अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, March 23, 2010

नेपाल हिंदू राष्ट्र घोषित हुअएःराजनाथ सिंह

भारतीय जनता पार्टी केर पूर्व अध्यक्ष राजनाथ सिंह जी काल्हि ई कहि कए विवाद ठाढ क देलनि जे नेपाल कें हिंदू राष्ट्र घोषित कएल जएबाक चाही। श्री सिंह पूर्व प्रधानमंत्री गिरिजा प्रसाद कोईराला के अंतिम संस्कार मे शामिल हेबा लेल नेपाल गेल छलाह। काठमांडू सं स्वदेश वापसी केर क्रम मे ऊ कहलनि जे हमरा सब के एहि बात पर गर्व होइत छल जे नेपाल संसारक एकमात्र हिंदू राष्ट्र अछि आ तें हमरा सबके प्रसन्नता हएत जं नव गणतांत्रिको व्यवस्था मे नेपाल के हिंदू राष्ट्र घोषित कएल जाए। हुनकर इहो कथन रहनि जे पाकिस्तान आ बंगलादेश कें केओ धर्मनिरपेक्ष बनए लेल नहि कहै छै आ ई खेल तं खाली राजनीतिज्ञ सभहक छै जे अपन वोट बैंक लेल धर्मनिरपेक्षता के नारा लगबै छथि।