
वोलंटरी हेल्थ एसोसियेशन ऑफ इंडिया सहित आन स्वयंसेवी अभियान बाद, पछिला साल सरकार कंपनी सभ कें सिगरेट पैकेट पर सचित्र चेतावनी छपबाक निर्देश देने छल। मुदा बिच्छूयुक्त एहि फोटो सभहक कोनो खास असरि नहि भेलैक। परञ्च आब पैकेट पर जे चित्र छपत से बड्ड डेराओन हएत। एहि लेल मंत्रालय कें ११ टा फोटो भेटल छल जाहि मे सं ओहि फोटो कें चुनल गेल जे लोक कें सिहरा दए।