अपनेक स्वागत अछि।

Monday, December 13, 2010

पृथक् मिथिला राज्य वास्ते जंतर-मंतर पर रैली

अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के तत्वावधान में पृथक मिथिला राज्यक मांग केर  समर्थन मे आई मैथिललोकनि जंतर-मंतर पर रैली कएलन्हि। एहि मे देश भरि सं आएल मिथिला राज्य समर्थक लोकनिक कहब रहनि जे केंद्र आ राज्य सरकारक उपेक्षा कें कारणें राज्य के लोक अभाव में दिन काटि रहल अछि।
संघर्ष समिति के संयोजक विनोद राज कें कहब रहनि जे देश कें आजाद  भेल एतेक बरख भेलाक बादो,मिथिलाक हालति दयनीय बनल छैक। केंद्र  आ राज्य सरकारक उपेक्षित व्यवहारक कारणें ओकर ई  हालत भेल छैक। आब हालत ई भ गेल अछि जे मिथिला कें पढ़ल-लिखल युवक आन राज्य मे पलायन करबाक लेल विवश अछि आ ओतए जा कए छोटछिन नौकरी-चाकरी कए जीवन गुजारि रहल अछि।
राज कें कहब छलन्हि जे कटिहार के जूट मिल, पेपर मिल, चीनी मिल, फर्टिलाइजर सन-सन  आनो कंपनी सभ बंद पड़ल अछि। एहन स्थिति मे,ओहि ठाम आन उद्योग स्थापित कोना हएत। सभा कें डॉ. बीके झा, प्रो. अमरेंद्र झा, योगानंद शास्त्री, सुनील सिंह, प्रसन्न मोहन, अवधेश, रविंद्र पासवान, मुजीबुर्र रहमान, गनपति झा, अरविंद पाठक आ सुनील तिवारी सेहो संबोधित कएलनि।