्ति के पास सं मार्च निकाल ओहि कार्यालय तक जुलूस निकालताह। ज्ञातव्य जे ई आंदोलन ओ पार्टी क रहल अछि जकर शीर्षस्थ नेता केर हिंदी देश भरि में उपहासक विषय बनैत रहल अछि।