अपनेक स्वागत अछि।

Sunday, December 19, 2010

अंतरराष्ट्रीय ज्योतिष सम्मेलन 25 सं

जोधपुर स्थित अक्षय ज्योतिष अनुसंधान केन्द्र के रजत जयन्ती के अवसर पर ज्योतिष, वास्तु, खगोल, यंत्र मंत्र आर तन्त्र पर अंतरराष्ट्रीय ज्योतिष सम्मेलन आयोजित कएल जा रहल अछि। राजस्थान पत्रिका मे प्रकाशित ख़बरि केर अनुसार, केन्द्र अध्यक्ष पंडित कमलेश कुमार दवे काल्हि कहलन्हि जे 25 दिसम्बर सं शुरू  भ रहल दू दिनक ई सम्मेलन गांधी शांति प्रतिष्ठान केन्द्र में हएत। एहि मे दक्षिण अफ्रीका, मलबर्न आ डेनमार्क समेत देश भरि सं करीब 150 प्रतिष्ठित ज्योतिषीलोकनि शामिल हएताह।
सम्मेलन मे वेद आ सामान्य जीवन मे वास्तुशास्त्रक महत्व, ज्योतिष में वास्तु-महत्व, वास्तु आ रोग आर तकर निवारण, वास्तु विधि सं भवन, फैक्ट्री, आ दोकान केर निर्माण, यंत्र,मंत्र आ तंत्र मे वास्तु केर स्थान, हस्त रेखा ज्योतिषशास्त्र मे रत्न केर प्रमाद, खगोल, अंतरिक्ष वर्तमान स्थिति आ वैज्ञानिकोलोकनिक खोज आर ज्योतिष तथा चिकित्सा पर शोध पत्र प्रस्तुत कएल जाएत।
सम्मेलन केर उद्घाटन राजस्थान उच्च न्यायालय के न्यायाधीश गोपाल कृष्ण व्यास करताह। अध्यक्षता जयनारायण व्यास विवि के कुलपति नवीन माथुर करताह। सम्मेलन के दौरान प्रस्तावित प्रदर्शनी मे तन्त्र, मंत्र और यंत्र सभकें प्रदर्शित कएल जाएत।