अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 22, 2010

महावीर मंदिर में विशेष प्रसाद 'क्षीरम' उपलब्ध। "नैवेद्यम" के पंजीकरण करएबाक तैयारी।

पछिला माह खबरि आयल छल जे पटना कें प्रतिष्ठित महावीर कें नैवेद्यम लेबए लेल पटना जाएब जरूरी नहि रहि जाएत किएक तं मंदिर प्रशासन आब एकर ऑनलाइन खरीदारी के व्यवस्था करए जा रहल अछि। एहि क्रम मे,एकटा आओर शुभ सूचना अछि जे आब एहि मंदिर मे भक्तगण कें विशिष्ट प्रसाद "क्षीरम" सेहो भेटतन्हि। 20 अप्रील कए, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क्षीरम प्रसाद वितरण केर शुभारंभ कएलनि । एहि अवसर पर, महावीर मंदिर के संचालक किशोर कुणाल जी कहलनि जे क्षीरम प्रसाद कें व्रत रखनिहारलोकनि उपवास के दिन सेहो उपयोग क सकताह किएक तं एहि मे अनाजक मिश्रण नहि छैक। ओ इहो जानकारी देलनि जे मशहूर नेवैद्यम के पंजीकरण करएबाक प्रयास कएल जा रहल छैक ।
ओ कहलनि कि राज्य के धार्मिक स्थल सभहक संचालन बेहतर करबाक लेल प्रदेश सरकार धार्मिक न्यास परिषद कें गठन कएने अछि जकर अध्यक्ष किशोर कुणाल कें बनाओल गेल छन्हि। नीतीश जी बजलाह जे मंदिर के बेहतर प्रबंधन सं श्रद्धालुलोकनिक शोषण रुकल अछि ।

इहो घोषणा कएल गेल जे महावीर मंदिर न्यास कें होमय वला आय सं गरीब सभहक लेल महावीर कैंसर संस्थान, महावीर वात्सल्य हॉस्पीटल आ महावीर आरोग्य संस्थान कें संचालन भ रहल अछि।
महावीर मंदिर के साइट देखए लेल क्लिक करू।