अपनेक स्वागत अछि।

Monday, September 26, 2011

कलर्स पर हवन

कलर्स चैनल पर आई सं हवन सीरियल शुरू होमय जा रहल अछि। आस्था केर इर्द-गिर्द बनल एहि शो केर निर्माण राजन शाही कएने छथि। 
ई सीरियल छैक एक उपासक आओर एक गुरु (बापजी) के बीच संबंध आ तकर मध्य मौजूद असंख्य मानवीय भावना केर। किस्मत, सफलता आ कि नीक स्वास्थ्य पएबाक लेल  केओ स्टोन धारण करैत अछि तं केओ व्रत रखैत छैक। दिन विशेषक अनुसारें वस्त्र धारण करबाक मान्यता सेहो छैक। हम सभ एहि सभ देया साइते कोनो सवाल पूछैत छियैक। कारण ई जे लोक सभहक मोन मे एहि सभहक प्रतियें प्रबल आस्था पैदा भ चुकल छैक जे बहुत बेर ओकर हक में काज करैत छैक। एही सभ तरहक अनेक आस्था कें ल कए मनुष्य भगवानक शरणागति पएबाक इच्छा मोन मे रखैत छैक। 
ई धारावाहिक देखबैत छैक जे मानव मानसिकताक पृष्ठभूमि मे कोन तरहक तथ्य आओर आस्था काज करैत छैक। धारावाहिक केर नायक बापजी एक आध्यात्मिक चिकित्सक छैक जकरा मे अलौकिक शक्ति छैक आ लोक सभ ओकरा भगवान बना देने छैक जे सभ समस्याक उत्तर द सकैत अछि। 
हवन मे बापजी केर रोल मे छथि नरेन्द्र झा । साहिबा बापजी केर शांत पत्नी जानकी केर भूमिका मे छथि। पंकज सभ सं पैघ बेटा साम के किरदार मे अछि आ ओकर पत्नी तृष्णा केर रोल मे  शुभांगी। अतुल श्रीवास्तव बापजी के विश्वासपात्र चतुर्वेदीजी के भूमिका मे छथि आ बापजी केर पकिया भक्त आस्था के रोल नवआगंतुक श्रेणू कएन छथि।
प्रसारण संध्या सात बजे सं।