
संगठन के मांग छैक जे नेपाल कें हिंदू राष्ट्र आ गाय कें राष्ट्रीय पशु घोषित कएल जाए, राष्ट्रीय झंडा कें स्वरूप पूर्ववत कएल जाए (नेपाल में संघीय प्रणाली लागू करबा सं पूर्व) आ देश कें संघीय स्वरूप देबाक फैसला वापस लेल जाए। उल्लेखनीय जे 28 मई 2008 कए 601 सदस्यीय संविधान सभा 240 साल पुरान राजशाही कें खत्म कए नेपाल कें 'धर्मनिरपेक्ष, संघीय, लोकतांत्रिक गणराज्य' घोषित कएने छल।