अपनेक स्वागत अछि।

Friday, March 05, 2010

बिहार मे नव कर्मचारी पेंशन योजना

बिहार सरकार कर्मचारी सभहक लेल काल्हि सं नव पेंशन योजना शुरू क देलक। एकर फायदा राज्य कें २५ हजार कर्मचारी कें भेटतनि। योजनांतर्गत,सितम्बर २००५ सं कर्मचारी सभकें अंशदान सरकारी कोष में राखल जा रहल छैक ।अगिला वित्त वर्ष सं एनपीएस ट्रस्ट कें राशि स्थानांतरण केर कार्रवाई शुरू क देल जेतैक।बिहार एहि योजना कें शुरू करएवला अग्रणी राज्य में सं अछि।

वर्ष २००४ कें पूर्व, पुरान पेंशन योजना लागू छल जाहि मे कर्मचारी कें पेंशन आर ग्रैच्युटी भेटैत छल । वर्ष २००४ सं केंद्र सरकार द्वारा नव पेंशन योजना लागू कएल गेल छल जकर अंतर्गत कर्मचारियों कें १० फीसदी पेंशन योजना के लेल अंशदान करए पड़तनि । सरकारो ओतबे राशि जमा करत। एहि राशि कें निवेशित कए कर्मचारी कें एकमुश्त भुगतान आर मासिक पेंशन देल जएतैक ।
(नई दुनिया,दिल्ली,5.3.10 मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)

प्रसादक स्थान पर बरसल मौत


(कृपालुजी महाराज जे दुर्घटनाक बाद आश्रम सं चलि गेलाह)
काल्हि उत्तरप्रदेश केर प्रतापगढ मे,कृपालु जी महाराज केर आश्रम मे मचल भगदड़ मे 61 लोक मारल गेलाह। 200 सं बेसी घायल छथि जाहि मे सं 50 केर हालत गंभीर छैक। मृतक मे 20 महिला आ 35 बच्चा शामिल छैक।

(चित्र आ आंकड़ा नई दुनिया,दिल्ली संस्करण,5 मार्च,2010 अंक सं)




















दिल्ली मे हवाईअड्डा पार्किंग किराया वृद्धि वापस

इंदिरा गांधी अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा(आईजीआई) पर बढ़ल पार्किंग किराया ने वापस ल लेल गेल अछि। दिल्ली इंटरनेशनल एयरपोर्ट लि(डायल)फरवरी में टर्मिनल-दो कें स्टाफ पार्किंग किराया बढ़ा देने छल। कर्मचारी सभहक दबावक कारणें डायल किराया वृद्धि वापस लेबा पर सहमत भेल।
किराया दू फरवरी कए बढाओल गेल छल। चारि चक्का बला गाड़ी कें किराया २५० सं बढ़ाकए ५०० रुपय्या आर दुपहिया वाहन केर किराया १२५ रुपय्या प्रति माह सं बढाकए २५० रुपय्या क देने छल। आब ई किराया पूर्ववत् भ जाएत।
आईजीआई पर एयरलाइंस, हैंडलिंग एजेंसी, कस्टम, आव्रजन, विभिन्न तरह के आउलटलेट, ड्यूटी फ्री शॉप आदि में दू हजार सं बेसी कर्मचारी काज करैत छैक।

गूगल पर दिल्ली मेट्रो सूचना फ्री


गूगल ट्रांजिट पर आब दिल्ली मेट्रो सं जुड़ल सभ तरहक सूचना उपलब्ध हएत।दिल्ली मेट्रो रेल निगम एहि लेल गूगल इंडिया सं करार कएलक अछि। तें,आब गूगल ट्रांजिट पर मेट्रो कें समय-सारणी सं ल कए रूट धरिक जानकारी उपलब्ध हएत। जाहि मोबाइल पर गूगल मैप कें सुविधा छैक,तहू मे दिल्ली मेट्रो संबंधी सूचना ल सकब- लेटेस्ट अपडेट कें साथ।
अनुमान छैक जे आगामी राष्ट्रमंडल खेल कें देखैत, एहि अनुबंध सं पर्यटकलोकनि कें फायदा हेतन्हि। गूगल ट्रांजिट केर ई सूचना निःशुल्क उपलब्ध हएत।

प्राइवेट सेक्टर मे ग्रैच्युटी सीमा 10 लाख रुपय्या

सरकार प्राइवेट सेक्टर कें कर्मचारी सभहक हित मे, ग्रेच्युटी सीमा ३.५ लाख रुपय्या सं बढ़ाकए १० लाख रुपय्या क देलक अछि। एहि संबंध मे काल्हि प्रधानमंत्री मनमोहनसिंह कें अध्यक्षता में भेल कैबिनेट केर बैठक में निर्णय लेल गेल। एहि फैसला सं, सरकारी आ निजी क्षेत्रक ग्रेच्युटी सीमा एक समान भ जाएत। एहि फैसला सं देशभरिक लगभग 5 करोड़ कर्मचारी लाभान्वित हेताह। ज्ञातव्य जे छठम वेतन आयोग केर सिफारिशक अनुसार, सरकारी क्षेत्र में ग्रेच्युटी केर सीमा बढ़ा देल गेल छल। ग्रैच्युटी कोनहु कर्मचारी कें,ओकर सेवाक एवज मे भेटएबला राशि होइत छैक। एहि मे वृद्धि करबाक मांग पछिला बरख भारतीय राष्ट्रीय ट्रेड यूनियन कांग्रेस(इंटक) कएने छल।

दिल्ली मे परसू टुस्सा आ बाझी

मैथिली-भोजपुरी अकादमी,दिल्ली लगातार सक्रिय अछि। एहि क्रम मे,अकादमीक प्रायोजन सं,दिल्लीक प्रसिद्ध सामाजिक-सांस्कृतिक संस्था मिथिलांगन 7 मार्च कए टुस्सा आ बाझी नामक मैथिली नाटक केर मंचन करए जा रहल अछि। नाटक केर लेखक छथि हमरा लग रहब सं चर्चित भेल प्रभाष कुमार चौधरी आ निर्देशक छथि मिथिलांगनक नाट्य प्रभारी संजय चौधरी जी जनिकर निर्देशन मे संस्था सोन मछरिया,नैका बनिजारा,उगना हॉल्ट,किंकर्तव्यविमूढ आ सामा-चकेबा नाटकक सफल आयोजन क चुकल अछि। समय आ स्थान देखबा लेल नीचां के मूल विज्ञापन पर क्लिक करू।

Thursday, March 04, 2010

दिल्ली मे संगीत कार्यक्रम

दिल्ली मे काल्हि सं तीन दिनक संगीत कार्यक्रम निजामुद्दीन बस्ती मे खुसरो केर मकबरा लग शुरू भ रहल अछि। कार्यक्रम अमीर खुसरो केर संगीतमय धरोहरक स्मृति में आयोजित कएल जा रहल अछि। इएह सूफी कार्यक्रम जश्न-ए-खुसरो नाम सं 10 सं 14 मार्च धरि दिल्ली केर इंडिया इंटरनेशनल सेंटर में सेहो आयोजित हएत। जश्न-ए-खुसरो में,खनकही कव्वाल आ दरगाही कव्वाल केर प्रदर्शन पर सभहक नज़रि छैक किएक तं ई दुनू अलग-अलग शैली केर कव्वाली अछि।

सूफी संगीत मे खुसरो केर योगदान लोक बिसरि रहल छथि। सूफी संगीत आइ ओहि रूप में नहि लेल जाइत छैक जाहि रूप में ओ मूलतः छल। आब तं कव्वाली सेहो हिंदी सिनेमा संग मिझरा देल जाइत छैक। चौंसठि खंभा स्मारक पर आयोजित कार्यक्रम मे कव्वाली सुनि सकब। पाकिस्तान सं आएल आमिर खुसरो केर वंशज कव्वाल बच्चे नाम सं म्यूजिकल ग्रुप चलबैत छथि जनिकर कव्वाली सुनबाक अवसर भेटत। भारत आ पाकिस्तानक आन प्रमुख कव्वाल तं रहबे करताह। ई कार्यक्रम कव्वाल परिवार कें नीक आर्थिक अवसर उपलब्ध करएबाक प्रयोजन सं सेहो आयोजित भ रहल अछि। इंडिया इंटरनेशनल सेंटर में खुसरो केर कविता-पाठ सेहो हएत।

Wednesday, March 03, 2010

मैथिली मे प्रशिक्षण लेल विज्ञापन निकलल

10 माहक ई प्रशिक्षण उएह ल सकैत छथि जनिका मैथिली कें कोनो पूर्व ज्ञान नहि हुअए
50 प्रतिशत स्थान सेवारत शिक्षक लेल आरक्षित



















(टाइम्स ऑफ इंडिया,दिल्ली,3.3.10)

Tuesday, March 02, 2010

रेणु पर आब देसी शोध


शिक्षा आ रोजगार विषयक नव समाचार

कैट परिणाम घोषित
बीपीएससी मुख्य परीक्षा परिणाम घोषित
काल्हि सं शुरू भ रहल अछि इंटरमीडिएट प्रैक्टिकल एक्जाम
आम बजट पर एक दृष्टि
रेलवे भर्ती बोर्ड,रांची मे सहायक स्टेशन मास्टरक 88 पद लेल विज्ञापन
कतेको रास आन सूचना आ विज्ञापन सभहक लेल देखूः www.maithilionline.blogspot.com

नव स्वास्थ्य समाचार

पीएमसीएच मे रेडियोलॉजी आ पैथोलॉजी जांच भेल फ्री। नवजात शिशु वार्ड सेहो खुजल।
डायबिटीज रोगी लेल रोजीग्लीटाजोन केर सेवन सुरक्षित नहि
पटना लग धनेरूआ मे बनि रहल अछि 800 बिस्तर वला अस्पताल
काल्हि सं दिल्ली मे शुरू भ रहल अछि स्वास्थ्य सम्मेलन
रेल बजट मे कैंसर रोगी लेल मुफ्त यात्रा प्रावधान
बजट आर आर्थिक सर्वेक्षण मे स्वास्थ्य संबंधी प्रावधान

नव फिल्म समाचार

फिल्म समीक्षाः तीन पत्ती। कार्तिक कॉलिंग कार्तिक।
कॉपीराइट विवाद पर बालेंदु दाधीच जी केर आलेख
5 मार्च कए जया बच्चन कें भेटत लाइफटाइम एचीवमेंट अवार्ड
बॉलीवुड आ होली

"कहू त"(7) केर परिणाम

रूचिगर सूचना आधारित साप्ताहिक स्तंभ "कहू त" श्रृंखला केर सातम प्रश्न छलः
"बांतर कहबाक लेल दूधक संग कथीक नाम जोड़ल जाइत छैक?"
विकल्प छलः
1. मुरई
2. सजमनि
3. माछ
4. ओल
सभ वोट कएनिहार लोकनि माछक पक्ष मे मत देलन्हि। इएह सही उत्तर थिक। पोल मे शामिल भेनिहार लोकनि कें बधाई। पुनः नव प्रश्न प्रस्तुत अछि। एहि मे वोट करू आ आनोलोकनि कें मत देबा लेल प्रेरित करू।

मार्च,2010 केर पाबनि-तिहार

1 मार्चः सप्तडोरक बंधन। होली
2 मार्चः चित्रगुप्त पूजन। होली भाई दूज टीका
3 मार्चः गणेश चतुर्थी व्रत
4 मार्चः ईद-ए-मौलाद
5 मार्चः रंगपंचमी
7 मार्चः भानुसप्तमी पर्व(सूर्यग्रहणतुल्य),कालाष्टमी व्रत,अष्टका श्राद्ध
11 मार्चः पापमोचिनी एकादशी व्रत
13 मार्चः शनि प्रदोष व्रत(पुत्र प्राप्ति हेतु)
14 मार्चः खरमास शुरू। मासिक शिवरात्रि व्रत। मीन संक्रांति रात्रि 1030 बजे। पुण्यकाल सायं 4.06 सं सूर्यास्त तक
15 मार्चः स्नान-दान-श्राद्ध केर सोमवती अमावस्या। हरिद्वार मे द्वितीय शाही स्नान। चैत्र संक्रांति प्रारंभ
16 मार्चः चैत्र नवरात्र प्रारंभ। नवपंचांग फल-श्रवण। कलश स्थापना। आरोग्य व्रत। तिलक व्रत। विद्या व्रत । नवसंवत्सरोत्सव
17 मार्चः श्रीरेमन्त पूजन
18 मार्चः गणगौरी तीज व्रतोत्सव। गौरी तृतीया। सौभाग्यसुंदरी व्रत। मनोरथ तृतीया व्रत। सरहुल
19 मार्चः विनायक चतुर्थी व्रत
20 मार्चः नागपंचमी। लक्ष्मीपूजा। अनंतनाग पंचमी। चैती छठि केर खरना
21 मार्चः स्कंद षष्ठी व्रत। चैती छठि केर संझुका अर्घ्य। विल्वाभिमंत्रण षष्ठी। गज पूजा
22 मार्चः वासंतिक दुर्गापूजा प्रारंभ। महासप्तमी व्रत। कालरात्रि सप्तमी।चैती छठि केर प्रातः अर्घ्य
23 मार्चः श्रीदुर्गामहाष्टमी व्रत। हरिद्वार मे मनसा देवी मेला
24 मार्चः श्रीरामनवमी व्रत। अयोध्या परिक्रमा। श्रीदुर्गा महानवमी
25 मार्चः चैत्र विजयादशमी
26 मार्चः कामदा एकादशी व्रत
27 मार्चः शनि प्रदोष व्रत(पुत्र प्राप्ति हेतु)।अनंग त्रयोदशी
28 मार्चः मदनभंजिका चतुर्दशी
29 मार्चः चतुर्दशी। पूर्णिमा व्रत। सत्यनारायण पूजा-कथा
30 मार्चः श्रीहनुमान जयंती। स्नान-दान केर चैत्र पूर्णिमा। मथुरा मे श्रीद्वारकाधीश कें छप्पन भोग। वैशाख स्नान-नियम प्रारंभ