
Monday, May 31, 2010
बात हमारी पक्की है

नव वेरायटी के हरदि
अहमदाबाद के नवसारी कृषि विश्वविद्यालय के एक नव प्रकारक हरदि विकसित करबा मे सफलता भेटल अछि। कहल जा रहल छैकक जे एहि हरदि मे रोग प्रतिरोधक क्षमता बेसी छैक आ उत्पादन सेहो बेसी होइत छैक। एकर नाम एनएयू टरमरिक-1 राखल गेल अछि। एकर विकास भेल छैक विश्वविद्यालय के प्रोफेसर पी एस वाशी के निर्देशन में । प्रो. वाशी एहि पर पछिला छओ बरख सं अनुसंधानरत छलाह। दावा कएल जा रहल छैक जे एहि वेरायटी के हरदि के उत्पादन 35-40 टन प्रति हेक्टेयर रहत जबकि पारंपरिक सुगंधम किस्म के उत्पादन 15-20 टन प्रति हेक्टेयर रहैत छैक।
"शोले" के कालिया के सरकारी मकान

Tuesday, May 25, 2010
मैथिली गायिकी के क्रेज बढि रहल अछिःअंजू झा
मैथिली गीत में अंजना आर्या उर्फ अंजू झा के खास पहचान छन्हि। अँजू झा विद्यापति स्मारक समिति के तत्वावधान में आयोजित जानकी नवमी महोत्सव में हिस्सा लेबाक लेल रांची आएल छलीह। हुनकर कहब छन्हि कि मैथिली गायकी के क्रेज बड्ड बढि गेल छैक आ एकर सुननिहारक संख्या सेहो बढ़ल छैक। मैथिली एलबम सेहो खूब बिका रहल अछि। ई स्थिति दरभंगा वा मधुबनी धरि सीमित नहि छैक अपितु दिल्लीयो में लोग एकरा हाथों-हाथ ल रहल छथि। अंजू जी मैथिली में मारिते गीत गओने छथि। रेडियो स्टेशन सं ल कए सौभाग्य मिथिला चैनल के टाइटल सांग तक हुनके गाओल छन्हि। ओ मैथिली में तं गबिते छथि, भगवती जागरण,हिंदी, भजन, भोजपुरी, अंगिका, तमिल सहित आनो कतेक भाषा में लोक गीत गाबि चुकल छथि। आब नै पहिरब सलवार यौ, हमरा साड़ी मंगा दिय, साया मंगा दिय...., बुढ़वा मांगै छथि करैला के चोखा.. , घुंघटा उठा दिय नै सजना के अतिरिक्तो कतेको चर्चित लोकगीत हुनके गाओलल छन्हि। हुनकर एलबम मिस कॉल बड़ लोकप्रिय भेल अछि। टी-सीरीज में चिहुन के पापा नाम सं नव एलबम अबएवला छन्हि।अंजू जी हमार टीवी, महुआ टीवी व सौभाग्य मिथिला के साथ ऑल इंडिया रेडियो,दिल्ली में नियमित लोकगीत गबैत छथि । हुनकर विचार छन्हि जे गायिकी के क्षेत्र में कलाकार के आब खूब सम्मान भेट रहल छैक आ आब लोक एकरा कैरियर के रूप में अपना सकैत अछि। प्रभात खबरि सं बातचीत में ओ कहलनि कि जतए कतहु स्टेज शो के मौका भेटए, अपनी गायिकी के पूरा तैयारी के साथ पेश कर,एही सं अहां कें एक अलग पहचान भेटत आ अपना आप में आत्मविश्वास सेहो पैदा हएत। हुनकर दृढ़ विश्वास छन्हि जे जं अहांक भीतर प्रतिभा अछि आ अहां पर्याप्त मेहनति करैत छी तं अहां कें गायकी आ कला के केओ नहि दबा सकैत अछि। अंजू झा जी रेडियो धूम के कार्यक्रम में सेहो शामिल भेलीह(प्रभात खबर,रांची,25 मई,2010)
Monday, May 24, 2010
मिथिलाक्षर कें बिसरि गेल मिथिला
पहिरन-ओढन आ भोजन संगहि जं कोनो चीज कोनहु क्षेत्रक परिचायक होइत छैक तं ओ छैक- भाषा। भाषा सहजहिं बोध करबैछ जे व्यक्ति कोन ठामक अछि। भाषा अपन लिखित रूप में ई सामर्थ्य लिपि के माध्यम सं प्राप्त करैछ। एहन भाषा सबहक संख्यो बेसी नहि छैक जकर अपन स्वतंत्र लिपि हुअए। एहि मामिला में मैथिली सौभाग्यशाली अछि जकर अपन स्वतंत्र लिपि छैक। एकरा कहियो वैदेही लिपि कहल गेलैक तं कहियो तिरहुता। वर्तमान में ई मिथिलाक्षर कहाइछ। मुदा एकर जननिहार कतेक गोटे छथि? चाहे विश्वविद्यालय आ कालेज के प्राध्यापक होथि आकि स्कूल के शिक्षक, मैथिली के छात्र होथि आकि गवेषक या फेर आमजन, गिन-गुथल लोक कें मिथिलाक्षर लिखए-पढ़ए अबैत छन्हि। एतबे नहि, मैथिली के छात्र कें परीक्षा में देवाक्षर सं मिथिलाक्षर लिखए लेल कहल जाइत छन्हि मुदा एकर कक्षा शायदे कत्तहु होइत अछि। छात्र या तं कत्तहु सं जोगाड़ कए एकरा लिखैत छथि अथवा 10 या 5 नंबर के एहि प्रश्न कें छोड़िए देब उचित बुझैत छथि। उत्तर पुस्तिका जंचनिहारो एक्कहि-दू गोटे के मिथिलाक्षर अबैत रहैत छन्हि। कहियो एहि ठामक लोग मिथिलाक्षर के एतेक अभ्यस्त रहथि कि प्रायः सभ ग्रंथक लिपि मिथिलाक्षर रहैत छल,चाहे विषय किछु रहए। एतेक धरि जे संस्कृत के हजारों पांडुलिपि आईयो स्थानीय मिथिला शोध संस्थान आ कामेश्र्वर सिंह दरभंगा के पुस्तकालय सहित आन जगह पर धएल अछि, जे मिथिलाक्षर में अछि। मानल जाइत अछि कि करीब सौ-सवा सौ साल पहिने मिथिला मे मिथिलाक्षर सं मोहभंग भए देवनागरी लिपि के प्रति रूझान बढब प्रारम्भ भ गेल छल। तइयो,कहुना-कहुना कए मिथिलाक्षर जीवित रहल। लेखन में उपयोग चाहे बन्न भ गेल हुअए, मुदा अक्षरारंभ में सात-आठ दशक पूर्व धरि एकर अस्तित्व छल। नेना सभ कें मिथिलाक्षरे मे आंजी सिद्धिरस्तु लिखवाकए पढ़ाई शुरू कराओल जाइत छल। क्रमशः,ई परंपरा समाप्त भ गेल आर एकर अस्तित्व मुंडन, उपनयन, विवाह, श्राद्ध आदि पर देयादबादक कें न्योतए लेल लिखल जाएवला पाता (पते) पर रहि गेल। करीब दू दशक पूर्व तक ई परंपरा कायम छल। जहिया सं छपल कार्ड देबाक प्रचलन बढ़ल, पाताक संगहि मिथिलाक्षर सेहो गायब भ गेल। ई आब तेना बिसरा गेल अछि कि दरभंगा जंक्शन पर जखन स्टेशन केर नाम मिथिलाक्षर में अंकित कराओल गेल तं कतेको लोकनि आश्चर्य भाव सं पूछैत देखल गेलाह कि स्टेशनक नाम बंगला में किएक लिखल गेल छैक? ब्राह्मी लिपि सं बहराएल मिथिलाक्षर व बंगला में साम्य सं एहन भ्रम उत्पन्न होइत छैक मुदा दुनू के बीच पर्याप्त अंतर सेहो छैक, जो कम से कम मैथिललोकनिक लेल तं आश्चर्यक गप्प नहिए अछि। मिथिलाक्षरक प्रचलन घटला पर चिंता व्यक्त कएल जाइत छैक। एकर विकासक लेल अतीत में प्रयास सेहो भेल छल। मिथिलाक्षरांकण प्रबंधक समिति,लहेरियासराय 1936 के आसपास प्रेस के कांटा बनओने छल। इलाहाबाद सं, मैथिली के प्रथम इतिहासकार डा. जयकांत मिश्र मिथिलाक्षर सिखएबाक पुस्तिका छपओने छलाह। अखिल भारतीय मैथिली साहित्य परिषद,दरभंगा सेहो मिथिलाक्षर अभ्यास पुस्तिका प्रकाशित कएने छल। कतेको बेर, मिथिलाक्षर सिखएबाक अभियान सेहो चलल,परञ्च मिशन इंपॉसिबल बनल रहल। जगत जननी जानकी कें एक नाम मैथिली सेहो रहनि आ प्रति वर्ष जानकी नवमी पर कतेको संस्था सभ मैथिली दिवस मनबैत अछि। मैथिली के विकासक संकल्प लेल जाइत अछि मुदा मिथिलाक्षर अचर्चित रहि जाइत अछि। एकर विकासक लेल ने कोनो योजना बनैत अछि आ ने कोनो ठोस प्रयास कएल जाइत अछि।(अमलेंदु शेखर पाठक,दैनिक जागरण,पटना,22.5.2010)
Wednesday, May 19, 2010
संस्कृति एक्सप्रेस महोत्सव शुरू

भारत के प्रथम नोबेल पुरस्कार विजेता गुरूदेव रवीन्द्रनाथ ठाकुर के 150म जन्मवार्षिकी के अवसर पर भारतीय रेल के विशेष प्रदर्शनी गाड़ी संस्कृति-यात्रा एक्सप्रेस पटना पहुंच गेल अछि। आइ सं शनि धरि पटना जंक्शन के प्लेटफार्म नौ पर ई ट्रेन ठाढ रहत। प्रदर्शनी भोरे आठ बजे सं सांझ आठ बजे तक खुजल रहत। ई प्रदर्शनी गाड़ी भारतीय रेल के विशिष्ट प्रयासक नतीजा छैक। एहि गाड़ी में विश्वकवि रवीन्द्रनाथ ठाकुर के जीवन आर हुनकर रचना सभ देया विस्तार सं जानकारी देल गेल छैक। प्रदर्शनी पांच डिब्बा मे छैक। प्रथम कोच में जीवन स्मृति के झांकी देखाओल गेल छैक। दोसर कोच में हुनकर कृति के आधार पर गीतांजलि राखल गेल छैक। एही रचना पर हुनका नोबल पुरस्कार भेटल छलन्हि। एहि कोच में गुरुदेव कें कविता, संगीत आर हुनका द्वारा लिखल गेल चिट्ठी सभहक अंश उद्धृत कएल गेल अछि। तेसर कोच के नाम मुक्तधारा राखल गेल छैक।
अमरनाथ यात्रा मोबाइल संग

अमरनाथ यात्रा 1 जुलाई सं शुरु भ रहल अछि। जं अहां अमरनाथ यात्ना पर जा रहल छी तं आब घर-परिवार सं फोन सम्पर्क सं कटल नहि रहब। पवित्न गुफा धरि कत्तहु सं बीएसएनएल के मोबाइल सेवा सं आब बात क सकब।
संचार आ सूचना प्रौद्योगिकी राज्यमत्नी सचिन पायलट के प्रयास सं, पहलगाम आ बालटाल सं अमरनाथ गुफा तक जाएवला दूनू रस्ता पर बीएसएनएल नौ टा टावर लगा रहल अछि जाहि सं श्रद्धालुलोकनि कें नियमित रुप सं मोबाइल सिग्नल भेटतनि। कश्मीर घाटी में 13500 फुट के ऊंचाई पर स्थित पवित्न गुफा के दर्शन करए प्रति वर्ष करीब चारि लाख लोक जाइत छथि।
ई टावर सभ 30 जून तक काज करए लागत। तें,आब घर सं निकललो पर ककरो कोनो तरहक चिंता नहि रहतनि। स्थानीय निवासी, प्रशासनकर्मी आ सुरक्षा बल के जवान के सेहो एकर फायदा भेटतैक आ ओ सभ आपस मे गपिया सकताह आ यात्रीलोकनि सं सम्पर्क राखि सकताह।
ज्ञातव्य जे नौ मे सं चारि टा टावर सड़क मार्ग पर आ शेष पांच पैदल मार्ग पर लगाओल जा रहल छैक।
पटना सं भारत दर्शन

भारतीय रेलवे कैटरिंग एंड टूरिज्म कारपोरेशन लिमिटेड(आईआरसीटीसी) पर्यटक सभ कें कम खर्च मे भारत दर्शन कराओत। योजनांतर्गत देश के महत्वपूर्ण तीर्थस्थल सभहक लेल पटना सं 6 जून कए एक विशेष ट्रेन चलाओल जाएत। आईआरसीटीसी के क्षेत्रीय प्रभारी प्रवीण कुमार कें कहब छन्हि जे 6 जून कए पटना जंक्शन सं विशेष ट्रेन भारत दर्शन के लिए खुजत जे केदारनाथ, बद्रीनाथ, देव प्रयाग, हरिद्वार, ऋषिकेश, गौरी कुंड, कर्ण प्रयाग, विष्णु प्रयाग, रुद्र प्रयाग आर नंद प्रयाग कें दर्शन कराओत। एकर माध्यम सं दिन के यात्रा मे ठहरबाक आ घुमबाक विशेष व्यवस्था कएल गेल छैक। पर्यटक लोकनि कें एहि वास्ते मात्र 6155 रुपय्या जमा कराबए पड़तनि।
Tuesday, May 18, 2010
एकजुटता सं बदलत कायस्थ समाजक तस्वीर

देश भरि मे दस करोड़ के संख्याबल आ बुद्धिजीवी वर्ग में अलग पहचान रहितो, कायस्थ समाज राजनीतिक उपेक्षा के दंश झेल रहल अछि। एकर सभ सं पैघ कारण छैक- समाज में एकजुटता के अभाव। समाज में जं एकजुटता भ जाए,तखने ई परिदृश्य बदैल सकैत अछि। ई विचार उत्तरप्रदेश में कायस्थ चेतना रथ यात्रा के प्रांतीय सम्मेलन में बतौर मुख्य अतिथि मथुरा के विधायक प्रदीप माथुर व्यक्त कएलनि। अखिल भारतीय कायस्थ महासभा द्वारा रविकए कानपुर रोड स्थित सीएमएस प्रेक्षागृह में सम्मेलन आयोजित कएल गेल छल। महासभा के प्रदेश अध्यक्ष ए.के. श्रीवास्तव के नेतृत्व में भेल स्वागत समारोह मे, अपर महान्यायवादी डा.अशोक निगम, विधायक सुरेश कुमार श्रीवास्तव, महासभा के प्रदेश महामंत्री डा. रमेश चंद्र श्रीवास्तव सहित कायस्थ समाज के सैकड़ो लोक शामिल छलाह। डा. रमेश चंद्र श्रीवास्तव कहलनि जे 18 अप्रैल कए सिद्धार्थनगर सं चलल यात्रा करीब 49 जिला सं होइत शनिकए लखनऊ पहुंचल। यात्रा के दौरान कायस्थ समाज मे राजनैतिक चेतना जागृत करबाक लेल, आर्थिक आधार पर आरक्षण के वास्ते जन जागरण करबा पर, कन्या भ्रूण हत्या रोकबा पर, दहेज रहित विवाहक लेल लोक कें जागृत करबा पर आर युवकलोकनि कें स्वरोजगार हेतु प्रेरित करबा पर ज़ोर देल गेलैक आ कतेको सामाजिक सरोकार देया जागरुक बनएबाक लेल प्रचार-प्रसार कएल गेल। सम्मेलन में कायस्थ समाज की वेबसाइट देया सेहो विस्तार सं बताओल गेल।
यूनीनोर के डिस्काउंट प्लान

मोबाईल फोन सेवा प्रदाता कंपनी यूनीनोर बिहार आ झारखंड मे डिस्काउंट प्लान शुरू कएने अछि। ई सेवा सेल-इंफो टेक्नोलॉजी पर आधारित छैक जाहि मे ग्राहक कें बात करए में फिक्स काल रेट सं बेसी आजादी भेटैत छैक। अफ्रीका में 20 मोबाइल आपरेटर कंपनी पहिनहि सं ग्राहक कें एहि तरहक सेवा देल जा रहल छैक मुदा भारत में ई सेवा पहिल बेर शुरु कएल गेल अछि।
एहि सेवाक माध्यम सं नेटवर्क कैपेसेटी युटिलाईजेशन के मैक्सीमाईज कए खाली जगह पर बेहतर काल रेट देल जा सकैत अछि। तें आब यूनीनोर के 50 पैसा के बेस प्लान पर जगह आर समय के बदलबाक संगहि ग्राहक कें काल रेट में 5 सं 60 प्रतिशत तक के छूट भेटतनि। एहि प्लान के तहत हर घंटा डिस्काउंट के दर बदलैत रहत आ चौबीसो घंटा ग्राहक कें काल पर अलग-अलग हिसाब सं छूट भेटतैक। यूनीनोर पहिने ई सेवा दक्षिण भारत के किछु सर्कल में शुरु कएने छल आर आब एकरा बिहार-झारखंड सर्कल में लांच क रहल अछि।
शंकर ने बताया कि बिहार और झारखंड में उनकी कंपनी ने अपनी सेवा की शुरुआत गत वर्ष दिसंबर महीने में की थी और मार्च महीने तक उनके ग्राहकों की संख्या बढ़कर छह लाख पहुंच गई है।
Monday, May 17, 2010
बिट्टो

सहारा वन चैनल पर आइ सं धारावाहिक बिट्टो शुरू भ रहल अछि। एहि मे,उत्तरप्रदेश के एक गामक पृष्ठभूमि मे सामाजिक भेदभाव के देखाओल गेल छैक। सवर्ण द्वारा छोटका जातिक लोग के प्रतिएं अत्याचार एकर कथानक के मूल अछि। धारावाहिक मे,बिट्टो एक ग्रामीण युवती छैक जकर सेहन्ता एतबे टा छैक जे ओकर परिवार खुशहाल आ सुरक्षित हु्अए। ओकर बहिन रज्जो बड्ड तमसाह स्वभावक छैक मुदा बिट्टो संकोची आ भीरू प्रवृति के अछि। ओकर परिवार एहन गाम मे बसैत छैक जतए उच्च आ निम्न जातिक मध्य स्पष्ट विभाजन रेखा छैक। ग्राम प्रधान आ उच्च जातिक बड़का ठाकुर छोटका जातिक लोक सभ पर बड़ अत्याचार करैत अछि। धारावाहिक के प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं शुक्र धरि राति साढे आठ बजे सं हएत।
मिस्टर एंड मिसेज शर्मा इलाहाबाद वाले


आइ सं सब टीवी पर मिस्टर एंड मिसेज शर्मा-इलाहाबाद वाले धारावाहिक शुरु भ रहल अछि। ई धारावाहिक एक छोट शहर के,मध्यमवर्गीय परिवार के मुंबई अएलाक बाद रोज़मर्रा के जद्दोजहद पर आधारित छैक। परिवारक मुखिया दृष्टद्युम्न सर्वेश्वर शर्मा एक साधारण आदमी छैक जे अपन परिवार आ नौकरी सं संतुष्ट अछि। ओ मारिते तरहक विश्वास आ रीति-रेवाजक बोझ कन्हा पर लदने रहैत अछि। मुदा ओकर कनिया रश्मि शर्मा के मोन छैक जे पैघ शहर मे जाइ आ ओहि ठामक तड़क-भड़क मे रही। रश्मि के अपन घरवला पर पूरा विश्वास सेहो छैक। एहि बीच,सर्वेश्वर के ओकर कंपनी मुंबई जएबाक प्रस्ताव दैत छैक जकरा ओ सहर्ष स्वीकार क लैत छथि। ओकर बाद मुंबई मे एहि दम्पत्ति के जे चुनौती के सामना करए पड़ैत छैक,सएह थिक एहि धारावाहिक के कथ्य। एहि मे,धारावाहिक दुल्हन सं चर्चित भेल दिव्यांका मिसेज शर्मा के रोल मे छथि। मिस्टर शर्मा के रोल कएने छथि श्री राजेश। एहि धारावाहिक के निर्माण कएने छथि उज्जवल वैना जे ऐक्टर रहल छथि। एहि शो के माध्यम सं दिव्यांका के टेलीविजन पर वापसी भ रहल छन्हि। धारावाहिक के प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं ब्रैस्पति तक राति साढे नौ बजे सं हएत।
मन्नार एशिया के दोसर सभ सं लोकप्रिय पर्यटन स्थल

जं गर्मी के छुट्टी मे कतहु जएबाक मोन बना रहल छी तं केरल जा सकैत छी। ट्रिप एडवाइजर्स-2010 ट्रेवलर्स चॉइस डेस्टिनेशन अवार्ड में केरल के मन्नार कें, एशिया के सभसं लोकप्रिय पर्यटन स्थल मे दोसर स्थान भेटल छैक। पहिल स्थान भेटल छैक जापान के राजधानी टोक्यो के। सूची में शामिल आन भारतीय स्थल मे, अंडमान-निकोबार द्वीप समूह छठम, मनाली सातम, हंपी आठम, गोवा नवम, उदयपुर बारहम, गंगटोक 19म, बेंगलूर बीसम आर धर्मशाला 22म स्थान पर रहल। मन्नार कें एशिया के दोसर सबसं लोकप्रिय पर्यटन स्थल घोषित हएब एहि बातक संकेत छैक कि मन्नार के चाय बागान आ घाटी सभहक प्रतिएं पर्यटक सभ मे खूब आकर्षण छैक। पच्चीस पर्यटन स्थल केर एशियाई सूची मे, कंबोडिया के सिएम रीप तेसर, जापान के क्योटो चारिम आर जापान के नाहा पांचम स्थान पर रहल।
(चित्र विवरणः ऐतिहासिक मन्नार ब्रिज जे एलटीटीई द्वारा नष्ट क देल गेल छल)
Friday, May 14, 2010
कंप्यूटर पर वायस मैसेज टेक्सट फॉर्मेट मे

Tuesday, May 11, 2010
सुदर्शन पटनायक कें राजकपूरक चित्र पर स्वर्णपदक

सौ दिन मे तैयार हएत धान
डालटनगंज मे जाका स्थित क्षेत्रीय कृषि अनुसंधान केंद्र के वैज्ञानिक अखिलेश साह सौ दिन में तैयार होएवला संकर धानक प्रजाति पीएसी-807 विकसित कएने छथि। हुनका एहि प्रयास मे सफलता एक बरखक परीक्षण के उपरांत भेटल छन्हि। एहि धानक उपज क्षमता 55 क्विंटल प्रति हेक्टेयर छैक। एकर अतिरिक्त,दू टा आओर प्रजाति 27-पी आ उदय-111 चयनित कएल गेल छैक। एकर अवधि 120 सं 125 दिन तथा उपज क्षमता 83 सं 85 क्विंटल प्रति हेक्टेयर छैक। एहि प्रजाति के धान बीजक उपलब्धता मे एखन दू बरख आओर लगबाक संभावना छैक किएक तं बिरसा कृषि विश्वविद्यालय सं अनुशंसा पएबाक लेल तीन बरख कें फसल उपज डाटा देमय पड़ैत छैक। खासकए पलामू के लेल विश्वविद्यालय संकर धानक पीए-6444 प्रजाति के खेती करबाक संस्तुति कएने अछि। पलामू के दोन आ सोत जमीन वला खेत मे खरीफ मौसम मे धान के अलावा कोनहु खेती नहि भ सकैत छैक। पारंपरिक तरीका सं किसान बेसी दिन में तैयार भेनिहार धानक फसिल कें खेती करैत छथि। पर्याप्त पानि नहि भेटलाक कारणे,उपजा कम होइत छैक। तें, जेडआरएस आईआर-64 ललाट, नवीन व सहभागी प्रजाति के धानक खेती कें सिफारिश कएने अछि।
(दैनिक जागरण,रांची,10.5.2010 मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)
(दैनिक जागरण,रांची,10.5.2010 मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)
Monday, May 10, 2010
पंजाब- हरियाणा मे वर्जिन

कायस्थ मात्र द सकैत अछि सभ कें सही दिशा :शत्रुघ्न सिन्हा
अभिनेता आ भाजपा सांसद शत्रुघ्न सिन्हा कें कहब छन्हि जे कायस्थे टा अल्पसंख्यक, पिछड़ा, शोषित-सभ कें सही दशा-दिशा द सकैत अछि। रविकए मोतिहारी के जिला स्कूल में आयोजित अखिल भारतीय कायस्थ महासभा के उत्तर बिहार क्षेत्रीय महासम्मेलन में ओ कहलनि जे एक समय केन्द्र सरकार आ ब्यूरोक्रेसी मे कायस्थ लोकनिक भागीदारी 40 प्रतिशत रहए जे आब घटिकए मात्र 15 सं 18 प्रतिशत के बीच रहि गेल अछि। शत्रुघ्न जी कहलनि जे कायस्थ समाज कें आगू बढ़बाक छैक आ देशक गौरव कें आओर आगू ल जएबाक छैक। हुनकर कहब रहनि जे हमरा सं अक्सर पूछल जाइत छन्हि जे कलाकार तं सभहक होइत छैक,तखन ओ किएक जातीय सम्मेलन मे हिस्सा लैत छथि तं हम कहैत छिएन्हि जे ई प्रश्न जातीयता के नहि, आत्मीयता के छैक। ओ साफ कहलनि जे जखन हम सभ मजगूत रहब तखने समाज आ राष्ट्र कें मजगूत क सकबैक। जातीय आधार पर जनगणना देया हुनकर कबर रहन्हि जे समाज के जातिविहीन हएब नीक हएत मुदा एहि लेल पहिने हमरा सभ कें स्वयं मजगूत बनए पड़त। ओ दहेज प्रथा आ तंबाकू सेवन पर रोक लगएबाक मांग कएलनि।
SBI मिनी बचत खाता
आब अहां अपन मोबाइल फोन नंबर कें अपन बैंक खाता के नंबर सेहो बना सकैत छी। एहि तरहक मोबाइल फोन खाता सं सभ तरहक लेन-देन आ खरीद क सकब। एहि मे,कोनो तरहक धोखाध़ड़ी के गुंजाईश तं नहिए अछि, बैंक जएबाक झंझटो नहि रहत।
वित्तीय सेवा प्रदाता निजी क्षेत्रक कंपनी एको फाइनेशियल सर्विसेज प्राइवेट लिमिटेड देशक सभ सं पैघ सरकारी बैंक भारतीय स्टेट बैंक के संग मिलिकए, शाखा-मुक्त मोबाइल फोन बैंकिंग कें शुरुआत कएलक अछि। एहि तरहक खाता के नाम भारतीय स्टेट बैंक मिनी बचत खाता देल गेल छैक।
एको कंपनी भारतीय स्टेट बैंक कें नेशनल बिजनेस कॉर्सपोंडेट छैक। ई कंपनी एहन लोक सभ कें बैंकिंग सुविधा देबाक कोशिश क रहल अछि जे आई धरि एहि सं दूर तं छथिए आ बैंकक कागजी परेशानी मे सेहो नहि प़ड़ए चाहैत छथि। एहि तरहक खाता के संचालन कोनहु मोबाइल हैंडसेट के माध्यम सं कएल जा सकैत छैक आर एकरा लेल मोबाइल फोन सेवा प्रदाता कंपनी कें कोनो तरहक शुल्क नहि देमए प़ड़त। एहि खाता के माध्यम सं एक खाता सं दोसर में रुपया हस्तांतरित कएल जा सकैत अछि आ खरीदारी सेहो कएल जा सकैछ।
दिल्ली-एनसीआर, बिहार आर झारखंड मे एहि तरहक ५५ हजार खाता खुजि चुकल अछि आर एहि बरखक अंत धरि १० लाख तक खाता खोलएबाक योजना छैक।
एम्हर राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे एहि प्रयोजन सं चार सौ एजेंट नियुक्त कएल गेल छैक।
वित्तीय सेवा प्रदाता निजी क्षेत्रक कंपनी एको फाइनेशियल सर्विसेज प्राइवेट लिमिटेड देशक सभ सं पैघ सरकारी बैंक भारतीय स्टेट बैंक के संग मिलिकए, शाखा-मुक्त मोबाइल फोन बैंकिंग कें शुरुआत कएलक अछि। एहि तरहक खाता के नाम भारतीय स्टेट बैंक मिनी बचत खाता देल गेल छैक।
एको कंपनी भारतीय स्टेट बैंक कें नेशनल बिजनेस कॉर्सपोंडेट छैक। ई कंपनी एहन लोक सभ कें बैंकिंग सुविधा देबाक कोशिश क रहल अछि जे आई धरि एहि सं दूर तं छथिए आ बैंकक कागजी परेशानी मे सेहो नहि प़ड़ए चाहैत छथि। एहि तरहक खाता के संचालन कोनहु मोबाइल हैंडसेट के माध्यम सं कएल जा सकैत छैक आर एकरा लेल मोबाइल फोन सेवा प्रदाता कंपनी कें कोनो तरहक शुल्क नहि देमए प़ड़त। एहि खाता के माध्यम सं एक खाता सं दोसर में रुपया हस्तांतरित कएल जा सकैत अछि आ खरीदारी सेहो कएल जा सकैछ।
दिल्ली-एनसीआर, बिहार आर झारखंड मे एहि तरहक ५५ हजार खाता खुजि चुकल अछि आर एहि बरखक अंत धरि १० लाख तक खाता खोलएबाक योजना छैक।
एम्हर राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे एहि प्रयोजन सं चार सौ एजेंट नियुक्त कएल गेल छैक।
तिलकोर आ खमरूआ के तरूआ
Saturday, May 08, 2010
चारिधामक यात्रा तैयारी पूर्ण
उत्तराखण्ड सरकार यमुनोत्री, गंगोत्री, केदारनाथ आर बद्रीनाथ धामक यात्रा लेल तैयारी पूरा क लेने अछि। मुख्यमंत्री रमेश पोखरियाल निशंक स्वयं तैयारी कें समीक्षा कएलथि। एहि बेर यात्रा के वास्ते 1200 पैघ बस, 200 मिनी बस आर तीन हजार टैक्सी लगाओल जाएत। बस आर टैक्सी बला सभ कें ग्रीन कार्ड सेहो जारी कएल जएतैक। ज्ञातव्य जे चारू धामक यात्रा लेल दस दिन, तीन धामक यात्रा लेल आठ दिन, दू धामक यात्रा के वास्ते छओ दिन आ एक धामक यात्रा हेतु न्यूनतम तीन दिनक अवधि तय कएल गेल छैक। एही अवधि के दौरान वाहन सं यात्रा करए पड़त। एहि सं कम मे यात्रा करओनिहार के खिलाफ शिकायत भेटला पर सख्त कार्रवाई कएल जएतैक।
"कहू त"(14) के परिणाम
"कहू त"श्रृंखला केर चौदहम प्रश्न छल:"बाबूबरही प्रखंड कोन जिला मे अछि?"
विकल्प छलः
1. दरभंगा
2. मधुबनी
3. सीतामढी
4. समस्तीपुर
80 प्रतिशत मतदाता मधुबनी के पक्ष मे छलाह जे सही उत्तर अछि। 20 प्रतिशत मत समस्तीपुर के पक्ष मे प्राप्त भेल।
पुनः नव प्रश्न प्रस्तुत अछि। वोट करू,वोट कराउ।
विकल्प छलः
1. दरभंगा
2. मधुबनी
3. सीतामढी
4. समस्तीपुर
80 प्रतिशत मतदाता मधुबनी के पक्ष मे छलाह जे सही उत्तर अछि। 20 प्रतिशत मत समस्तीपुर के पक्ष मे प्राप्त भेल।
पुनः नव प्रश्न प्रस्तुत अछि। वोट करू,वोट कराउ।
Friday, May 07, 2010
वर्जिन आ रिलायंस कें नव पैकेज
वर्जिन मोबाइल ब्रैस्पति सं बिहार,उत्तर प्रदेश, मध्यप्रदेश, छत्तीसगढ, कोलकाता आर हरियाणा मे जीएसएम सेवा शुरू कएलक अछि । कंपनी अपन सभ जीएसएम सर्किल मे, कोनहु वर्जिन मोबाइल नम्बर पर मात्र २० पैसा प्रति मिनट के दर पर एसटीडी आ लोकल काल करबाक आजादी देत । एहि लेल अहां कें ने तं कोनो पैक कीनए पड़त आ ने डेली रेंटल कें ओझरी रहत। सीडीएमए मोबाइल सेवा क्षेत्र में आबि रहल प्रतिस्पर्धा कें देखैत, रिलायंस कम्यूनिकेशन सेहो अपन ग्राहक कें असीमित कॉल करबाक सुविधा द रहल अछि । एहि सेवाक वास्ते मासिक शुल्क देबय पड़त । ग्राहक २९९ रुपय्या मासिक शुल्क द कए रिलायंस के नेटवर्क पर असीमित लोकल कॉल क सकैत छी। असीमित एसटीडी कॉल सुविधा के लेल ५९९ रुपया मासिक शुल्क वला पैकेज लेबए पड़त ।
Thursday, May 06, 2010
मध्यप्रदेश मे वन्या रेडियो
मध्यप्रदेश मे,सुदूर अंचल में रहनिहार ग्रामीण आ खासकए जनजातीय लोक सभ आब अपन बात आसानी सं रेडियो के माध्यम सं कहि सकेताह। ओ रेडियो सं प्रसारण लेल कार्यक्रमो स्वयं बनाओताह आ प्रसारणो हुनके बोली मे कएल जाएत। 5 अप्रील कए,मध्यप्रदेशक आदिम जाति कल्याण विभाग के उपक्रम वन्या के प्रबंध संचालक श्रीराम तिवारी का भोपाल मे होटल अशोका लेक व्यू में वन्या आ यूएनएफपीए द्वारा आयोजित सामुदायिक रेडियो केंद्र के प्रोग्राम निर्माता, कलाकार आ आलेख लेखक के प्रशिक्षण कार्यक्रम के उद्घाटन समारोह में कहलनि कि देश में पहिल बेर कम्युनिटी रेडियो के भागीदारी सुनिश्चित कएल जा रहल अछि। प्रशिक्षण कार्यक्रम मे, मातृ मृत्यु दर मे कमी आनबाक लेल,संस्थागत प्रसव कें बढ़ावा देबा लेल आ परिवार नियोजन आदि गंभीर विषय पर चर्चा भेल। यूएनएफपीए के स्टेट प्रोग्राम आफिसर तेजराम जाट प्रशिक्षण कार्यक्रम देया कहलनि कि एहन कम्युनिटी रेडियो प्रोग्राम बनाएल जएबाक चाही जाहि सं ग्रामीण महिलालोकनि मे स्वास्थ्य के प्रति जागरूकता बढ़ए आ ओ सभ सरकारी योजनाओं कें लाभ उठा सकथि।
टीवी चैनल के सर्च इंजन-"ह्वाट्स ऑन इंडिया" लांच

Wednesday, May 05, 2010
महिला ट्वेंटी-ट्वेंटी क्रिकेट विश्वकप शुरू। कार्यक्रम नोट करू

5 मईः वेस्टइंडीज-द.अफ्रीकाक-शाम 7.30 बजे
5मईः इंग्लैंड-आस्ट्रेलिया-रात्रि 11.30 बजे
6मईः श्रीलंका-पाकिस्तान-शाम 7.30 बजे
6 मईः न्यूजीलैंड-भारत-रात्रि 11.30 बजे
7 मईः आस्ट्रेलिया-द.अफ्रीका-शाम 7.30 बजे
7 मईः इंग्लैंड-वेस्टइंडीज-रात्रि 11.30 बजे
8मईः भारत-पाकिस्तान-शाम 7.30 बजे
8 मईः न्यूजीलैंड-श्रीलंका-रात्रि 11.30 बजे
9 मईः इंग्लैंड-द.अफ्रीका-शाम 7.30 बजे
9 मईः आस्ट्रेलिया-वेस्टइंडीज-रात्रि 11.30 बजे
10 मईः न्यूजीलैंड-पाकिस्तान-शाम 7.30 बजे
10 मईः भारत-श्रीलंका-रात्रि 11.30 बजे
13 मई-सेमीफाइनल-रात्रि 1.30 बजे
14 मई-सेमीफाइनल-रात्रि 1.30 बजे
16 मई-फाईनल-रात्रि 1.30 बजे
Tuesday, May 04, 2010
"कहू त"(13) के परिणाम
"कहू त" श्रृंखला केर तेरहम प्रश्न छल:
" जनक केर पुष्पवाटिका मधुबनी जिलाक कोन गाम में मानल जाइत छैक ?"
विकल्प छलः
1. फुलहर
2. बहेड़ा
3. दड़िमा
4. बेलाराही
प्राप्त उत्तर मे सं पचास प्रतिशत फुलहर के पक्ष मे छल आ पचास प्रतिशत बेलाराही के पक्ष मे। सही उत्तर अछि-फुलहर।
" जनक केर पुष्पवाटिका मधुबनी जिलाक कोन गाम में मानल जाइत छैक ?"
विकल्प छलः
1. फुलहर
2. बहेड़ा
3. दड़िमा
4. बेलाराही
प्राप्त उत्तर मे सं पचास प्रतिशत फुलहर के पक्ष मे छल आ पचास प्रतिशत बेलाराही के पक्ष मे। सही उत्तर अछि-फुलहर।
कालिदास रंगालय मे "विद्यापति"



Monday, May 03, 2010
ज्योतिषी कें चुनौतीः23 मे सं एकहुटा शर्त पूरा करू,लाखों रूपैया के इनाम जीतू
तर्कशील सोसायटी कें पंजाब जोन के जत्थेबंदक मुखी जरनैल क्रांति काल्हि मोहाली मे कहलनि कि ज्योतिष आ वास्तुशास्त्र पर पाबंदी लगा देबाक चाही। ओ आरोप लगओलन्हि कि केंद्र सरकार एहि दुनू चीज पर रोक नहि लगाबए चाहैत अछि। उल्लेखनीय अछि जे पछिले हफ़्ता,मुंबई हाईकोर्ट में ज्योतिषी आ वास्तु शास्त्र पर रोक लगएबाक मांग संबंधी एक जनहित याचिका कें कोर्ट ठुकरा देने अछि। क्रांति के तर्क छन्हि जे एहि केस में वैज्ञानिक आधार पर केंद्र सरकार कें अपन राय हाईकोर्ट के देबाक चाहै छल। परन्तु, केंद्रीय डिप्टी ड्रग कंट्रोलर डा. आरएम कृष्णा कहि देलनि जे ज्योतिषशास्त्र आ संबंधित विज्ञान चारि हजार वर्ष पुरान अछि,तें एहि पर रोक नहि लगाओल जा सकैछ। क्रांति कें कहब छन्हि जे जं ज्योतिष आ वास्तुशास्त्र विज्ञान अछि तं तर्कशीललोकनिक चैलेंज कें स्वीकार करबाक चाही। ओ कहलनि जे विज्ञान कें जनता के उपस्थिति में प्रयोग कए सिद्ध कएल जा सकैत अछि, परन्तु पंजाब में तर्कशील सोसायटी के पास आइ धरि कोनो ज्योतिषी अपन विज्ञान कें प्रयोग द्वारा सिद्ध नहि क सकल अछि। स्वयं कें ज्योतिषी कहनिहारलोकनि आम जनता के कचहरी में आबि कए तर्कशील सोसायटी के 23 शर्त मे सं कोनो एकहुटा पूरा क कए अथवा कोनो चमत्कार देखा कए लाखों रुपया ईनाम जीत सकैत अछि।
साथ निभाना साथिया

दोसर दिस छैक कोकिलाबेन जे पुतहु पर शासन करबाक स्वप्न देखैत अछि। ओकर बेटा अहम अपन माए कें पूर्ण नियंत्रण में अछि। अहम के मातहत एक कर्मचारी छैक-जिगर । बड्ड नीक आ सहज। जिगर ने तं अहम सन महत्वाकांक्षी अछि आ ने अहंकारी। ओकर माए छैक-हेतल। कोकिलाबेन आ हेतल दुनू के सासु छथि-बा। बाकी सभ गोटे तं बा कें सम्मान करैत छैक मुदा कोकिलाबेन ओकर अनदेखी कए अपन मनमानी करैत रहैत छैक।
धारावाहिक के प्रारम्भ होइत छैक कोकिलाबेन कें पुत्रवधू तलाश सं। ओकरा चाही एहन साधारण बहु जे हुनकर शासन मे रहि सकए। ई तलाश गोपी पर आबि कए समाप्त होइत छैक।
ओम्हर,गोपी के बहिन राशि जोड़-तोड़ कए जिगर सं बियाह क लैत अछि। राशि के एकहि टा उद्देश्य छैक-अपन सरल स्वभाव सासु हेतल आ पति पर शासन करब। सासुर में अएलाक उपरांत गोपी आ राशि के समय केना बीतैत छैक आ गोपी कें, सासु मे अपन माए भेट पबैत छैक कि नहि,इएह अछि एहि सीरियल के लब्बोलुआब।
धारावाहिक केर प्रसारण सोम सं शुक्र धरि सांझ सात बजे सं हएत।
कायस्थ अदालत में विकास पर जोर
काल्हि पटना कें भारतीय नृत्यकला मंदिर में कायस्थ अदालत केर आयोजन भेल। एहि अवसर पर कायस्थ चित्रगुप्त सेना के वक्तालोकनि युवा सभहक आर्थिक विकास कें विकल्प पर चर्चा कएलनि। अध्यक्ष अखिलेश कुमार श्रीवास्तव कहलनि जे कायस्थ समाज कें बच्चा सभ कें रोजगारपरक शिक्षा देमए पड़तैक आ जं ई नहि भेल तं कायस्थलोकनि कें, गामक बाद आब शहरो छोड़िकए जाए पड़तनि। कार्यक्रम मे एहि बात पर सहमति बनल जे एकजुट रहिए कए परिवारक आर्थिक विकासक संगहि सामाजिक, शैक्षणिक आ समाज मे पसरल कुरीति सभ कें दूर कएल जा सकैत अछि। पूर्व विकास आयुक्त शंकर शरण कें कहब रहनि कि कायस्थ के जाति सं नहि बल्कि गुण सं चीन्हल जाइत छैक। इस अवसर पर झारखंड के पूर्व आरक्षी महानिरीक्षक टीपी सिन्हा कें प्रशासन, अरुण सिन्हा कें व्यवसाय, पत्रकारिता क्षेत्र में ब्रजनंदन, माधव सिन्हा कें समाज सेवा, लेखन क्षेत्र में सुधा कर्ण, कविता के लेल चक्रधर प्रसाद आर कृष्ण मोहन, साहित्य के क्षेत्र मे विपिन बिहारी नंदन, चिकित्सा के क्षेत्र में हड्डी रोग विशेषज्ञ केएल लाल, इतिहास के क्षेत्र मे उल्लेखनीय कार्य लेल प्रो. युवा देव प्रसाद आदि कें सम्मानित कएल गेल। मंच संचालन सेना के महासचिव आशुतोष नारायण सिन्हा,अतिथि सभहक स्वागत हरिहर सिन्हा आ धन्यवाद ज्ञापन रविनंदन सहाय निपू कएलनि।
नव पेंशन योजना लागू भेल
भारत सरकार के नव पेंशन योजना आम जनता लेल खुजि गेल अछि। पेंशन फंड नियामक व विकास प्राधिकरण एकर कार्यान्वयन लेल डाक विभाग कें अधिकृत कएने अछि। बिहार के विभिन्न जिला मे स्थापित 31 मुख्य डाकघर में ई सुविधा सुविधा 30 अप्रैल सं आरंभ भ गेल। एहि पेंशन योजना मे, आवेदक कें एक स्थाई रिटायरमेंट अकाउंट नंबर देल जएतैक जाहि सं पेंशन खाता कें जानकारी भेटतैक। एहि लेल 18 सं 55 साल धरिक लोक सभ डाकघर मे परिचय, पता आ उम्र संबंधी कागजात के साथ आवेदन क सकैत छथि । एकटा फोटो सेहो लागत । पेंशन स्कीम के तहत आवेदक इक्विटी, कारपोरेट बांड आ सरकारी प्रतिभूति में सं ककरहु चयन क सकताह।
Sunday, May 02, 2010
ईएसआई आ ग्रैच्युटी के दायरा बढ़ल
सरकार उद्योग में कार्यरत कर्मचारी सभ कें स्वास्थ्य सुविधा देबा लेल कर्मचारी राज्य बीमा निगम (ईएसआई) कें दायरा बढ़ा देने अछि। आब 15 हजार रुपय्या मासिक तक वेतन पओनिहार कर्मचारी ईएसआई के लाभ ल सकताह। ई सुविधा काल्हि एक मई सं लागू भ गेल अछि। पहिने ई सुविधा छह हजार रुपया तक मासिक वेतन पओनिहार धरि सीमित रहए। ओकर बाद,किछु बरख पूर्व, एकर सीमा बढ़ाकए दस हजार रुपया कएल गेल छल। एकटा आओर खुशखबरी ई अछि जे आब निजी क्षेत्र में नौकरी करनिहारलोकनि अपन नियोक्ता सं ग्रेच्युटी पएबाक हकदार सेहो भ गेल छथि। केंद्र सरकार देश के करीब 20 लाख निजी छोट-पैघ स्तर के शिक्षक कें एहि अधिनियम के दायरा में आनिकए सभ निजी कर्मी सभहक लेल ग्रेच्युटी सुविधा अनिवार्य क देने अछि जे एखनि धरि एहि सं वंचित छलाह।
मई,2010 कें पाबनि-तिहार
1 मई: संकष्टी श्रीगणेश चतुर्थी व्रत
6 मई: कालाष्टमी व्रत, शीतलाष्टमी
9 मई: पुरुषोत्तमी कमला एकादशी व्रत
11 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु)
12 मई: मासिक शिवरात्रि व्रत
13 मई: श्राद्ध केर अमावस्या
14 मई: स्नान-दान केर अमावस्या, मलमास समाप्त
15 मई: वृष-संक्रान्ति केर पुण्यकाल प्रात: 10.11 बजे तक,गोदावरी-स्नान, नवीन चन्द्र-दर्शन
16 मई: अक्षय तृतीया
17 मई: वरदविनायक चतुर्थी व्रत, बगलामुखी जयंती
19 मई: चंदनषष्ठी
20 मई: गंगा सप्तमी-गंगा जयंती, मध्याह्न मे गंगा-पूजा
21 मई: श्रीदुर्गाष्टमी व्रत, श्रीअन्नपूर्णाष्टमी व्रत, बगलामुखी महाविद्या जयंती,
22 मई: मैथिली दिवस, सीतानवमी व्रत, जानकी जयंती महोत्सव,
24 मई: विजया एकादशी व्रत, मोहिनी एकादशी व्रत, रुक्मिणी द्वादशी,
25 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु),
26 मई: नृसिंह चतुर्दशी व्रत, नृसिंहावतार जयंती, छिन्नमस्ता महाविद्या जयंती,
27 मई: स्नान-दान-व्रत के वैशाखी पूर्णिमा, बुद्ध पूर्णिमा, गन्धेश्वरी पूजा (बंगाल), वैशाख स्नान-नियम पूर्ण
31 मई: संकष्टी श्रीगणेश चतुर्थी व्रत
एहि मासक राशिवार शुभ-अशुभ तिथि
मेष राशि
शुभ तिथि :- 2,4,5,7,9,10,11,23,25,29,30
अशुभ तिथि :- 6,13,15,16,18,19,20
वृषभ
शुभ तिथि :- 1,5,11,17,18,21,23,26,28,29
अशुभ तिथि :-3,12,22,24,27,30,31
मिथुन
शुभ तिथि:-1,6,11,16,19,25,27,31
अशुभ तिथि:-8,10,18,22,26,30
कर्क राशि
शुभ तिथि:- 13,21,22,25,26,29,31
अशुभ तिथि:- 6,8,10,11,14,17,18,19
सिंह राशि
शुभ तिथि:-4,5,7,9,26,27,29,30
अशुभ तिथि:-3,8,12,13,16,18,21,22
कन्या
शुभ तिथि:6,17,22,24,25,26,27
अशुभ तिथि:3,6,7,8,10,13,14,20,21
तुला
शुभ तिथि:-1,10,14,15,16,19,30
अशुभ तिथि:9,16,18,20,26,29
वृश्चिक
शुभ तिथि:-10,18,19,20,25,26,27
अशुभ तिथि:-2,3,4,11,12,16,30,31
धनु
शुभ तिथि:6,13,17,19,20,23,25,30,31
अशुभ तिथि:3,8,11,16,26,28
मकर
शुभ तिथि:-6,9,15,20,22,24,29
अशुभ तिथि:- 3,8,13,16,18,23
कुम्भ
शुभ तिथि:-1,2,5,14,15,16,27,30
अशुभ तिथि:- 6,7,8,18,21,22,23
मीन
शुभ तिथि:2,8,18,24,27,28
अशुभ तिथि:-3,7,19,21,26,31
6 मई: कालाष्टमी व्रत, शीतलाष्टमी
9 मई: पुरुषोत्तमी कमला एकादशी व्रत
11 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु)
12 मई: मासिक शिवरात्रि व्रत
13 मई: श्राद्ध केर अमावस्या
14 मई: स्नान-दान केर अमावस्या, मलमास समाप्त
15 मई: वृष-संक्रान्ति केर पुण्यकाल प्रात: 10.11 बजे तक,गोदावरी-स्नान, नवीन चन्द्र-दर्शन
16 मई: अक्षय तृतीया
17 मई: वरदविनायक चतुर्थी व्रत, बगलामुखी जयंती
19 मई: चंदनषष्ठी
20 मई: गंगा सप्तमी-गंगा जयंती, मध्याह्न मे गंगा-पूजा
21 मई: श्रीदुर्गाष्टमी व्रत, श्रीअन्नपूर्णाष्टमी व्रत, बगलामुखी महाविद्या जयंती,
22 मई: मैथिली दिवस, सीतानवमी व्रत, जानकी जयंती महोत्सव,
24 मई: विजया एकादशी व्रत, मोहिनी एकादशी व्रत, रुक्मिणी द्वादशी,
25 मई: भौम-प्रदोष व्रत (ऋणमोचन हेतु),
26 मई: नृसिंह चतुर्दशी व्रत, नृसिंहावतार जयंती, छिन्नमस्ता महाविद्या जयंती,
27 मई: स्नान-दान-व्रत के वैशाखी पूर्णिमा, बुद्ध पूर्णिमा, गन्धेश्वरी पूजा (बंगाल), वैशाख स्नान-नियम पूर्ण
31 मई: संकष्टी श्रीगणेश चतुर्थी व्रत
एहि मासक राशिवार शुभ-अशुभ तिथि
मेष राशि
शुभ तिथि :- 2,4,5,7,9,10,11,23,25,29,30
अशुभ तिथि :- 6,13,15,16,18,19,20
वृषभ
शुभ तिथि :- 1,5,11,17,18,21,23,26,28,29
अशुभ तिथि :-3,12,22,24,27,30,31
मिथुन
शुभ तिथि:-1,6,11,16,19,25,27,31
अशुभ तिथि:-8,10,18,22,26,30
कर्क राशि
शुभ तिथि:- 13,21,22,25,26,29,31
अशुभ तिथि:- 6,8,10,11,14,17,18,19
सिंह राशि
शुभ तिथि:-4,5,7,9,26,27,29,30
अशुभ तिथि:-3,8,12,13,16,18,21,22
कन्या
शुभ तिथि:6,17,22,24,25,26,27
अशुभ तिथि:3,6,7,8,10,13,14,20,21
तुला
शुभ तिथि:-1,10,14,15,16,19,30
अशुभ तिथि:9,16,18,20,26,29
वृश्चिक
शुभ तिथि:-10,18,19,20,25,26,27
अशुभ तिथि:-2,3,4,11,12,16,30,31
धनु
शुभ तिथि:6,13,17,19,20,23,25,30,31
अशुभ तिथि:3,8,11,16,26,28
मकर
शुभ तिथि:-6,9,15,20,22,24,29
अशुभ तिथि:- 3,8,13,16,18,23
कुम्भ
शुभ तिथि:-1,2,5,14,15,16,27,30
अशुभ तिथि:- 6,7,8,18,21,22,23
मीन
शुभ तिथि:2,8,18,24,27,28
अशुभ तिथि:-3,7,19,21,26,31
Saturday, May 01, 2010
स्टार प्लस पर ज़रा नच के दिखा शुरू

Subscribe to:
Posts (Atom)