अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 01, 2010

पटना मे संपत्ति खरीद कठिन भेल

  पटना आर एकर आसपास के इलाका में जमीन, फ्लैट आर मकान कीनब आब आओर मोसकिल हएत।आइ सं अप्रील सं  मिनिमम वैल्यू रजिस्टर (एमवीआर) में 20 प्रतिशत सं 300 प्रतिशत वृद्धि भ गेल। शहरी क्षेत्र में ई बढोत्तरी 20 सं 100 प्रतिशत धरि कएल गेल अछि।  ग्रामीण इलाका मे 20 सं 300 फीसदी तक वृद्धि भेल । राजधानी पटना के पांच जोन में बांटल गेल अछि। आइ सं नबका दर पर स्टॉप ड्यूटी लेल जाएत। एतबे नहि,आब शहरी क्षेत्र मे 10 फीसदी आर ग्रामीण क्षेत्र में 8 फीसदी के दर सं स्टॉप ड्यूटी देमय पड़त।