अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 15, 2010

यामाहा के वाईबीआर मॉडल उपलब्ध

दुपहिया वाहन बनबए बला नामी जापानी कंपनी यामाहा मोटर्स मंगलकए भारत में अपन नव मोटरसाइकिल वाईबीआर ११० उतारलक। दिल्ली में एहि मोटरसाइकिल के एक्स शोरूम कीमत ४१ हजार रुपय्या छैक। कंपनी के मुख्यकार्यकारी अधिकारी यूकीमेनी त्सुजी कहलनि जे कंपनी कतेको मास सं, भारत में एक एहन मोटरसाइकिल अनबाक योजना बनबैत छल जे दाम के हिसाब सं किफायती हुअए आ बेहतर माइलेज सेहो द सकए।