अपनेक स्वागत अछि।

Wednesday, February 25, 2009

M.A. in Maithili-मैथिली में एम.ए.

संविधानक आठम अनुसूची में मैथिलीक प्रवेशक पश्चात,हुनको सभकें मैथिली में एम.ए. करबाक सूरि चढ़ल छन्हि जे गाम-घर छोड़लाक बाद, रिफ्यूजियन शैली में हां जी बाजए लागल छथि । जे गाम-घर धएने छथि,सेहो बीपीएससी केर चक्कर में 35 बरख धरि तैयारी करैत रहैत छथि। हुनको सभके आब मैथिली रोजगारपरक बूझि पड़ि रहल छन्हि। मैथिली में उच्च शिक्षाक आकांक्षी रोजगाररत आ आनो लोकनिक समस्या इ छन्हि जे कोन ठाम सं एम.ए. कएल जाए। गूगल सर्च पर लोक सभ बफहारि काटि रहल छथि मुदा कतहु कोनो लिंक नहिं भेट रहल छन्हि। कारण ई जे दिल्ली सं जा कए इग्नू गली-गली में अपन विद्यार्थी बनओलक मुदा बिहारक कुलपतिलोकनि कें नहिं फुरएलन्हि जे अपन विश्वविद्यालय में दूरस्थ शिक्षा विभाग के सशक्त करी।पटना,मगध आ ललित नारायण विश्वविद्यालय में दूरस्थ शिक्षा विभाग अछि मुदा घाघ लोकनि ओहि में एम.ए. स्तर पर मैथिली शामिल नहिं होमए दैत छथिन्ह। डर होईत छन्हि जे जखन रेगुलर कोर्स में दुओ टा विद्यार्थी नहिं जुटि पाबि रहल अछि तं डिस्टेंस एजुकेशन में पढ़ाई केर सुविधा भेटला पर रेग्युलर कोर्स में के लेत एडमिशन ? सूचनार्थ फरिछबैत चली जे पत्राचार पाठ्यक्रम सं एम.ए. सम्प्रति बिहार विश्वविद्यालय,मुजफ्फरपुर मात्र सं कएल जा सकैत अछि। ओहि ठामक दूरस्थ शिक्षा निदेशालयक नम्बर अछिः0621-2244879. उत्साही लोकनि ध्यान राखू जे एहि ठाम एडमिशन एहि शर्त पर भेटत जे कोनो तरहक पाठ्य-सामग्री उपलब्ध नहिं कराओल जाएत-यूजीसी आ दूरस्थ शिक्षा परिषद्,दिल्ली केर आदेश जाउ जहन्नुम में। आ मैथिली में पोथी सभहक की स्थिति छैक से त बूझिते होएब। कतेको पोथी केर दाम तं पांचे-दस टका छैक मुदा ओकरा तकबा में पांच-छह सौ टका तक लागि सकैत अछि। मैथिलीक गढ़ दरभंगा में आब कोनो दोकान में मैथिलीक पोथी नहिं भेटत। हं,पटना में एक गोटे छथि जे संक्रमणहु काल में मैथिलीक प्रतिएं समर्पित रहलाह। ई छथि मैथिली साहित्यक मूर्धन्य हस्ताक्षर सुधांशु शेखर चौधरीजीक साहित्यकार सुपुत्र आ समय-सालक संपादक श्री शरदिन्दुजी(फोन-09334102305)। हिनका लग काजक सभटा पोथी भेटि जाएत। आ किछु आन उपयोगी पुस्तक मैथिली अकादमी में भेटत।हमर शुभकामना लिअ।