अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, November 03, 2009

बिहार में सूचना लेब आब हएत आओर मोसकिल

एम्हर अपने लोकनि मारिते खबरि पढ़ने हएब जे केना बिहार में सूचना अधिकार कानूनक अंतर्गत सूचना मंगनिहार लोकनि के परेशान कएल जा रहल छन्हि।बेसी गोटे पर फर्जी मोकदमा क देल जाइत छैक आ बेसी लड़ला सं जेल तक पठएबाक कतेको उदाहरण अछि। राज्य सरकार बड्ड गप्प हंकैत छल जे सूचना नहिं देनिहार के ई कएल जाएत त ऊ कएल जाएत ।मुदा 03 नवम्बर,2009 केर हिंदुस्तान अखबार में छपल खबरि पर विश्वास करी,त राज्यो सरकार अपन तंत्रेक समर्थन करैत बूझि पड़ैत छथि। सौंसे खबरि स्वयं पढि़ आइडिया लगाऊ जे अबए वाला समय केहन होयतः