अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, November 09, 2010

अन्तराष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन काठमाण्डौ मे २२ आ २३ दिसम्बर २०१०

  अन्तराष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन काठमाण्डौ मे २२ आ २३ दिसम्बर २०१० केँ श्री रामभरोस कापड़ि "भ्रमर"क संयोजकत्वमे आयोजित भऽ रहल अछि। श्री कापड़ि नेपाल प्रज्ञा संस्थानमे मैथिलीक प्रतिनिधित्व कऽ रहल छथि आ ई साहित्य क्षेत्रमे नेपालक सभसँ पैघ प्रतिष्ठाबल पद अछि ओहिना जेना भारतमे "साहित्य अकादमीक फेलो" होइत अछि।
२२ दिसम्बर २०१० केँ ई आयोजन नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, कमलादी, काठमाण्डौ आ २३ दिसम्बर २०१० केँ अग्रवाल सेवा केन्द्र, कमल पोखरी, काठमाण्डौमे आयोजित होएत। दुनू दिन आवस आ भोजनक व्यवस्था ग्रवाल सेवा केन्द्र, कमल पोखरी, काठमाण्डौमे रहत।


मैथिली आ मिथिलासँ संबंधित किछु मुख्य साइट:- आन लिंकक विषयमे सूचना ggajendra@videha.com केँ ई मेलसँ पठाबी।

http://www.videha.co.in/ ("विदेह" प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका)
http://gajendrathakur.blogspot.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ मैथिलीक पहिल ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर, ५ जुलाइ २००४)
http://www.videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ मैथिलीक पहिल ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर, ५ जुलाइ २००४)
भालसरिक गाछ जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल आ अखनो ५ जुलाइ २००४ सँhttp://www.videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html लिंकपर अछि, मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक जकर नाम बादमे १ जनवरी २००८ सँ" विदेह " पड़लै। पल्लवमिथिला (धीरेन्द्र प्रेमर्षि)  २०५९ माघे संक्रान्ति- २००३ जनवरी मैथिलीक दोसर इंटरनेट पत्रिका अछि जे ऐ लिंक www.pallavmithila.mainpage.net पर छल मुदा आब ई उपलब्ध नै अछि।   ई टिप्पणी मात्र इतिहास शुद्धता लेल अछि।
http://hellomithila.blogspot.com/  (हेलो मिथिला- धीरेन्द्र प्रेमर्षि, सम्पादक-प्रकाशक, रूपा झा, सम्पादन सहयोग, पल्लव, मैथिली साहित्यिक, ३ मइ २००६)
http://pallav.blogsome.com/  (हेलो मिथिला- धीरेन्द्र प्रेमर्षि, सम्पादक-प्रकाशक, रूपा झा, सम्पादन सहयोग, पल्लव, मैथिली साहित्यिक,  १७ मइ २००६)
http://videha-aggregator.blogspot.com/ (मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://prakarantar.blogspot.com/ (प्रकारांतर मैथिलीक लोकप्रिय ब्लॉग, फरबरी २००५)
http://vidyapati.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग, अगस्त २००५)
http://www.vidyapati.org/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग, अगस्त २००५)
http://premarshi.wordpress.com/ (धीरेन्द्र प्रेमर्षि,)
http://brikhesh.blogspot.com/ (बृषेश चन्द्र लाल)
http://www.chetnasamiti.org/ (चेतना समिति, पटनाक वेबसाइट)
http://bramhanews.blogspot.com/ (मैथिली समाचार)
http://www.mithilakhabar.com/ (नेपालक मैथिली ई पत्रिका)
http://esamaad.blogspot.com/ (पूनम मंडल आ प्रियंका झाक पहिल मैथिली न्यूज पोर्टल, ९ अगस्त २००४ सँ)
http://hellomithilaa.blogspot.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, सितम्बर २००७)
http://www.hellomithilaa.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, सितम्बर २००७)
http://www.maithilinews.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://www.hamargam.in/ (मैथिली न्यूज पोर्टल)
http://mithiladotcom.blogspot.com/ (मैथिली राष्ट्रीय दैनिक)
http://mithilasamad.blogspot.com/ (मिथिला समाद, मैथिली दैनिक)
http://janakpurnews.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://shampadak.wordpress.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल, जनवरी-फरबरी २००८)
http://www.esamaad.com/  (मैथिली न्यूज पोर्टल, जनवरी-फरबरी २००८)
http://www.mithilalok.com/ (मैथिली न्यूज पोर्टल)
http://maithili-darpan.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithilatol.blogspot.com (मिथिलाटोल मैथिलीक लोकप्रिय ब्लॉग)
http://maithilicinema.blogspot.com/ (मैथिली फिल्म्स)
http://maithilifilms.blogspot.com/ (मैथिली फिल्म्स)
http://maithili-drama.blogspot.com/ (विदेह मैथिली नाट्य उत्सव- बेचन ठाकुरक ब्लॉग)
http://mjnk.co.cc/ (ई जनकपुर न्यूज़, तराई मॉडल, मिथिला इन्फोर्मेशन)
http://www.TeraiNepal.co.cc/  (तराई नेपाल मिथिला जनकपुर मधेश हालचाल Anytime Anywhere see)
http://maithilaurmithila.blogspot.com/ (मैथिलक आ  मिथिलाक लोकप्रिय ब्लॉग)
http://www.mithilaamanch.blogspot.com (मिथिला मंच)
http://maithilisong.blogspot.com/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक ब्लॉग)
http://maithilifoundation.blogspot.com/ (मैथिली फाउन्डेशन)
http://maithilibhasha.blogspot.com/ (काश्यप कमलक ब्लॉग)
http://rkjteoth.blogspot.com/ (रूपेश कुमार झा "त्योंथ"क ब्लॉग)
http://paraati.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://singarhaar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://anchinharakharkolkata.blogspot.com/  (मैथिलीक लोकप्रिय गजलक ब्लॉग)
http://vaachik.wordpress.com/  (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithilainfo.blogspot.com (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithlasamachaar.blogspot.com  (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://pilakhwar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://desilbayna.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://maithilynjha.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://gaam-ghar.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://mithila-mihir.blogspot.com/ (मैथिलीक  लोकप्रिय ब्लॉग)
http://www.videha.com/ (इंटरनेटपर मैथिली भाषाक प्रथम उपस्थिति/ लोकप्रिय ब्लॉग- मैथिली भाषा ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://www.maithililekhaksangh.com/ (मैथिली लेखक संघक जालस्थल)
http://www.maithili.co.uk/ (मिथिला कल्चरल ऑर्गेनाइजेशन, यू.के.)
http://minapjanakpur.org/  (मिनाप, जनकपुर)
http://www.airdarbhanga.org/  (आकाशवाणी दरभंगाक साइट)
http://mithilangan.org/ (मिथिला‍गनक साइट)
http://www.vmym.in/ (विद्यपति मैथिल युवा मंच)
http://www.tirhutalipi.4t.com/ (देवनागरी-तिरहुता फॉन्ट कन्वर्टर)
http://www.anujha.co.cc/ (यूनीकोड तिरहुता फॉन्ट-मिथिला)
http://www.jaimithila.com/ (मिथिलाक सभ्यता, संस्कृति, विभूति, गीत-संगीत आ बहुत रास जानकारीक लेल)

http://sobhagyamithilatv.com/ (सौभाग्य मिथिला- पहिल मैथिली चैनल)
http://kalikantjhabuch.org/ (काली कांत झा "बूच")
http://saketanands.blogspot.com/ (साकेतानन्दजीक जालवृत्त)
http://gunjang.blogspot.com/ (गुंजनजीक जालवृत्त)
http://darihare.blogspot.com/ (श्याम दरिहरेक जालवृत्त)
http://deoshankarnavin.blogspot.com/ (देवशंकर नवीनक जालवृत्त)
http://www.udayanarayana.com/ (नचिकेताक साइट) 
http://www.indianembassy.org.np/  (भारतीय दूतावास नेपाल)
http://www.purvottarmaithilsamaj.com/ (पूर्वोत्तर मैथिल समाज)
http://www.purvottarmaithil.org/   (मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समितिक त्रैमासिक पत्रिका)
http://dsal.uchicago.edu/lsi/ (Linguistic Survey of India, Gramophone recordings)
http://dsal.uchicago.edu/lsi/taxonomy/term/1718 (Linguistic Survey of India, Gramophone recordings, Maithili)
http://www.biharlokmanch.org/ (मिथिला-मैथिली पोथी ऑनलाइन कीनू)
http://shivpustakbhandar.blogspot.com/  (मैथिली पोथी कीनू)
http://mithila-haat.com/ (Buy Mithila-Maithili books/ other materials online)
http://www.antikaprakashan.com/ (अंतिका प्रकाशनक साइट- मैथिली प्रकाशक)
http://www.shruti-publication.com (श्रुति प्रकाशनक साइट- मैथिली प्रकाशक)
http://www.jyoticonsultant.com/ (मैथिलक नौकरी डॉट कॉम)
http://www.kfm961.com/  (हेल्लो मिथिला कार्यक्रम प्रत्येक शनिकेँ नेपाली समयानुसार राति ९.३० बजेसँ ११ बजेधरि आ राजनीतिक विषयवस्तुपर केन्द्रित चौबटिया कार्यक्रम प्रत्येक सोमकेँ राति १० सँ ११ बजेधरि प्रसारण)
http://www.radiokantipur.com/  (हेल्लो मिथिला कार्यक्रम प्रत्येक शनिकेँ नेपाली समयानुसार राति ९.३० बजेसँ ११ बजेधरि आ राजनीतिक विषयवस्तुपर केन्द्रित चौबटिया कार्यक्रम प्रत्येक सोमकेँ राति १० सँ ११ बजेधरि प्रसारण)
http://www.jumptv.com/en/channel/nepal1/ (नेपाल1 टी.वी.-जम्प टी.वी. मैथिली कार्यक्रम सूचना)
http://janakifm.org.np/ (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडियो)
http://www.mithilaradio.com/ (मैथिली रेडियो)
http://www.youtube.com/user/Janakifm (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडियो Youtube channel)
http://www.radiomithila.org/ (मैथिली रेडियो)
http://www.appanmithila.org/ (रेडियो अप्पन मिथिला ९४.४ MHZ)
http://www.madheshuk.org/ (एसोशिएशन ऑफ नेपाली मधेसीज इन यू.के.)
http://www.mithilaart.com/ (श्रीमति प्रभा झाक साइट)
http://chitthajagat.in/ (देवनागरी लिपिक ब्लॉगक एग्रीगेटर)
http://mailorang.blogspot.com/ (मैलोरंग नाट्य संस्थाक ब्लॉग)
http://mailorang.in/ (मैलोरंग)
http://mithila_samachar.tripod.com/mithilasamachar/ (मिथिला आ मैथिलीक समाचारक साइट)
http://www.ildc.in/Maithili/MIindex.aspx (मैथिली अओजार आ फॉन्ट)
http://www.maithili.net/  (मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.mithilaonline.com/ (मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.onlinemithila.in/ (मिथिला-मैथिल-मैथिलीक लोकप्रिय साइट)
http://www.swastifoundation.com/  (स्वस्ति फाउन्डेशनक साइट)
http://www.moe.gov.np/ (नेपाल सरकारक साइट)
http://gov.bih.nic.in/ (बिहार सरकारक साइट)
http://www.esabha.net/ (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.maithilvivah.com/ (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.kanyadan.net/  (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.mithilashaadi.com/  (मैथिल विवाहक साइट)
http://www.nationallibrary.gov.in/ (नेशनल लाइब्रेरी कोलकाता)

http://dpl.gov.in/ (दिल्ली पब्लिक लाइब्रेरी)

http://www.connemarapubliclibrarychennai.com/ (कोनेमारा पब्लिक लाइब्रेरी)
http://rrrlf.nic.in/ (राजा राम मोहन राय लाइब्रेरी फाउंडेशन)
http://www.sahitya-akademi.gov.in/(साहित्य अकादमीक साइट)
http://www.nbtindia.org.in/ (नेशनल बुक ट्रस्टक साइट)
http://www.ciil.org/ (भारतीय भाषा संस्थानक साइट)
http://www.ntm.org.in/languages/maithili/default_maithili.asp (राष्ट्रीय अनुवाद मिशन)
http://jnanpith.net/ (भारतीय ज्ञानपीठक साइट)
http://bparishad.in/  (भारतीय भाषा परिषद, कोलकाताक साइट)
http://www.bharatiyabhashaparishad.com/   (भारतीय भाषा परिषद, कोलकाताक वागर्थ)
http://www.themanbookerprize.com/ (मैन-बुकर पुरस्कारक साइट)
http://www.commonwealthfoundation.com/ (कॉमनवेल्थ फाउन्डेशनक साइट)
http://www.crossword.in/ (वोडाफोन-क्रॉसवर्डक साइट)
http://www.pulitzer.org/ (पुलित्जर पुरस्कारक साइट)
http://nobelprize.org/ (नोबेल पुरस्कारक साइट)
http://www.goakonkaniakademi.org/akademi/aims.htm (गोवा कोंकणी अकादमीक साइट)
http://madhubani-art.blogspot.com/ (Maithili Literature in English)

अंतिम पाँचू साइट विकी मैथिली प्रोजेक्टक अछि। एहि लिंक सभ पर जा कय प्रोजेक्टकेँ आगाँ बढ़ाऊ।
किछु नीक यू ट्यूब मैथिली चैनल
 
http://www.youtube.com/user/Janakifm (जानकी एफ.एम., मैथिली समाचार रेडियो Youtube channel)
www.youtube.com/user/premarshi
http://www.youtube.com/user/Dhipre (धीरेन्द्र प्रेमर्षि)
आ तीनटा आर साइट
 
VIDEHA ARCHIVE
For purchase books available in "GOOGLE VIDEHA BOOKS" write to ggajendra@videha.com
 

Search the full text of GOOGLE VIDEHA books
 

"विदेह"क एहि सभ सहयोगी लिंकपर सेहो एक बेर जाऊ। 

६.विदेह मैथिली क्विज  :
http://videhaquiz.blogspot.com/
७.विदेह मैथिली जालवृत्त एग्रीगेटर : 
http://videha-aggregator.blogspot.com/
८.विदेह मैथिली साहित्य अंग्रेजीमे अनूदित
http://madhubani-art.blogspot.com/
९.विदेहक पूर्व-रूप "भालसरिक गाछ"  : 
http://gajendrathakur.blogspot.com/
१०.विदेह इंडेक्स  : 
http://videha123.blogspot.com/
११.विदेह फाइल : 
१२. विदेह: सदेह : पहिल तिरहुता (मिथिला़क्षर) जालवृत्त (ब्लॉग)
१३. विदेह:ब्रेल: मैथिली ब्रेलमे: पहिल बेर विदेह द्वारा

१४.VIDEHA IST MAITHILI  FORTNIGHTLY EJOURNAL ARCHIVE
१५. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका मैथिली पोथीक आर्काइव
१६. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका ऑडियो आर्काइव
१७. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका वीडियो आर्काइव
१८. विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका मिथिला चित्रकला, आधुनिक कला आ चित्रकला
१९. मैथिल आर मिथिला (मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय जालवृत्त)
२०.श्रुति प्रकाशन
Google समूह
VIDEHA केर सदस्यता लिअ
ईमेल :


Subscribe to VIDEHA

२३.गजेन्द्र ठाकुर इ‍डेक्स
२४. नेना भुटका
२५.विदेह रेडियो:मैथिली कथा-कविता आदिक पहिल पोडकास्ट साइट


२८. विदेह मैथिली नाट्य उत्सव
२९.समदिया
३०. मैथिली फिल्म्स
३१.अनचिन्हार आखर
३२. मैथिली हाइकू
३३. मानक मैथिली
http://manak-maithili.blogspot.com/
३४. विहनि कथा
३५. मैथिली कविता

३६. मैथिली कथा
http://maithili-katha.blogspot.in/

३७.मैथिली समालोचना
http://maithili-samalochna.blogspot.in/ 
  

Thursday, October 21, 2010

दरभंगा राजघरानाःकेओ नहि पूछनिहार

लोकतंत्र के महापर्व मे सभ केओ अपन महत्व बतबए चाहैत छैक मुदा सत्ता हथिअएबाक एहि गहमागमी के बीच,कहियो मिथिला के हैसियत केर प्रतीक रहल रामनगर किला आई निस्तब्ध अछि। कालक्रमक संगहि,मिथिला दरबारक राजनीतिक किलेबंदी ततेक कमजोर भ गेलैक जे आब केओ एहिठाम भोंट मंगए लेल नहि अबैछ।

एक समय एहनो रहैक जे तमाम पैघ राजनीतिक दलक नेतालोकनि महाराजा कामेश्वर सिंह केर देहरी पर टिकट स्वीकार करबाक लेल नेहोरा करैत छलाह। परञ्च,कामेश्वर बाबू एहि सभ प्रस्ताव कें ठोकरबैत स्वतंत्र पार्टी के उम्मीदवार के तौर पर भाग्य अजमओलनि। नतीज़ा-ज़बरदस्त हार। प्रतिपक्षी कांग्रेसी उम्मीदवार श्यामनंदन मिश्र कें ओ हल्लुक बुझने छलाह जे अंततः घातक सिद्ध भेलनि। ओहि चुनाव केर प्रत्यक्षदर्शी रहल लोहट प्रखंडक पचाढ़ी गामक बाबू लाल झा कहैत छथि जे ओहि चुनाव के दौरान महाराज के प्रचार मे पएर छूनिहार लोकनिक तांता लागल रहैत छल मुदा ओ भीड़ भोंट में तब्दील नहि भ सकल।


दरभंगा राजक इतिहास लिखनिहार मिथिला विश्वविद्यालय केर पूर्व-कुलपति डॉ.जनार्दन कुंवर कहैत छथि जे राज परिवार के प्रिंसली स्टेटक दर्जा नहि भेटलाक बादो,एहि घराना केर महत्व आजादी सं पूर्व देशक कोनहु राजघराना सं कम नहि छल। एहि वंशक अंतिम तीन शासक लक्ष्मेश्वर सिंह, रामेश्वर सिंह आर कामेश्वर सिंह राजनीति में दिलचस्पी लेब शुरू कएने छलाह जाहि सं देश भरि मे हिनकर प्रभाव विस्तार भेलनि। एतेक धरि जे प्रिंस ऑफ वेल्स के भारत दौरा के समय, राजा नहि रहि गेलाक बादो, सभ तरहक प्रोटोकॉल कें दरकिनार करैत हुनका राजा सभहक बैठक मे आमंत्रित कएल गेल छल।

फेर,प्रश्न छैक जे एहि राजवंशक मोहरा सभ बाद मे किएक हारैत गेल?मिथिला विश्वविद्यालय मे राजनीति विज्ञान विभाग के प्राध्यापक जिंतेंद्र नारायण कें कहब छन्हि जे दरभंगा दरबार केर राजनीतिक पराभव कोनो आश्चर्यजक गप्प नहि। 1957 के लोकसभा चुनाव मे अधिकांश मैथिलो ब्राह्मणो कामेश्वर सिंह कें ई कहैत वोट नहि देलनि जे ओ तिरहुतिया(मैथिल) नहि,सोइत(श्रोत्रिय) छथि।

बात मैथिली कें संविधानक आठम अनुसूची मे शामिल करएबाक हुअए आकि अलग मिथिला राज्य बनएबाक आंदोलन, रामबाग किला केर कोनहु कोना सं कोनहु सुगबुगाहट नहि सुनबा मे आएल। चारू दिशि बजैत चुनावी नगाड़ा के बीच दरभंगा दरबार केर मर्सिया ओहि राजनेतालोकनिक लेल सेहो एकटा सबक छन्हि जे जनादेश कें अपन हुकूमत केर अधिकार बूझि निश्चिन्त रहैत छथि।

जे-से। बिहारक सामाजिक संरचना केर धुरी रहल रजवाड़ा सभहक प्रासंगिकता आजादी के बाद चाहे समाप्त भ गेल हुअए,मुदा,अपन अपन रुतबा बरकरार रखबाक लेल सभ तरहक जोगाड़ ओ सभ भिड़बिते रहल छथि। एहि मे सं कतेको तं स्वयं राजनीति में कूदि,अपन पूर्वज सभहक साख भुनएबाक प्रयास कएलनि। किछु आन गोटे नेपथ्य मे रहि एकर इसके सूत्र-संचालन मे सक्रिय रहलाह(मुकेश बालयोगी,दैनिक भास्कर,21.10.2010)।

Monday, October 11, 2010

"कौन बनेगा करोड़पति" राति 9 बजे सं

अमिताभ बच्चन आई अपन 69म जन्मदिन मना रहल छथि आ आइए सं ओ सोनी टीवी पर ’कौन बनेगा करोड़पति‘ के चारिम सीजन शुरु क रहल अछि। एकर दू सीजन ओ सफलतापूर्वक संचालित क चुकल छथि,आ से कतेक लोकप्रिय रहल छल,से पाठकलोकनि बिसरल नहि हेताह। कौन बनेगा करोड़पति (केबीसी-4) मे एहि बेर ईनामी रकम पांच करोड़ रुपय्या राखल गेल अछि जे एखन धरि एक करोड़ रूपय्या छल। शो में भाग लेनिहार एहि बेर बारहे टा सवालक जवाब द कए एक करोड़ रूपय्या जीत सकताह। तकर बाद,जं ओ 13म सवाल सही जवाब द पओताह,तखने पांच करोड़ रुपय्या सुतरतनि। इहो ध्यान रहए जे एहि बेर चारिटा लाइफलाइन रहतैक जाहि मे दू टा पुरनका आ दू टा नव प्रकारक हएतैक। एक नव लाइफलाइन आस्क दि एक्सपर्ट कहल जा रहल छैक। एहि मे हर क्षेत्र कें एक विशेषज्ञ स्टूडियो में मौजूद रहत,जे उत्तर देबा मे मदद करत।

शो कें प्रसारण सोनी टीवी पर राति नौ बजे सं हएत। एहि सं पूर्व धरि,एकर प्रसारण स्टार टीवी पर होइत रहल छल। अमिताभ पछिला किछु समय सं,तेल,सीमेंट,कम ज्ञात ब्रांडक मोबाईल आदि सन-सन छोट-मोट विज्ञापन क रहल छलाह। प्रायः सभटा महत्वपूर्ण आ अंतर्राष्ट्रीय ब्रांडक विज्ञापन शाहरूख अथवा आन कलाकार सभहक लग चलि गेल छल। एकरा देखैत,केबीसी एकटा पैघ छलांग मानल जा रहल छैक।

उच्चैठ दुर्गा

'मिथिलायां महादेवी वाम स्कंधे महोदर:' (तंत्र चुड़ामणि) सती पार्वती केर वाम स्कंध मिथिला में गिरल छल। तें, संपूर्ण मिथिला कें शक्तिपीठ के रूप में प्रसिद्धि प्राप्त छैक। तहू मे, उच्चैठ केर दुर्गा महाशक्ति पीठ अग्रगण्य अछि। उच्चैठ दुर्गा केर प्रसिद्धि प्राचीनकाल सं बनल अछि। विश्वकवि कालिदास कें एहि शक्तिपीठ सं संबंध रहल छन्हि। प्रमाणस्वरूप, कालिदास डीह एहि सं सटले नदी के दोसर छोर पर अवस्थित देखल जा सकैछ। जनश्रुति छैक जे दुर्गा मूर्ति कें कालिदास द्वारा पूजित भेलाक कारणें,एकरा कालिदास कालीन मानल जाइत छैक। एकर महिमा अपरंपार छैक। उच्चैठ चतुर्भुजा दुर्गा केर प्रसिद्धि बिहारे टा मे नहि, नेपालो मे छन्हि। शारदीय नवरात्र में श्रद्धालुलोकनिक बड़ भीड़ एहि ठाम होइत छैक। अश्विनी शुक्ल प्रतिपदा सं एहि ठाम भगवती के दर्शन-पूजन लेल भीड़ जुटनाई शुरु भ जाइत छैक। संपूर्ण परिसर देवी गीत सं गुंजायमान रहैत छैक। आइयो धरि तांत्रिक साधक लोकनि निकट के एकांत स्थान मे, अपन साधना में रत देखल जा सकैत छथि। शारदीय नवरात्र में दुर्गा कें भव्य श्रृंगार करबाक परंपरा छैक। भक्तगणक फूल सं दिन के 3-4 बजे भगवतीपरक गीत गायन के बीच पंडालोकनि श्रृंगार करैत छथि। मानल जाइत छैक जे श्रृंगार के बाद भगवती कें दर्शन अत्यंत शुभ फलदायी होइत छैक। एहि समय भगवती केर प्रसन्न मुद्रा भावक दर्शन होइत छैक। तें,शारदीय नवरात्र में भगवती कें सांध्य श्रृंगार देखबाक लेल लोकसभ कें बेश प्रयास करए पड़ैत छन्हि। शारदीय नवरात्र में दर्शन-पूजन सं माता मनोवांछित फल दैत छथिन्ह,एहन मान्यता छैक। ओना तं एहिठाम प्रतिदिन छागर चढाओल जाइत छैक मुदा शारदीय नवरात्र कें सप्तमी तिथि कए, निशा पूजा के पश्चात महानवमी तक प्रतिदिन सैकड़ा के तादाद में छागर कें बलि देल जाइत छैक। पौराणिक, धार्मिक, ऐतिहासिक व पर्यटन कें दृष्टि सं महत्वपूर्ण उच्चैठ भगवती स्थान के सौंदर्यीकरण केर कार्ययोजना बनलाक तीन वर्ष बीतलाक बादो कार्यरूप नहि ल सकल अछि। पहिल चरण मे, मंदिर परिसर स्थित पवित्र सरोवर केर जल स्वच्छ कएल जएबाक छल आर आकर्षक घाट निर्माणक योजना रहैक। खासकए मंदिर परिसर में नशाखोरी कें शिकायत कें गंभीरता सं लेबाक बात तय भेल छल। परञ्च,सौंदर्यीकरण व नवनिर्माण के लिए एक करोड़ रुपया आवंटित भेलाक बादो, 22 एकड़ के विशाल भूखंड मे पसरल एहि सिद्धपीठ परिसर में अतिक्रमण, गंदगी आ बदइंतजामी सर्वत्र देखल जा सकैछ(दैनिक जागरण)।

Thursday, September 30, 2010

रेडियो मिर्ची कें अंतरराष्ट्रीय पुरस्कार

निजी एफएम चैनल ‘‘ रेडियो मिर्ची ’’ कें भारत में मानव तस्करी संबंधी रिपोर्ट के लेल इंटरनेशनल रेडियो अवार्डस, न्यूयार्क में ‘‘सिल्वर’’ पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेल अछि।

रेडियो मिर्ची कें ई पुरस्कार ओकर दिल्ली ब्रेकफास्ट शो ‘‘ हाय दिल्ली ’’ कार्यक्रम के लेल देल गेल छैक जकर प्रस्तुतकर्ता सौरभ आर अनंत छथि।

इंटरनेशनल रेडियो अवार्डस न्यूयार्क समारोह के एक हिस्सा छैक जाहि मे दुनिया भरि कें करीब 180 रेडियो स्टेशन प्रतिस्पर्धी छल। न्यूयार्क समारोह कें ई 54म साल अछि। रेडियो जॉकी सौरभ आर अनंत मैनहट्टन मे एक भव्य समारोह में ई सम्मान स्वीकार कएलनि।

Thursday, September 23, 2010

राष्ट्रमंडल खेल कार्ड पर मधुबनी पेंटिंग

राष्ट्रमंडल लेल निर्मित फ्लैट मे मधुबनी पेंटिंग केर प्रयोग देया एहि ब्लॉग पर पाठक लोकनि कें अवगत कराओल गेल छल। आब राष्ट्रमंडल खेलक कार्ड पर सेहो मधुबनी पेंटिंग केर प्रयोग कएल जा रहल अछि। आजुक अमर उजाला के संपादकीय कहैत अछि जे ई मधुबनी पेंटिंग केर लोकप्रियता के प्रकट करैत अछि। अखबार मोन पाड़ैत अछि जे गामघरक महिलालोकनि प्रारमभ मे एकर प्रयोग मूलतः माटिक देबाल पर करैत छलथि। मुदा आब ई कपड़ा,हस्तनिर्मित कागज आ कैनवास पर सेहो कएल जा रहल छैक। मान्यता छैक जे एहि पेंटिंग केर शुरुआत रामायण काल में भेल छल जखन मिथिला नरेश राजा जनक पुत्री सीता आर रामक विवाहक अवसर पर ई पेंटिंग करओलनि। एकर विषय प्रायः, हिंदू देवी-देवता आर प्रकृति सं संबंधित रहैत छैक आर एकरा विभिन्न त्योहार आ संस्कार पर बनाओल जाइत छैक।

देशे टा नहि,विदेशों मे एहि पेंटिंग केर बड़ प्रसिद्धि छैक। सामान्यतया, ई पेंटिंग स्त्रीलोकनि द्वारा कएल जाइत छैक आर ई पारंपरिक रूप सं पीढ़ी-दर-पीढ़ी हस्तांतरित होइत जाइत छैक। शुरू में ई दू तरहक बनाओल जाइत छलैक -अरिपन (अल्पना) आर कोहबर (भित्तिचित्र)। एहिमें प्राकृतिके संसाधन मात्र सं निर्मित रंगक प्रयोग कएल जाइत छैक। डब्लू. जी. आर्चर नामक एक ब्रिटिश अफसर 1934 के भूकंप के दौरान जखन एहि पेंटिंग कें देखलनि तं ओ किछु कलाकार लोकनिक काज कें संग्रहीत कएलनि आर ओकरा लंदन के इंडिया रिकॉर्ड ऑफिस ल गेलाह। ओ 15 बरखक गहन शोधक बाद 1949 में कला पत्रिका मार्ग में एक निबंध लिखिकए एहि पेंटिंग दिसि दुनिया कें ध्यानाकर्षण करओलनि।

वर्ष 1966 सं 1968 के दौरान बिहार में भयंकर सुखाड़ भेल छल। खेती चौपट भ गेल छल आ भयंकर अकाल सेहो पड़ल छल। ओहि समय खेती के अलावा आय केर आन विकल्पक तलाश मे, स्त्रीलोकनि पेंटिंग कें कागज आर कपड़ा पर बनाएब प्रारम्भ कएने छलीह। ऑल इंडिया हैंडीक्राफ्ट्स बोर्ड सेहो मधुबनी के महिलालोकनि कें कपड़ा पर चित्र बनएबाक लेल प्रोत्साहित कएलक। एहि विलक्षण पेंटिंग पर डाक टिकट सेहो जारी कएल जा चुकल अछि।

Saturday, September 18, 2010

दुनिया के सबसं छोट गीता लांच

लुधियाना के डिज्यो कंपनी के बनाओल दुनिया कें सबसं छोट श्रीभगवद्गीता काल्हि लांच कएल गेल। एकरा नैनो प्रौद्योगिकी के कमाल कहल जा रहल छैक। एहि गीता कें लंबाई-चौड़ाई मात्र एक-एक सेंटीमीटर छैक। कंपनी के सीईओ राजीव अरोड़ा के अनुसार,ई गीता क्रिस्टल पर लिखल गेल छैक। एहि मे सम्पूर्ण 18 अध्याय आ 700 श्लोक 24 कैरेट सोनां सं लिखल गेल छैक। एहि श्रीभगवद्गीता कें,पारंपरिक कुंदन कला कें उपयोग कए तैयार करबा मे एक लाख घंटा सं बेसी समय लागल अछि। लिखावट अतिसूक्ष्म आर 24 कैरेट सोना में छैक। निर्माण कुशलतापूर्वक कएल गेल छैक आ लिखावट एतेक सूक्ष्म छैक जे 150 गुणा माईक्रोस्कोप सं देखिएकए मंत्रोच्चार कएल जा सकैत अछि। ई नैनो तकनीक के नमूना छैक। कंपनी के कहब छैक जे ओ गणेश जी, लक्ष्मी और गणेश, जैन नमोकार मंत्र, दुर्गा जी, जपुजी साहिब आ सुखमनी साहिब सन-सन पावन मंत्र व गुरबाणी सेहो तैयार क चुकल अछि जकरा अगिला माह लांच कएल जाएत, जे संभवतः दुनिया के सबसं छोट लेख हेतैक। एकर बिक्री सं प्राप्त आमदनी प्रकाश चिल्ड्रन्स फाउंडेशन के देल जेतैक जे नेत्रहीनलोकनि कें आंखि लगएबाक लेल कार्यरत छैक। ज्ञातव्य जे एहि पोथी के 2008 मे लिम्का बुक ऑफ रिकार्ड्स मे शामिल कएल जा चुकल अछि।