अपनेक स्वागत अछि।

Sunday, February 21, 2010

आब सेविंग अकाउंट पर रोज़ ब्याज

1 अप्रैल सं,बचत खाता में जमा राशि पर रोज ब्याज भेटत। भारतीय रिजर्व बैंक सभ सरकारी बैंक कें एहि संबंध में शुक्रकए अधिसूचना जारी क देलक। आरबीआई बैंक सभ कें एहि लेल आवश्यक तैयारी करबाक निर्देश देने अछि। आरबीआई पछिले वर्ष अप्रैल में बैंक सभ कें, बचतखाता पर रोजाना कें आधार पर ब्याज देबाक लेल कहने छल। मौजूदा व्यवस्था ई छैक जे बचत खाता में प्रत्येक महीना कें १० तारीख सं ल कए महीना के अंत धरिक न्यूनतम जमा राशि पर ब्याज देल जाइत छैक। एहि विचित्र गणना पद्धति केर नतीजा ई होइत छैक जे 11 दिसंबर कए जमा कएल गेल रकम 31 जनवरी कए निकालल जाए तं पूरा 52 दिन एकर बैंक में रहलाक बावजूद ग्राहक कें एहि पर एकहु पैसा ब्याज नहि भेटैत छैक। एहि सर्वस्वीकृत घपला केर नतीजा ई छैक जे बचत खाता पर 3.5 प्रतिशत ब्याजक प्रावधान केर बादो एहि मद में बैंकक कुल देनी मात्र 2.8 प्रतिशत बनैत छैक। देखबा मे ई निराधार मुनाफा मामूली बूझि पड़ैछ, मुदा बैंक एकर माध्यम सं साल भरि में पौने नौ हजार करोड़ रुपय्या बना लैत छैक।
भारतीय बैंक संघ कहने छल जे एहि नव व्यवस्था कें छह महीना लेल टालि देल जाए मुदा आरबीआई ओकरा नजरंदाज करैत कहलक जे बैंक सभहक पर्याप्त कंप्यूटरीकरण भ चुकल छैक,तें ई व्यवस्था लागू कएल जा सकैछ। उल्लेखनीय अछि जे चालू खाता (करेंट अकाउंट) में ककरो ओवरड्राफ्ट पर बैंक ब्याज डेली बेसिस पर ल लैत छैक आ ई सिलसिला ओहि समय सं चलल आबि रहल अछि जखन बेसी बैंक कंप्यूटर कें शक्लो नहि देखने छल। आरबीआई के मौजूदा निर्देश पर सेहो ओकर रवैया टालमटोल वला छैक मुदा एहि बेर सलाह-मशविरा कें नाम पर ओकरा बचि निकलबाक अनुमति हरगिज नहि देल जएबाक चाही।