अपनेक स्वागत अछि।

Wednesday, March 17, 2010

राष्ट्रमंडल फ्लैट मे मिथिला पेंटिंग

छओ माह बाद होमय जा रहल राष्ट्रमंडल खेल लेल भारत पर्यटन विकास निगम(आईटीडीसी) दिल्ली केर वसंतकुंज इलाका केर डी-6 पॉकेट मे 2709 फ्लैट बनओने अछि जे शिष्टमंडल आ पर्यटक सभहक लेल खोलल जाएत। एहि फ्लैट मे अत्याधुनिक सुविधा तं अछिए, हस्तशिल्पक प्रदर्शन सेहो कएल गेल छैक। सिंधु,गंगा,नर्मदा,ब्रह्मपुत्र आ कावेरी खंड मे बंटल एहि फ्लैट सभ मे धरोहर सभहक प्रदर्शन कएल गेल छैक जाहि मे अपन मधुबनी पेंटिंग सेहो अछि। फ्लैट मे फर्नीचर चीन आ मलेशिया कें छैक। खेल संपन्न होमय तक एहि फ्लैट सभहक संचालन होटल जकां कएल जाएत आ तकर बाद एकर बिक्री कएल जाएत। तखन फ्लैटक मूल्य निर्धारण मे,मौजूद सुविधा सभहक कीमत सेहो जोड़ल जाएत। खेलक सिलसिला मे फ्लैट बुकिंग सितंबर सं शुरू हएत आ कीमत रहतैक तीन सं पांच हजार टका प्रतिदिन। एसी रूम 4 हजार टका प्रतिदिन आ तीन-बेड वला रूम 10 हजार टका प्रतिदिन पर उपलब्ध हएत।