
दिल्ली में 13 अप्रैल कए,गृहराज्य मंत्री अजय माकन "
हिन्दी शब्द संसाधन" नामक पुस्तक आर एकर वेब संस्करण के लोकार्पण कएलनि। एहि पोथी कें पढिकए ककरहु लेल कंप्यूटर पर हिन्दी मे काज करब आसान भ जेतैक। जे गोटे हिन्दी टाइपिंग नहि जनैत छथि तनिका लेल फोनेटिक के माध्यम सं हिन्दी मे काज करबाक युक्ति बताओल गेल छैक जाहि सं ओ इंटरनेट पर हिन्दी लिखि सकथि। ई पोथी गृह मंत्रालय कें राजभाषा विभाग अंतर्गत केन्द्रीय हिन्दी प्रशिक्षण संस्थान के तीन सहायक निदेशक-दिनेश कुमार, राकेश वर्मा आर मुकेश संयुक्त रूप सं लिखने छथि। हिंदी माध्यम सं कंप्यूटर आ एकर विभिन्न एप्लीकेशंस के सिखबएबला मारिते पोथी बजार में छैक मुदा एकहु टा एहन पोथी उपलब्ध नहि छैक जे हिंदी मे शब्द-संसाधनक जानकारी देबाक अतिरिक्त टाइपो कएनाई सिखा सकए। ई पोथी इएह बात के ध्यान मे राखिकए आनल गेल अछि। एहि मे,हिंदी भाषा कें तीनो कुंजीपटल-इन्स्क्रिप्ट,टाइपराइटर आ इंग्लिश फोनेटिक के अभ्यास करबाक तरीका बताओल गेल छैक।