अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, May 18, 2010

यूनीनोर के डिस्काउंट प्लान

मोबाईल फोन सेवा प्रदाता कंपनी यूनीनोर बिहार आ झारखंड मे डिस्काउंट प्लान शुरू कएने अछि। ई सेवा सेल-इंफो टेक्नोलॉजी पर आधारित छैक जाहि मे ग्राहक कें बात करए में फिक्स काल रेट सं बेसी आजादी भेटैत छैक। अफ्रीका में 20 मोबाइल आपरेटर कंपनी पहिनहि सं ग्राहक कें एहि तरहक सेवा देल जा रहल छैक मुदा भारत में ई सेवा पहिल बेर शुरु कएल गेल अछि।
एहि सेवाक माध्यम सं नेटवर्क कैपेसेटी युटिलाईजेशन के मैक्सीमाईज कए खाली जगह पर बेहतर काल रेट देल जा सकैत अछि। तें आब यूनीनोर के 50 पैसा के बेस प्लान पर जगह आर समय के बदलबाक संगहि ग्राहक कें काल रेट में 5 सं 60 प्रतिशत तक के छूट भेटतनि। एहि प्लान के तहत हर घंटा डिस्काउंट के दर बदलैत रहत आ चौबीसो घंटा ग्राहक कें काल पर अलग-अलग हिसाब सं छूट भेटतैक। यूनीनोर पहिने ई सेवा दक्षिण भारत के किछु सर्कल में शुरु कएने छल आर आब एकरा बिहार-झारखंड सर्कल में लांच क रहल अछि।
शंकर ने बताया कि बिहार और झारखंड में उनकी कंपनी ने अपनी सेवा की शुरुआत गत वर्ष दिसंबर महीने में की थी और मार्च महीने तक उनके ग्राहकों की संख्या बढ़कर छह लाख पहुंच गई है।

Monday, May 17, 2010

बिट्टो

सहारा वन चैनल पर आइ सं धारावाहिक बिट्टो शुरू भ रहल अछि। एहि मे,उत्तरप्रदेश के एक गामक पृष्ठभूमि मे सामाजिक भेदभाव के देखाओल गेल छैक। सवर्ण द्वारा छोटका जातिक लोग के प्रतिएं अत्याचार एकर कथानक के मूल अछि। धारावाहिक मे,बिट्टो एक ग्रामीण युवती छैक जकर सेहन्ता एतबे टा छैक जे ओकर परिवार खुशहाल आ सुरक्षित हु्अए। ओकर बहिन रज्जो बड्ड तमसाह स्वभावक छैक मुदा बिट्टो संकोची आ भीरू प्रवृति के अछि। ओकर परिवार एहन गाम मे बसैत छैक जतए उच्च आ निम्न जातिक मध्य स्पष्ट विभाजन रेखा छैक। ग्राम प्रधान आ उच्च जातिक बड़का ठाकुर छोटका जातिक लोक सभ पर बड़ अत्याचार करैत अछि। धारावाहिक के प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं शुक्र धरि राति साढे आठ बजे सं हएत।

मिस्टर एंड मिसेज शर्मा इलाहाबाद वाले


आइ सं सब टीवी पर मिस्टर एंड मिसेज शर्मा-इलाहाबाद वाले धारावाहिक शुरु भ रहल अछि। ई धारावाहिक एक छोट शहर के,मध्यमवर्गीय परिवार के मुंबई अएलाक बाद रोज़मर्रा के जद्दोजहद पर आधारित छैक। परिवारक मुखिया दृष्टद्युम्न सर्वेश्वर शर्मा एक साधारण आदमी छैक जे अपन परिवार आ नौकरी सं संतुष्ट अछि। ओ मारिते तरहक विश्वास आ रीति-रेवाजक बोझ कन्हा पर लदने रहैत अछि। मुदा ओकर कनिया रश्मि शर्मा के मोन छैक जे पैघ शहर मे जाइ आ ओहि ठामक तड़क-भड़क मे रही। रश्मि के अपन घरवला पर पूरा विश्वास सेहो छैक। एहि बीच,सर्वेश्वर के ओकर कंपनी मुंबई जएबाक प्रस्ताव दैत छैक जकरा ओ सहर्ष स्वीकार क लैत छथि। ओकर बाद मुंबई मे एहि दम्पत्ति के जे चुनौती के सामना करए पड़ैत छैक,सएह थिक एहि धारावाहिक के कथ्य। एहि मे,धारावाहिक दुल्हन सं चर्चित भेल दिव्यांका मिसेज शर्मा के रोल मे छथि। मिस्टर शर्मा के रोल कएने छथि श्री राजेश। एहि धारावाहिक के निर्माण कएने छथि उज्जवल वैना जे ऐक्टर रहल छथि। एहि शो के माध्यम सं दिव्यांका के टेलीविजन पर वापसी भ रहल छन्हि। धारावाहिक के प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं ब्रैस्पति तक राति साढे नौ बजे सं हएत।

मन्नार एशिया के दोसर सभ सं लोकप्रिय पर्यटन स्थल

जं गर्मी के छुट्टी मे कतहु जएबाक मोन बना रहल छी तं केरल जा सकैत छी। ट्रिप एडवाइजर्स-2010 ट्रेवलर्स चॉइस डेस्टिनेशन अवार्ड में केरल के मन्नार कें, एशिया के सभसं लोकप्रिय पर्यटन स्थल मे दोसर स्थान भेटल छैक। पहिल स्थान भेटल छैक जापान के राजधानी टोक्यो के। सूची में शामिल आन भारतीय स्थल मे, अंडमान-निकोबार द्वीप समूह छठम, मनाली सातम, हंपी आठम, गोवा नवम, उदयपुर बारहम, गंगटोक 19म, बेंगलूर बीसम आर धर्मशाला 22म स्थान पर रहल। मन्नार कें एशिया के दोसर सबसं लोकप्रिय पर्यटन स्थल घोषित हएब एहि बातक संकेत छैक कि मन्नार के चाय बागान आ घाटी सभहक प्रतिएं पर्यटक सभ मे खूब आकर्षण छैक। पच्चीस पर्यटन स्थल केर एशियाई सूची मे, कंबोडिया के सिएम रीप तेसर, जापान के क्योटो चारिम आर जापान के नाहा पांचम स्थान पर रहल।
(चित्र विवरणः ऐतिहासिक मन्नार ब्रिज जे एलटीटीई द्वारा नष्ट क देल गेल छल)

Friday, May 14, 2010

कंप्यूटर पर वायस मैसेज टेक्सट फॉर्मेट मे

आब ई-मेल के वायस मैसेज कंप्यूटर पर टेक्स्ट फारमेट के रूप में देखब संभव हएत। माइक्रोसाफ्ट के नबका आफिस-2010 मे ई सुविधा देल गेल अछि। कंप्यूटर पेशेवरलोकनिक लेल ई साफ्टवेयर बहुत उपयोगी मानल जा रहल छैक। काल्हिए,माइक्रोसॉफ्ट शेयर प्वाइंट 2010, विशियो 2010 आर प्रोजेक्ट 2010 लांच करबाक घोषणा सेहो कएलक। माइक्रोसाफ्ट कें ई नव साफ्टवेयर जल्दिए बिजनेस मोबाइल फोन पर सेहो उपलब्ध हएत। कंपनी कें कहब छैक जे विंडोज 6.5 मोबाइल फोन मे आफिस-2010 के मोबाइल वर्जन रहतैक। ज्ञातव्य जे माइक्रोसाफ्ट आब स्मार्टफोन केर टेक्नोलाजी पर जोर द रहल अछि। एहि लेल माइक्रोसॉफ्ट नोकिया के साथ काज शुरू क देने अछि। आब नोकिया ई-सीरीज के जे स्मार्टफोन जारी हएत, से माइक्रोसाफ्ट के नबका साफ्टवेयर सं लैस रहत। माइक्रोसाफ्ट इंडिया के चेयरमैन रवि वेंकटेश काल्हि कहलन्हि जे नबका साफ्टवेयर मे क्लाउड सेहो रहतैक। एहि नव साफ्टवेयर के सहायता सं कत्तहु आ कोनहु समय अपन दस्तावेज देख सकब। एखन देश में करीब दू हजार व्यावसायी आफिस-2010 के उपयोग क रहल छथि। एहि साफ्टवेयर में पावर प्वाइंट त अछिए, फोटो संपादन कें सुविधा सेहो अछि।

Tuesday, May 11, 2010

सुदर्शन पटनायक कें राजकपूरक चित्र पर स्वर्णपदक

मास्को मे आयोजित द्वितीय अंतर्राष्ट्रीय सैंड स्कल्पचर चैम्पियनशिप मे,उड़ीसा के सुदर्शन पटनायक स्वर्णपदक जीतलनि। हुनका पीपुल्स च्वाइस प्राइज के तहत पुरस्कृत कएल गेलनि। पटनायक कें ई पुरस्कार भेटल छन्हि अभिनेता राजकपूरक स्कल्पचर बनएबाक लेल। बालू सं निर्मित हुनकर एहि स्कल्पचर के नाम छल-“RAJ KAPOOR, THE ICON OF INDO-RUSIAN FRIENDSHIP”. रुसी लोकनि कें ई कलाकृति बड्ड नीक लगलनि। ई प्रतियोगिता 28 अप्रील कए शुरू भेल छल आ एहि मे अमरीका,रूस,इंग्लैंड,इटली,आइसलैंड,चेक गणराज्य,बुल्गारिया,उक्रेन,स्पेन के कलाकारलोकनि भाग लेने छलाह। एहि चैम्पियनशिप कें विषय रहैक-विश्व सिनेमा। सुदर्शन जी कें ई पुरस्कार बुधकए मास्को मे देल गेलनि।

सौ दिन मे तैयार हएत धान

डालटनगंज मे जाका स्थित क्षेत्रीय कृषि अनुसंधान केंद्र के वैज्ञानिक अखिलेश साह सौ दिन में तैयार होएवला संकर धानक प्रजाति पीएसी-807 विकसित कएने छथि। हुनका एहि प्रयास मे सफलता एक बरखक परीक्षण के उपरांत भेटल छन्हि। एहि धानक उपज क्षमता 55 क्विंटल प्रति हेक्टेयर छैक। एकर अतिरिक्त,दू टा आओर प्रजाति 27-पी आ उदय-111 चयनित कएल गेल छैक। एकर अवधि 120 सं 125 दिन तथा उपज क्षमता 83 सं 85 क्विंटल प्रति हेक्टेयर छैक। एहि प्रजाति के धान बीजक उपलब्धता मे एखन दू बरख आओर लगबाक संभावना छैक किएक तं बिरसा कृषि विश्वविद्यालय सं अनुशंसा पएबाक लेल तीन बरख कें फसल उपज डाटा देमय पड़ैत छैक। खासकए पलामू के लेल विश्वविद्यालय संकर धानक पीए-6444 प्रजाति के खेती करबाक संस्तुति कएने अछि। पलामू के दोन आ सोत जमीन वला खेत मे खरीफ मौसम मे धान के अलावा कोनहु खेती नहि भ सकैत छैक। पारंपरिक तरीका सं किसान बेसी दिन में तैयार भेनिहार धानक फसिल कें खेती करैत छथि। पर्याप्त पानि नहि भेटलाक कारणे,उपजा कम होइत छैक। तें, जेडआरएस आईआर-64 ललाट, नवीन व सहभागी प्रजाति के धानक खेती कें सिफारिश कएने अछि।
(दैनिक जागरण,रांची,10.5.2010 मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)

Monday, May 10, 2010

पंजाब- हरियाणा मे वर्जिन

वर्जिन मोबाइल आइ सं पंजाब आर हरियाणा में जीएसएम नेटवर्क सेवा शुरु क देलक। कंपनी आनो सर्किल में जीएसएम सेवा द रहल अछि मुदा पंजाब आ हरियाणा मे आइ धरि एकर सेवा सीडीएमए तक सीमित रहए। वर्जिन मोबाइल टाटा टैली आर वर्जिन ग्रुप के संयुक्त उपक्रम छैक आ एकरा खासकए युवा वर्ग के लक्षित कए लांच कएल गेल छैक। वर्जिन मोबाइल पंजाब मे मारिते वैल्यू एडिड सेवा देबाक योजना बनओने अछि जाहि मे, कोनहु नेटवर्क सं अबएवला कॉल पर 10 पैसा प्रति मिनट उपभोक्ता कें देल जएतैक। आउटगोइंग कॉल 20 पैसे मिनट सं 50 पैसा प्रति मिनट तक राखल गेल छैक। प्रीपेड ग्राहक सभहक लेल सेहो एक माह बाद बिल देबाक योजना घोषित कएल गेल अछि ताकि बिल देया कोनो तरहक आशंका नहि रहि जाए। एहि तरहक प्लान संभवतः एहि सं पूर्व कोनो सेवाप्रदाता कत्तहु नहि द रहल अछि। ऑननेट अर्थात् वर्जिन टू वर्जिन एसएमएस फ्री छैक।

कायस्थ मात्र द सकैत अछि सभ कें सही दिशा :शत्रुघ्न सिन्हा

अभिनेता आ भाजपा सांसद शत्रुघ्न सिन्हा कें कहब छन्हि जे कायस्थे टा अल्पसंख्यक, पिछड़ा, शोषित-सभ कें सही दशा-दिशा द सकैत अछि। रविकए मोतिहारी के जिला स्कूल में आयोजित अखिल भारतीय कायस्थ महासभा के उत्तर बिहार क्षेत्रीय महासम्मेलन में ओ कहलनि जे एक समय केन्द्र सरकार आ ब्यूरोक्रेसी मे कायस्थ लोकनिक भागीदारी 40 प्रतिशत रहए जे आब घटिकए मात्र 15 सं 18 प्रतिशत के बीच रहि गेल अछि। शत्रुघ्न जी कहलनि जे कायस्थ समाज कें आगू बढ़बाक छैक आ देशक गौरव कें आओर आगू ल जएबाक छैक। हुनकर कहब रहनि जे हमरा सं अक्सर पूछल जाइत छन्हि जे कलाकार तं सभहक होइत छैक,तखन ओ किएक जातीय सम्मेलन मे हिस्सा लैत छथि तं हम कहैत छिएन्हि जे ई प्रश्न जातीयता के नहि, आत्मीयता के छैक। ओ साफ कहलनि जे जखन हम सभ मजगूत रहब तखने समाज आ राष्ट्र कें मजगूत क सकबैक। जातीय आधार पर जनगणना देया हुनकर कबर रहन्हि जे समाज के जातिविहीन हएब नीक हएत मुदा एहि लेल पहिने हमरा सभ कें स्वयं मजगूत बनए पड़त। ओ दहेज प्रथा आ तंबाकू सेवन पर रोक लगएबाक मांग कएलनि।

SBI मिनी बचत खाता

आब अहां अपन मोबाइल फोन नंबर कें अपन बैंक खाता के नंबर सेहो बना सकैत छी। एहि तरहक मोबाइल फोन खाता सं सभ तरहक लेन-देन आ खरीद क सकब। एहि मे,कोनो तरहक धोखाध़ड़ी के गुंजाईश तं नहिए अछि, बैंक जएबाक झंझटो नहि रहत।

वित्तीय सेवा प्रदाता निजी क्षेत्रक कंपनी एको फाइनेशियल सर्विसेज प्राइवेट लिमिटेड देशक सभ सं पैघ सरकारी बैंक भारतीय स्टेट बैंक के संग मिलिकए, शाखा-मुक्त मोबाइल फोन बैंकिंग कें शुरुआत कएलक अछि। एहि तरहक खाता के नाम भारतीय स्टेट बैंक मिनी बचत खाता देल गेल छैक।

एको कंपनी भारतीय स्टेट बैंक कें नेशनल बिजनेस कॉर्सपोंडेट छैक। ई कंपनी एहन लोक सभ कें बैंकिंग सुविधा देबाक कोशिश क रहल अछि जे आई धरि एहि सं दूर तं छथिए आ बैंकक कागजी परेशानी मे सेहो नहि प़ड़ए चाहैत छथि। एहि तरहक खाता के संचालन कोनहु मोबाइल हैंडसेट के माध्यम सं कएल जा सकैत छैक आर एकरा लेल मोबाइल फोन सेवा प्रदाता कंपनी कें कोनो तरहक शुल्क नहि देमए प़ड़त। एहि खाता के माध्यम सं एक खाता सं दोसर में रुपया हस्तांतरित कएल जा सकैत अछि आ खरीदारी सेहो कएल जा सकैछ।

दिल्ली-एनसीआर, बिहार आर झारखंड मे एहि तरहक ५५ हजार खाता खुजि चुकल अछि आर एहि बरखक अंत धरि १० लाख तक खाता खोलएबाक योजना छैक।

एम्हर राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे एहि प्रयोजन सं चार सौ एजेंट नियुक्त कएल गेल छैक।

तिलकोर आ खमरूआ के तरूआ

पछिला सप्ताह नीतीश जी दरभंगा के यात्रा पर छलाह। खएबा लेल तिलकोर आ खमरूआक तरूआ भेटलनि तं खाइत अघएला नहि। परसन मंगबो मे संकोच नहि कएलनि। देखू हिंदुस्तानक रिपोर्टः

Saturday, May 08, 2010

चारिधामक यात्रा तैयारी पूर्ण

उत्तराखण्ड सरकार यमुनोत्री, गंगोत्री, केदारनाथ आर बद्रीनाथ धामक यात्रा लेल तैयारी पूरा क लेने अछि। मुख्यमंत्री रमेश पोखरियाल निशंक स्वयं तैयारी कें समीक्षा कएलथि। एहि बेर यात्रा के वास्ते 1200 पैघ बस, 200 मिनी बस आर तीन हजार टैक्सी लगाओल जाएत। बस आर टैक्सी बला सभ कें ग्रीन कार्ड सेहो जारी कएल जएतैक। ज्ञातव्य जे चारू धामक यात्रा लेल दस दिन, तीन धामक यात्रा लेल आठ दिन, दू धामक यात्रा के वास्ते छओ दिन आ एक धामक यात्रा हेतु न्यूनतम तीन दिनक अवधि तय कएल गेल छैक। एही अवधि के दौरान वाहन सं यात्रा करए पड़त। एहि सं कम मे यात्रा करओनिहार के खिलाफ शिकायत भेटला पर सख्त कार्रवाई कएल जएतैक।

"कहू त"(14) के परिणाम

"कहू त"श्रृंखला केर चौदहम प्रश्न छल:"बाबूबरही प्रखंड कोन जिला मे अछि?"
विकल्प छलः
1. दरभंगा
2. मधुबनी
3. सीतामढी
4. समस्तीपुर
80 प्रतिशत मतदाता मधुबनी के पक्ष मे छलाह जे सही उत्तर अछि। 20 प्रतिशत मत समस्तीपुर के पक्ष मे प्राप्त भेल।
पुनः नव प्रश्न प्रस्तुत अछि। वोट करू,वोट कराउ।

Friday, May 07, 2010

वर्जिन आ रिलायंस कें नव पैकेज

वर्जिन मोबाइल ब्रैस्पति सं बिहार,उत्तर प्रदेश, मध्यप्रदेश, छत्तीसगढ, कोलकाता आर हरियाणा मे जीएसएम सेवा शुरू कएलक अछि । कंपनी अपन सभ जीएसएम सर्किल मे, कोनहु वर्जिन मोबाइल नम्बर पर मात्र २० पैसा प्रति मिनट के दर पर एसटीडी आ लोकल काल करबाक आजादी देत । एहि लेल अहां कें ने तं कोनो पैक कीनए पड़त आ ने डेली रेंटल कें ओझरी रहत। सीडीएमए मोबाइल सेवा क्षेत्र में आबि रहल प्रतिस्पर्धा कें देखैत, रिलायंस कम्यूनिकेशन सेहो अपन ग्राहक कें असीमित कॉल करबाक सुविधा द रहल अछि । एहि सेवाक वास्ते मासिक शुल्क देबय पड़त । ग्राहक २९९ रुपय्या मासिक शुल्क द कए रिलायंस के नेटवर्क पर असीमित लोकल कॉल क सकैत छी। असीमित एसटीडी कॉल सुविधा के लेल ५९९ रुपया मासिक शुल्क वला पैकेज लेबए पड़त ।