अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, February 11, 2010

बज़


सोशल नेटवर्किग साइट्स केर दौड़ में फेसबुक आर ट्वीटर सन सोशल वेबसाइट सं पछुआ रहल गूगल काल्हि जीमेल के एक नव अवतार बज लांच क देलक। जीमेल कें सोशल नेटवर्किंग साइटक रूप देबाक लेल गूगल अपन ई-मेल सेवा जीमेल में नव बदलाव कएलक अछि। जीमेल बज के तहत मैसेज के तत्काल अपडेट कएल जा सकत आ फोटो तथा वीडियो शेयरिंग सहित कतेको आन फीचर्स सेहो छैक। गूगल बज जीमेल संग जुड़ल छैक,तें एकरा लेल सेटिंग में कोनो बदलाव नहिं करए पड़त। बज के प्रयोक्ता ट्वीटर, पिकासा, फ्लिकर आ गूगल रीडर केर सामग्री कें इंपोर्ट क सकताह। नव पोस्ट अथवा टिप्पणी अपने आप अपडेट होति रहत। फोटो आ वीडियो शेयरिंग केर सुविधा तं छइहे,फोटो फुलस्क्रीन देखबाक सुविधा सेहो। एहि में वीडियो इनलाइन प्ले क सकैत छी। बज मोबाइल पर सेहो उपलब्ध हएत।